पंडित सुंदर लाल मेमोरियल स्नातकोत्तर महाविद्यालय,कन्नौज
कन्नौज, उत्तर प्रदेश में स्थित एक डिग्री कॉलेज | |||
| मीडिया अपलोड करें | |||
| प्रकार | उच्च शिक्षा संस्थान, महाविद्यालय | ||
|---|---|---|---|
| डाक सूचकाङ्क |
| ||
| स्थान | कन्नौज जिला, कानपुर मंडल, उत्तर प्रदेश, भारत | ||
| गली का पता |
| ||
| स्थापना |
| ||
| Original publication | |||
| आधिकारिक वेबसाइट | |||
निर्देशाङ्क: 27°2'22.2"N, 79°54'41.4"E
| |||
| |||
पण्डित सुन्दरलाल मेमोरियल स्नातकोत्तर महाविद्यालय (अंग्रेज़ी: Pandit Sundar Lal Memorial P.G. College), जकरा सामान्यतः पी॰एस॰एम॰ पी॰जी॰ कलेज केर नामसँ जानल जाइत अछि, भारतक उत्तर प्रदेश राज्यक कन्नौज जनपदमे स्थित एकटा उच्च शिक्षण संस्थान छी।[१] ई संस्थान कानपुर स्थित छत्रपति शाहू जी महाराज विश्वविद्यालय (CSJMU) सँ सम्बद्ध अछि आ एकर आधिकारिक कलेज कोड FB08 अछि।[२]
स्थापना आ इतिहास
[सम्पादन करी]कन्नौज आ एकर आस-पासक क्षेत्रक विद्यार्थीसभकेँ उच्च शिक्षा प्रदान करबाक उद्देश्यसँ वर्ष १९७३ मे एहि महाविद्यालयक स्थापना कएल गेल छल। संस्थानक नामकरण पण्डित सुन्दरलाल जीक स्मृतिमे कएल गेल अछि। ई कन्नौज जिलाक पुरान स्नातकोत्तर केन्द्रसभमे सँ एक छी।
शैक्षणिक विभाग आ पाठ्यक्रम
[सम्पादन करी]संस्थान विश्वविद्यालयक मानकक अनुरूप स्नातक, स्नातकोत्तर आ व्यावसायिक पाठ्यक्रमसभक सञ्चालन करैत अछि।[३]
स्नातक स्तर
[सम्पादन करी]एतय कला सङ्काय कें अन्तर्गत निम्नलिखित विषयसभक शिक्षा देल जाइत अछि:[४]
- भाषा: हिन्दी, अंग्रेज़ी आ संस्कृत।
- समाज विज्ञान: इतिहास, भूगोल, राजनीति विज्ञान, समाजशास्त्र आ अर्थशास्त्र।
- शिक्षा: शिक्षा शास्त्र ।
स्नातकोत्तर स्तर (M.A.)
[सम्पादन करी]महाविद्यालयमे चारि विषयमे एम॰ए॰ केर उपाधि प्रदान कएल जाइत अछि:[४]
- हिन्दी साहित्य
- अंग्रेज़ी साहित्य
- समाजशास्त्र
- भूगोल
शिक्षक प्रशिक्षण
[सम्पादन करी]महाविद्यालयक शिक्षा विभाग द्वारा दुई वर्षीय बी॰एड॰ पाठ्यक्रम सञ्चालित कएल जाइत अछि।[५]
भौगोलिक स्थिति
[सम्पादन करी]महाविद्यालय कन्नौजक मकरन्द नगर क्षेत्रमे जी॰टी॰ रोड पर अवस्थित अछि।
सन्दर्भ
[सम्पादन करी]- ↑ "CSJMU Affiliated Colleges List", Chhatrapati Shahu Ji Maharaj University, पृ: ३२, अन्तिम पहुँच २३ फरबरी २०२६।
- ↑ "Kannauj | Chhatrapati Shahu Ji Maharaj University, Kanpur", अन्तिम पहुँच २०२६-०२-२३।
- ↑ "Courses offered at PSM College", CSJMU Official, पृ: ३२, अन्तिम पहुँच २३ फरबरी २०२६।
- 1 2 "CSJMU Admission Portal: Programme Information (P.S.M. Degree College, Kannauj)", Chhatrapati Shahu Ji Maharaj University (CSJMU) Samarth eGov, अन्तिम पहुँच १७ मार्च २०२६।
- ↑ "CSJMU B.Ed. & M.Ed. Examination Nodal Center List" (PDF), Chhatrapati Shahu Ji Maharaj University (CSJMU), Kanpur, अन्तिम पहुँच १७ मार्च २०२६।
