नवप्रवर्तन

नवप्रवर्तन आ नवाचार (अंग्रेज़ी-Innovation) विचारसभक व्यावहारिक कार्यान्वयन अछि, जाहि सँ वस्तु वा सेवासभक निर्माण अथवा सुधार होइत अछि।[१] ISO TC 279 द्वारा ISO 56000:2020 मानकमे नवप्रवर्तनकेँ “एकटा नव वा परिवर्तित इकाई, जे मूल्यकेँ साकार करैत वा पुनर्वितरित करैत अछि” रूपमे परिभाषित कयल गेल अछि। आन लोकसभक परिभाषा भिन्न-भिन्न अछि; मुदा परिभाषासभमे एकटा सामान्य तत्व नवता, सुधार, आ विचार वा प्रविधिक प्रसार पर केन्द्रित रहैत अछि।[२]
नवप्रवर्तन प्रायः बेसी प्रभावकारी उत्पादन, प्रक्रिया, सेवा, प्रविधि, कलाकृति वा व्यवसायिक मॉडलसभक विकासद्वारा होइत अछि, जे नवप्रवर्तक बजार, सरकार आ समाजक लेल उपलब्ध करबैत छथि।
परिभाषा
[सम्पादन करी]नवप्रवर्तन सम्बन्धी साहित्यक सर्वेक्षणसभमे विभिन्न प्रकारक परिभाषा भेटल अछि। २००९ मे Baregheh आदि विद्वानसभ विभिन्न वैज्ञानिक लेखसभमे करीब ६० टा परिभाषा भेटलनि, जखन कि २०१४ केर एकटा सर्वेक्षणमे ४० सँ बेसी परिभाषा भेटल।[३] अपन सर्वेक्षणक आधार पर Baragheh आदि विद्वानसभ एकटा बहुविषयक परिभाषा तैयार करबाक प्रयास केलनि आ निम्नलिखित परिभाषा पर पहुँचलनि:
नवप्रवर्तन एकटा बहु-चरणीय प्रक्रिया अछि, जाहि द्वारा संस्थासभ विचारसभकेँ नव वा सुधरल उत्पादन, सेवा अथवा प्रक्रियामे बदलैत अछि, ताकि ओ अपन बजारमे सफलतापूर्वक प्रगति कऽ सकय, प्रतिस्पर्धा कऽ सकय आ अपन अलग पहिचान बना सकय।[४]
सफ्टवेयर उद्योग नवप्रवर्तनकेँ कोना बुझैत अछि, एहि विषयक एकटा अध्ययनमे क्रोसन आ अपायदिन द्वारा देल गेल निम्नलिखित परिभाषाकेँ सभसँ पूर्ण मानल गेल। क्रोसन आ अपायदिन ई परिभाषा आर्थिक सहयोग आ विकास संगठन (ओईसीडी) केर ओस्लो म्यानुअल मे देल गेल परिभाषाक आधार पर तैयार केलनि:[३]
नवप्रवर्तन आर्थिक आ सामाजिक क्षेत्रसभमे मूल्य-वर्धित नवताक उत्पादन वा अपनाओल जाएब, आत्मसात् करब आ उपयोग करब अछि; उत्पादन, सेवा आ बजारसभक नवीकरण आ विस्तार अछि; उत्पादनक नव तरीका सभक विकास अछि; आ नव व्यवस्थापन प्रणालीसभक स्थापना अछि। ई एकटा प्रक्रिया सेहो अछि आ परिणाम सेहो।
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Schumpeter, Joseph A. (1983). The theory of economic development: an inquiry into profits, capital, credit, interest, and the business cycle. Opie, Redvers,, Elliott, John E.. New Brunswick, New Jersey: Transaction Publishers. आइएसबिएन 0-87855-698-2. OCLC 8493721.
- ↑ "ISO 56000:2020(en)Innovation management — Fundamentals and vocabulary", ISO, २०२०, मूलसँ १७ जून २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २९ जनवरी २०२१।
- 1 2 Edison, Henry; bin Ali, Nauman; Torkar, Richard (मई २०१३), "Towards innovation measurement in the software industry", Journal of Systems and Software 86 (5): 1390–1407, डिओआई:10.1016/j.jss.2013.01.013।
- ↑ Baregheh, Anahita; Rowley, Jennifer; Sambrook, Sally (४ सितम्बर २००९), "Towards a multidisciplinary definition of innovation", Management Decision 47 (8): 1323–1339, डिओआई:10.1108/00251740910984578।