प्रवेशद्वार:इस्लाम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एतय जाए: भ्रमण, खोज

इस्लाम धर्मके अभ्युदय अरबमें भयल छल। एक्कर प्रणेता हजरत मुहम्मद (अरबी: محمد صلی اللہ علیہو آلہ و سلم) रहथि। अहि धर्मके अनुसार ईश्वर एक छय आ मुहम्मद हुनकर सन्देशवाहक। ईश्वरके अरबी भाषा आ इस्लाम में "अल्लाह" (अरबी : اللہ) कहल जाईछ। अहि धर्मके मुख्य ग्रन्थ 'कुरान' आ 'हदीस' छय। 'कुरान' अल्लाह दुआरा जिब्राईल (ईशदूत) दीया हजरत मुहम्मदके देल गयल पोथी मानल जायत अछि, ताहि दुआरे एकरा "आसमानी किताब" (आकाश सों उतरल पोथी) कहल जाय छय। 'हदीस' हजरत मुहम्मद द्वारा अपन जीवनकालमें कहल गयल वचनसभके संकलन छय।