सामग्री पर जाएँ

नेपालक झण्डा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल संघीय लोकतान्त्रिक गणतन्त्र नेपाल
प्रयोगराष्ट्रिय झन्डा Small  vexillological symbol or pictogram in black and white showing the different uses of the flag Small  vexillological symbol or pictogram in black and white showing the different uses of the flag Reverse side is mirror image of obverse side
अनुपातनीचा देखू
लागू१६ दिसम्बर १९६२; ६३ वर्ष आगा (१९६२-१२-16)
बनोटदूटा सटिके राखल त्रिकोणीय आकृति, जे अनियमित पञ्चभुज बनबैत अछि। एहि मे नील किनारासँ घेरल लाल क्षेत्र अछि, उपरका भागमे सोह्रमे सँ आठ किरण देखाइत अर्धचन्द्रक उज्जर प्रतीक अछि आ निचला भागमे बारह किरणवला सूर्यक उज्जर प्रतीक अछि।[]
बनोटकर्तापृथ्वीनारायण शाह (मूल)शङ्करनाथ रिमाल (आधुनिक)

नेपालक झण्डा लाल, उज्जर आ नील रंगक अवतल पञ्चभुजाकार झण्डा अछि। एकर प्रयोग नेपालक राज्य झण्डा आ नागरिक झण्डा—दूनू रूपमे कएल जाइत अछि।[] ई विश्वक एकमात्र गैर-आयताकार राष्ट्रिय झण्डा अछि आ एकमात्र एहन झण्डा सेहो अछि जे अपन चौड़ाइ सँ बेसी ऊँच अछि। झण्डाक अद्वितीय आकार दूटा अलग-अलग पताकाक संयोजन अछि, आ एकरा डबल-पेनन कहल जाइत अछि। झण्डाक लाल क्षेत्र साहस आ नेपालक राष्ट्रिय फूल लालीगुराँसक प्रतिनिधित्व करैत अछि, जखनकि नील किनार शान्तिक प्रतिनिधित्व करैत अछि।

वर्तमान झण्डा १६ डिसेम्बर १९६२ मे, नव संवैधानिक सरकारक गठनसँग अपनाओल गेल।[] सिभिल इन्जिनियर शङ्करनाथ रिमाल राजा महेन्द्रक अनुरोध पर झण्डाकेँ मानकीकृत केलनि।[] ई परम्परागत डिजाइनसँ प्रेरित अछि, जकर प्रयोग १९अम् आ २०अम् शताब्दीभरि कएल गेल छल, आ ई शासक वंशक प्रतिद्वन्द्वी शाखासभ द्वारा प्रयोग कएल जाएवला दूटा अलग-अलग पताकाक संयोजन अछि।[] [] सन् १९६२ धरि झण्डाक दूनू प्रतीक—सूर्य आ अर्धचन्द्र—मे मानवीय चेहरा छल, मुदा झण्डाकेँ आधुनिक बनेबाक लेल ओ सभ हटाओल गेल।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Part-1(8) National symbol", Constitution of Nepal (en-USमे), Nepal Law Commission, २०१५, ४ जून २०२० कऽ मूल सङ्ग्रहित|archiveurl= |url= आवश्यक (सहायता), अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२२
  2. 1 2 "Flag of Federal Democratic Republic of Nepal", CRW Flags, मूलसँ २० नवम्बर २०१८ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३१ दिसम्बर २०१८
  3. "Flag of Nepal", Encyclopedia Britannica, मूलसँ १८ नवम्बर २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २४ जुलाई २०१८
  4. रातोपाटी, "यसरी बनेको थियो राष्ट्रिय झण्डाको डिजाइन्, चन्द्र–सूर्य र त्रिकोणको अर्थ के ?", RatoPati (नेपालीमे), मूलसँ ३१ मई २०२२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२२-०२-२८
  5. Article I, Section 5, Constitution of Nepal, २०१८।

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]