प्रयोगकर्ता:प्रदीप पुष्प
दिखावट
नाम- प्रदीप पुष्प मूल नाम- प्रदीप कुमार जन्म तिथि- २३ फरवरी १९८२ जन्म स्थान - ननौर( मधुबनी) वृति- मध्य विद्यालयमे शिक्षक पर कार्यरत। प्रदीप पुष्प मूल रूपेण मैथिली गजल लिखैत छथि। हिनक गजल संग्रह 'मोनक देहरिपर' बेस लोकप्रिय भेल। प्रदीप जी गजलक अलावे मैथिली गीत- संगीत सेहो लिखैत छथि। हिनक लिखल कतेको गीत अलबम आ फिल्ममे रिकार्ड भ' चुकल अछि। प्रदीपजीक रचना बहुतो पत्र- पत्रिकामे समय समय पर छपैत रहैत अछि।