नारी हत्या
| ई महिला विरुद्धक हिंसा |
| शृङ्खलाक भाग छी। |
|---|
| हत्या |
| यौन आक्रमण आ बलात्कार |
| विकृति |
| अन्य मुद्दासभ |
| यौन हिंसाक अन्तर्राष्ट्रिय रूपरेखा |
| सम्बन्धित विषयसभ |

नारी हत्या सामान्य अर्थमे कोनो पुरूषद्वारा नारीकेँ नारी भेलाक कारणे हत्या करि दैत अछि तँ ओकरे नारी हत्या कहल जाइत अछि। अर्थात् कोनो पुरूष अप्पन मर्दानगी (पुरूषत्व सोच) वा नारी-विरोधी मानसिकता (स्त्रीद्वेष) राखि कोनो नारी केर हत्या करि दैत अछि तहन ओकरे नारी हत्या कहल जाइत अछि। नारी हत्या कसुर होमएक लेल पुरूषद्वारा नारीक हत्या भेल होबाक चाही कहऽवला किछ विद्वानसभक मत अछि यद्यपि दक्षिण एसियाक नारीवादीसभ नारीद्वारा नारी केर हत्या होनाए सेहो नारी हत्याक श्रेणीमे राखवाक चाही कहिँ अप्पन मत व्यक्त केनए अछि।
एकरा अत्यन्त गम्भीर अपराध मानल जाइत अछि जे समाज आ संस्कृतिमे कायम रहल विभेदपूर्ण तथा लैङ्गिक हिंसाक वातावरणमे ह्रास भेल पाबल गेल अछि। एहन हत्या करैत काल महिलाकेँ पुरूषद्वारा यातना देनाए, शरीरक अङ्गसभ काटि देनाए, जीविते जलाए देनाए, अत्याचार केनाए, यौन हिंसा केनाए लगायतक अति क्रुर, बर्बर आ अमानवीय व्यवहार केनाए देखल गेल अछि।
डायना रसेलक अनुसार नारी हत्या महिलासभक जीवनमे चलऽवला लम्बा आतङ्कक अन्तिम आ चरम विन्दु छी। एहि क्रममे महिलासभ बहुतेक किसिम किसिमक शारीरिक आ मानसिक अत्याचार सहन करैत अछि आ बाध्यात्मक परिस्थिति देखैत अछि जहिमे बलात्कार, यातना, यौन दासता (विशेष करि वेश्यावृत्तिक रूपमे), सन्तान उपर यौन शोषण (परिवार भितर वा बाहरी व्यक्तिद्वारा), शारीरिक मारपीट आ मानसिक उत्पीड़न आदि अछि।
कतेको देशसभ नारी हत्याकेँ फौजदारी संहितामा अपराधक रूपमे राखलाक बादो एहि सम्बन्धी कानूनी परिभाषासभ भिन्न भिन्न अछि। नारी हत्या सम्बन्धी कानूनसभ मेक्सिको आ निकारागुवामे बनाएक गेल छल मुदा ओकरा पुनः खारेज करि देल गेल छल।[१]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ García-Del Moral, Paulina; Neumann, Pamela (जून २०१९), "The Making and Unmaking of Feminicidio/Femicidio Laws in Mexico and Nicaragua [मेक्सिको आ निकारागुवामे नारीहत्या सम्बन्धी कानूनसभक निर्माण आ विघटन]", Law & Society Review 53 (2): 452–486, डिओआई:10.1111/lasr.12380।