प्रतिनिधि सभाक सभामुख (नेपाल)
| प्रतिनिधि सभाक सभामुख | |
|---|---|
| सम्बोधन | सम्माननीय |
| नियुक्तिकर्ता | प्रतिनिधि सभाक सदस्य |
| पदावधी | ५ वर्ष |
| सुरुवाती बहालवाला | कृष्णप्रसाद भट्टराई |
| उप | उपसभामुख |
| पारिश्रमिक | रू ६७,३२० |
प्रतिनिधि सभाक सभामुख नेपालक संसदक निचाला सदन, प्रतिनिधि सभाक अधिकारी होइत छथि। व्यवस्थापिका प्रक्रियामे सभामुखक पदक महत्वपूर्ण महत्व रहैत अछि। कार्यवाहीक अध्यक्षता करब, सुव्यवस्था कायम राखब आ निष्पक्ष बहस तथा छलफल सुनिश्चित करब आदि काज सभामुखक होइत अछि। वर्तमान सभामुख देवराज घिमिरे २०७९ माघ ५ सँ एहि पदमे छथि। "प्रतिनिधि सभाक सभामुखमे देवराज घिमिरे निर्वाचित", कान्तिपुर (नेपालीमे), अन्तिम पहुँच १९ जनवरी २०२३।
हटयवला अवस्था
[सम्पादन करी]सभामुख पद रिक्त होयवला अवस्थासभ–
(क) निज प्रतिनिधि सभाक सदस्य नहि रहल अवस्थामे प्रतिनिधि सभाक दोसर निर्वाचनक लेल मनोनयन पत्र दर्ता भेलाक अघिल्लो दिन धरि आ–आफ्नो पद धारण कएने प्रतिनिधि सभाक सभामुख आ उपसभामुख पदमे बहाल रहताह,
(ख) निज लिखित राजीनामा देलनि तँ,
(ग) प्रतिनिधि सभाक तत्कालीन सदस्यसभक कुल सङ्ख्याक दुई तिहाइ बहुमतसँ निजक आचरण निजक पदअनुकूल नहि रहल प्रस्ताव पारित भेल तँ।