प्वाइन्ट (टाइपोग्राफी)
| प्वाइन्ट | |
|---|---|
एकटा रुलर जाहिमे प्वाइन्ट स्केल तल भागमे आ इन्च स्केल ऊपर भागमे देखाओल गेल अछि | |
| सामान्य जानकारी | |
| इकाइ प्रणाली | टाइपोग्राफिक इकाइ |
| इकाइ | लम्बाइ |
| रूपान्तरण | |
| 1 प्वाइन्ट मे ... | ... बराबर अछि ... |
| टाइपोग्राफिक इकाइसभ | 1/12 पाइका |
| इम्पेरियल/अमेरिकी इकाइसभ | 1/72 इन्च |
| मेट्रिक (SI) इकाइसभ | ०.३५२८ मिमी |
टाइपोग्राफीमे प्वाइन्ट माप केर सभसँ छोट इकाइ अछि। एकर प्रयोग फन्टक आकार, लाइनसभक बीचक दूरी अर्थात् लीडिङ, आ मुद्रित पृष्ठ पर अन्य वस्तुसभक माप लेल कएल जाइत अछि।
मुद्रणक इतिहासमे प्वाइन्टक आकार समय-समय पर बदलैत रहल अछि। १८हम शताब्दीसँ प्वाइन्टक आकार प्रायः ०.१८ मिलिमिटर सँ ०.४ मिलिमिटरक बीच रहल अछि।
१९८० आ १९९० केर दशकमे डेस्कटप पब्लिशिङक विकास भएपछि, डिजिटल मुद्रण बहुत हद धरि लेटरप्रेस मुद्रणक स्थान ल’ लेलक। एकर परिणामस्वरूप डेस्कटप पब्लिशिङ (डीटीपी) प्वाइन्ट वास्तविक मानकक रूपमे स्थापित भ’ गेल। डीटीपी प्वाइन्ट के परिभाषा इन्च केर १⁄७२ भागक रूपमे कएल जाइत अछि, अर्थात् ठीक ०.३५२7 मिमी। पहिने प्रचलित अमेरिकी प्वाइन्ट आकारसभ जेकाँ, एकरा सेहो पाइका केर १⁄१२ भाग मानल जाइत अछि। [१][२]
इतिहास
[सम्पादन करी]प्वाइन्ट पहिल बेर मिलानक टाइपोग्राफर, फ्रान्सेस्को तोर्निएल्ला दा नोभारा (c. १४९० – १५८९) द्वारा अपन १५१७ केर वर्णमाला L'Alfabeto मे स्थापित कएल गेल छल। ई वर्णमालाक निर्माण पहिल बेर तार्किक मापक आधार पर कएल गेल छल, जकरा "Punto" कहल जाइत छल। ई अक्षरसभक ऊँचाइक नवम भाग अथवा मुख्य स्ट्रोकक मोटाइ सँ मेल खाइत छल।[३][४]
संकेत लेखन
[सम्पादन करी]प्वाइन्टमे मापन तीन तरिकासँ देखाओल जा सकैत अछि। उदाहरणक लेल, १४ प्वाइन्ट अर्थात् १ पाइका आ २ प्वाइन्ट केँ एना लिखल जा सकैत अछि:
- १P⁄२p — परम्परागत शैली; १२ प्वाइन्ट केँ केवल "१P⁄ " लिखल जाइत अछि
- 1p2 — डेस्कटप प्रारूप; १२ प्वाइन्ट केँ केवल "1p" लिखल जाइत अछि
- 14pt — क्यास्केडिङ स्टाइल शीट्स मे प्रयोग होमए वाला प्रारूप, जे वर्ल्ड वाइड वेब कन्सोर्टियम द्वारा परिभाषित अछि। १२ प्वाइन्ट केँ "12pt" अथवा "1pc" लिखल जा सकैत अछि, कारण ई १ पाइका बराबर होइत अछि।[५]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Phinney, Thomas (१६ अगस्त २०१२), "Point Size and the Em Square: Not What People Think", Phinney on Fonts, अन्तिम पहुँच २६ फरबरी २०१८।
- ↑ "15.7. Font size: the 'font-size' property", Cascading Style Sheets Level 2 Revision 2 (CSS 2.2) Specification, World Wide Web Consortium, १२ अप्रैल २०१६, अन्तिम पहुँच २६ फरबरी २०१८।
- ↑ Mardersteig, Giovanni (1971). The alphabet of Francesco Torniello da Novara [1517]: Followed by a comparison with the alphabet of Fra Luca Pacioli. Officina Bodoni.
- ↑ Healey, Robin (2011). Italian Literature Before 1900 in English Translation: An Annotated Bibliography, 1929-2008. University of Toronto Press. आइएसबिएन 9781442642690. https://books.google.com/books?id=38gBss-QJ9wC&pg=PA400.
- ↑ "4.3.2. Lengths", Cascading Style Sheets, level 2 CSS2 Specification, World Wide Web Consortium, १२ अप्रैल २०१६, अन्तिम पहुँच २६ फरबरी २०१८।