सामग्री पर जाएँ

निक्टैंथेस आर्बोर-ट्रिस्टिस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

निक्टैंथेस आर्बोर-ट्रिस्टिस
संरक्षण स्थिति
वैज्ञानिक वर्गीकरण edit
Unrecognized taxon (fix): Nyctanthes
प्रजाति:
वैज्ञानिक नाम
Template:Taxonomy/NyctanthesNyctanthes arbor-tristis
पर्याय[]

आकृति:Species list

  1. IUCN SSC Global Tree Specialist Group; Botanic Gardens Conservation International (BGCI); Lakhey, P.; Pathak, J. (२०२२), "Nyctanthes arbor-tristis", IUCN Red List of Threatened Species 2022 |name-list-style= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता); |article-number= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता);
  2. सन्दर्भ त्रुटि: अमान्य <ref> टैग; WCSP नामक संदर्भों के लिए कोई टेक्स्ट प्रदान नहीं किया गया है

निक्टैन्थेस आर्बोर-ट्रिस्टिस निक्टैन्थसक एकटा प्रजाति अछि जे दक्षिण एशिया आ दक्षिण पूर्व एशिया मूल रूपेँ भेटैत अछि। मैथिली भाषामे एकरा सिङरहार कहल जाइत अछि आ अनतह एकरा सामान्यतः रातिमे फुलाएबला चमेली, उदासीक गाछ, शोकक गाछ, हेंगरा बुबर, प्रवाल चमेली, सिंगापुरमे सेरी गेडिंग आ बङ्गाल क्षेत्रमे शिउली नामेँ जानल जाइत अछि। एकर सामान्य नामक बावजूदि ई प्रजाति वास्तविमे "चमेली" नहि अछि आ जैस्मीनम जीनसक नहि अछि।

एकर पात सभ झरि कऽ खिसि पड़ैत अछि आ भोर होयते फुलायल फूलसभ सेहो खसि पड़ैत अछि, तेँ एकरा "शोकक गाछ" (tree of sorrow) कहल जाइत अछि। एकर लैटिन नाम arbor-tristis क अर्थ सेहो "उदास गाछ" (sad tree) होइत अछि। भारत आ नेपाल मे Nyctanthes arbor-tristis कें पारिजात क नाम सँ जानल जाइत अछि। आन भारतीय भाषा सभ मे एकरा शेफालिका (संस्कृत), पवलमल्लिकई (तमिल), पारिजात (कन्नड़), पविज़मल्ली (मलयालम) आ सिहारु कहल जाइत अछि। मलेशिया मे एकरा 'सेरी गाडिंग' आ चीन मे 'नाई हुआ' वा 'हुंग मो ली' कहल जाइत अछि।

Nyctanthes arbor-tristis (सिङरहार) एकटा झाड़ि (shrub) वा छोट गाछ होइत अछि जे १० मीटर (३३ फीट) धरि ऊँच भऽ सकैत अछि आ एकर छाल धूसर (grey) रंगक आ उखड़ल-पुखड़ल (flaky) होइत अछि। एकर पातसभ एक-दोसरक विपरीत, सरल, ६–१२ सेमी (२.४–४.७ इंच) लम्बा आ २–६.५ सेमी (०.७९–२.५६ इंच) चौड़ा होइत अछि, जकर कतनी (margin) सोझ आ सपाट होइत अछि। फूलसभ बड्ड गमकैत (fragrant) अछि, जाहिमे पाँचसँ आठ पंखुड़ीबला उज्जर कोरोला आ बीचमे संतोला-लाल (orange-red) रंग होइत अछि। ई फूलसभ दूसँ सातक गुच्छामे फुलाइत अछि; एकेकटा फूल संझखानि फुलाइत अछि आ भोर होइत-होइत झरि जाइत अछि। एकर फल दूटा भागमे बँटल, चपरगर, कत्थई रंगक, ह्रदयक आकारक वा गोल कैप्सूल जकाँ २ सेमी व्यासक होइत अछि, जकर प्रत्येक भागमे एक-एकटा बीया (seed) होइत अछि।

वितरण आ प्राकृतिक आवास

[सम्पादन करी]

N. arbor-tristis मूल रूपेँ इंडो-चाइना, हिमालय आ सुमात्रासँ जावा धरि पाओल जाइत अछि। ई सूखल पर्णपाती वन (dry deciduous forests) आ पहाड़ी ढलान सभ पर पनपैत अछि।[]

एकर पातसभक प्रयोग आयुर्वेदिक औषधि आ होम्योपैथीमे साइटिका (sciatica), संधिशोथ (arthritis), आ जरि (fevers) क लेल, आ पेट साफ करयबला (laxative) औषधिक रूपमे कयल जाइत अछि। एकर फूलक कोरोलासँ 'न्यक्टैन्थिन' नामक एकटा संतोला रंगक रंजक (dye) प्राप्त होइत अछि, जकर उपयोग रेशमक रँगाइ मे कयल जाइत अछि। भारतमे एहि फूलसँ माला बनाओल जाइत अछि आ पूजा-पाठमे प्रयोग कयल जाइत अछि।[]

संस्कृति

[सम्पादन करी]

सिङरहार (शिउली) क फूल भारतीय राज्य पश्चिम बंगाल क राजकीय फूल अछि आ ओतय एकरा बंगाली मे 'शिउली' वा 'शेफाली' कहल जाइत अछि। बंगाल मे शरद ऋतु मे शिउली फूल फुलाइत अछि आ दुर्गा पूजा क समय माता दुर्गा कें अर्पित कयल जाइत अछि। बहुत रास दुर्गा पूजाक गीत आ कविता सभ मे एहि फूलक वर्णन भेटैत अछि।[]

त्रिपुरा राज्यक स्थानीय लोक एहि गाछक सहायता सँ मौसम आ वर्षाक पूर्वानुमान लगाबैत छथि।

साहित्य

[सम्पादन करी]
  1. https://books.google.com/books?id=g2iqEAAAQBAJ&dq=coral+jasmine+plant&pg=PA129
  2. https://books.google.com/books?id=vXSmDwAAQBAJ&dq=coral+jasmine+plant&pg=PA258
  3. https://www.researchgate.net/publication/292009604