नैना जायसवाल
नैना जायसवाल | |
---|---|
![]() | |
जन्म | हैदराबाद, भारत | २२ मार्च २०००
राष्ट्रियता | भारतीय |
अभिभावक(सभ) | अश्वनी कुमार जायसवाल भाग्यलक्ष्मी जायसवाल |
नैना जायसवाल (जन्म २००० मार्च २२) भारतक टेबुल टेनिस खेलाड़ी छी, जे भारतक प्रतिनिधत्व करि राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय दुनू स्तर पर टेबल टेनिस प्रतियोगितसभमे भाग लैत अछि आ एखन धरि बहुत प्रतियोगिताक खिताब जितने अछि।
प्रारम्भिक जीवन
[सम्पादन करी]नैनाक जन्म सन् २००० मार्च २२ कें भारतक हैदराबादमे अश्वनी कुमार जायसवाल आ भाग्यलक्ष्मी जायसवालक घरमे भेल छल। नैना १३ सालक उमरमे हैदराबादक सेन्ट मेरी कौलेज सँ स्नातकक पढ़ाई पूरा केनए छल। १५ सालक उमरमे ओ अपन पोस्ट ग्रेजुएशन सेहो पूरा करि लेनए छल।[१][२] एखन नैना १७ सालक उमरमे अपन पिएचडी कऽ पढ़ाई करि रहल अछि।
शिक्षा
[सम्पादन करी]नैना जैसवाल अपन १० कक्षाक पढाई ८ सालक उमरमे पुरा करलक।[३], नैना १० सालक उमरमे उच्चतर माध्यमिकक पढाई पूरा केनए छल, आ १३ सालक उमरमे स्नातक उपाधि सेन्ट मेरी कलेज सँ पूरा करलक। नैना १५ सालक उमरमे अपन स्नातकोत्तर पढाई उस्मानिया विश्वविद्यालय सँ पूरा केनए अछि[४] आ वर्तमान समयमे ओ अपन पिएचडीक पढाई पूरा कऽ रहल अछि। ओ एशियाक सबसँ कम उमरक पोस्ट-ग्रेजुएट महिला छी।[५][६]
खेल जीवन
[सम्पादन करी]नैना भारतक पहिल महिला टेबुल टेनिस खेलाड़ी छी जे सन् २०११ मे आइटिटिएफ विश्व होप्स टिमक लेल चुनल गेल छल। सन् २०११ मे विश्व अन्डर-१२ टेबल टेनिस प्रतियोगिता जे अस्ट्रियामे भेल छल ओहिमे नैना छठम् स्थान प्राप्त केनए छल। सन् २०११ मे सम्पन्न भेल इन्डियन ओपन टेबल टेनिस प्रतियोगितामे ओ अपन टिमक सङ्ग स्वर्ण पदक जीतऽमे सफल भेल छल। तहिना इन्डियन ओपन २०११ टेबल टेनिस प्रतियोगिताकें एकल विधामे ओ कास्य पदक जीतऽमे सफल भेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "15 साल की उम्र में पोस्टग्रैजुएट बनीं नैना जायसवाल", नवभारत टाइम्स (हिन्दीमे), ६ मार्च २०१७, अन्तिम पहुँच ४ मार्च २०१९।
- ↑ Sharma, Swati (७ मई २०१७), "Keep it in the family", डेक्कन क्रॉनिकल (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच ४ मार्च २०१९।
- ↑ "Meet the 16-year-old youngest super talented post graduate girl in Asia, Naina Jaiswal", India Today (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२।
- ↑ "Asia's youngest Post Graduate girl from Hyderabad", Daily Post (en-USमे), २०१७-०७-२३, मूलसँ २०१७-०७-२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२।
|dead-url=
प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ "At 16, Naina Jaiswal From Hyderabad Becomes Asia's Youngest Post Graduate", The Better India (en-USमे), २०१७-०३-०८, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२।
- ↑ "Naina Jaiswal becomes youngest post-graduate in Asia", The New Indian Express, मूलसँ २०१८-०४-३० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१९-०३-१२।