सामग्री पर जाएँ

बालकृष्ण

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
बालकृष्ण
Balkrishna
जन्म (१९७२-०८-०४) ४ अगस्त १९७२ (उमर ५४) []
राष्ट्रियताभारतीय
व्यवसायआयुर्वेदाचार्य[]
प्रसिद्धि कारणपतञ्जलि आयुर्वेदक ९९.६% मालिक
जमा सम्पतिवृद्धि US$ २.३ बिलियन (मई २०२१)[]
शीर्षकएमडी/सीईओ , पतंजलि आयुर्वेद
वेबसाइटacharyabalkrishna.com

आचार्य बालकृष्ण (जन्म: ४ अगस्त १९७२)आयुर्वेदक आचार्य (आयुर्वेदाचार्य) आ योग गुरु स्वामी रामदेवक सहयात्री छी।[] ओ योग आयुर्वेद लगायत अनेकौं प्रकल्पसभक केन्द्र रहल पतञ्जलि योगपीठक सह-संस्थापक आ प्रवन्ध निदेशक छी।[] सन् २०१९ में आचार्य बालकृष्ण केँ यूएन (UN) द्वारा सम्मानित कएल गेल छल। हिनका द्वारा योग, आयुर्वेदक क्षेत्रमे नयाँ अनुसन्धान कऽ बढेनाए आ स्वास्थ्य सेवासभमे योगदान देवाक लेल सम्मानित कएल गेल छल।[]


अमेरिकाक विश्वविख्यात स्टयानफोर्ड विश्वविद्यालय आ यूरोपियन प्रकाशक एल्सेवियर द्वारा जारी विश्वक अग्रणी वैज्ञानिकसभक सूचीमे पतञ्जलिक महामन्त्री आचार्य बालकृष्णकेँ शामिल कएल गेल अछि। एहि सँ पहिने सेहो संयुक्त राष्ट्र संघ (यूएनओ) केर संस्था यूएनएसडीजी द्वारा आचार्य बालकृष्णकेँ सम्मानित कएल जा चुकल अछि।[] आचार्य बालकृष्ण आ पतञ्जलिक टीम हिमालयक गङ्गोत्री शृंखलाक तीनटा अनाम चोटीक सफलतापूर्वक आरोहण कए ओकर नामकरण सेहो कएलनि। एहिमे सभसँ ऊँच चोटीक नाम ‘राष्ट्रऋषि’, दोसर चोटीक नाम ‘योगऋषि’ आ तेसर चोटीक नाम ‘आयुर्वेद ऋषि’ राखल गेल अछि। एहि तीनू चोटीक बीचक क्षेत्रक नाम ‘ऋषि ग्लेशियर (ऋषि बामक)’ राखल गेल अछि।[]

जीवनचरित

[सम्पादन करी]

बालकृष्णक जन्म ४ अगस्त १९७२ केँ भारतक हरिद्वार उत्तराखण्डमे भेल छल। हुनकर माताक नाम सुमित्रा देवी आ पिताक नाम जय बल्लभ छी। [१०] ओ संस्कृत भाषामे आयुर्वेदिक औषधि आ जड़ी-बूटीसभक ज्ञानमे निपुणता प्राप्त केलनि आ एकर प्रचार-प्रसारक कार्य निरन्तर करैत रहल छथि। हुनकर जन्मदिवस पतञ्जलि योगपीठ ट्रस्टसँ जुड़ल लोकसभ द्वारा ‘जड़ी-बूटी दिवसक रूपमे मनाओल जाइत अछि।[११][११][१२][१३][१४] सन् २००६ मे आचार्य बालकृष्ण आ स्वामी रामदेव एकत्रित रुपमे पतञ्जलि आयुर्वेदक स्थापना केनए छल।[१५] आचार्य बालकृष्ण पतञ्जलि योगपीठ आ आयुर्वेद संस्थानक माध्यम सँ परम्परागत आयुर्वेद पद्धतिक संरक्षण आ प्रचार-प्रसार करैत एकरा आगाँ बढ़ेबाक कार्य करि रहल छथि।

रचित ग्रन्थ

[सम्पादन करी]

आचार्य बालकृष्ण द्वारा आयुर्वेद सँ सम्बन्धित किछ पुस्तसभक सेहो रचना कएल गेल अछि, हिन्का द्वारा लिखल गेल पुस्तसभ :-

  • वर्ल्ड हर्बल इनसाइक्लोपीडिया के १११ वल्यूम्स [१६]
  • फ्लोरा अफ राष्ट्रपति भवन [१७]
  • मेडिसिनल प्लान्ट अफ राष्ट्रपति भवन [१८]
  • फ्लोरा अफ सिजुसा-अरुणाचल प्रदेश [१९]
  • मन के मनके भाग-२[२०]
  • भोजन कौतुहलम् [२१]
  • आयुर्वेद महोदधि [२२]
  • अजीर्णामृत मंजरी [२३]
  • विचार क्रांति (नेपाली ग्रन्थ)[२४]

शोध पत्र प्रकाशन

[सम्पादन करी]

आचार्य बालकृष्ण शोधक क्षेत्रमे सेहो अपन महत्वपूर्ण योगदान देने छथि। ओ अपन सह-लेखकसभक संगहि एखन धरि लगभग ३३० शोध-पत्र लिखि चुकल छथि। एहि सभ शोध-पत्रक विषय योग, आयुर्वेद आ औषधि-विज्ञान सँ सम्बन्धित अछि।[२५][२६] आचार्य श्री विभिन्न विद्यालयसभक परिसरमे उपलब्ध खाद्य पदार्थसभक सम्बन्धमे अध्ययन करि आ ओकर गुणवत्ता तथा विश्वसनीयताक जानकारी प्राप्त करबाक लेल प्रयोगशालासभमे ओकर परीक्षण सेहो केनए अछि।

बालकृष्ण आ योग

[सम्पादन करी]

आयुर्वेदक प्रचार-प्रसारक संग-संगे बालकृष्ण लोकसभकेँ योगक प्रति सेहो जागरूक बनेबाक कार्य कऽ रहल छथि। आचार्य बालकृष्ण आयुर्वेदक क्षेत्रमे अपन महत्वपूर्ण योगदान दऽ रहल छथि। हुनकर द्वारा बताओल जाएवला छोट-छोट घरेलू नुस्खासँ बहुतो लोककेँ स्वास्थ्य लाभ भऽ रहल अछि।

  • कुलपति,पतञ्जलि विश्वविद्यालय [२७]
  • महासचिव,पतञ्जलि योगपीठ ट्रस्ट [२८]
  • महासचिव, पतञ्जलि रिसर्च फाउन्डेशन [२९]
  • महासचिव, पतञ्जलि ग्रामोध्योग ट्रस्ट [३०]
  • अध्यक्ष एवं प्रबन्ध निदेशक, पतञ्जलि आयुर्वेद, हरिद्वार[३१]
  • मुख्य संपादक योग संदेश [३२]
  • प्रबंध निदेशक, पतंजलि बायो अनुसंधान संस्थान [३३]
  • प्रबन्ध निदेशक, वैदिक ब्राड कास्टिङ्ग लिमिटेड
  • पतञ्जलि फूड एण्ड हर्बल पार्कक प्रबन्ध निदेशक

पुरस्कार आ सम्मान

[सम्पादन करी]

आचार्य बालकृष्णकेँ योग आ आयुर्वेदक क्षेत्रमे हुनकर योगदानक लेल प्रशंसापत्र, प्रमाण-पत्र तथा अन्य अनेक पुरस्कारसभसँ सम्मानित कएल गेल अछि। हुनकर किछु उल्लेखनीय सम्मान निम्न प्रकार अछि—

  • आचार्य बालकृष्णकेँ उत्तराखण्ड संस्कृत विश्वविद्यालय केर १०म् दीक्षान्त समारोहमे आयुर्वेद आ भारतीय ज्ञान परम्परा केर संरक्षण लेल राज्यपाल लेफ्टिनेन्ट जनरल गुरमीत सिंह (सेवानिवृत्त) द्वारा डाक्टर अफ लिटरेचर केर मानद उपाधि सँ सम्मानित कएल गेल छल।[३४]
  • आचार्य बालकृष्णकेँ यूएनओ (संयुक्त राष्ट्र संघ) केर संस्था यूएनएसडीजी (सतत विकास लक्ष्य) द्वारा विश्वक १०टा प्रभावशाली लोकसभक सूचीमे शामिल कएल गेल आ हुनका जेनेवामे यूएनएसडीजी हेल्थकेयर अवार्ड सँ सम्मानित कएल गेल। [३५]
  • योग आ आयुर्वेदक क्षेत्रमे उत्कृष्ट कार्यक लेल एस-व्यासा डीम्ड विश्वविद्यालय, स्वामी विवेकानन्द योग अनुसन्धान संस्थान द्वारा आचार्य बालकृष्णकेँ “डाक्टर अफ लेटर (योग)” (मानद उपाधि) सँ सम्मानित कएल गेल छल। [३६]
  • योग आ आयुर्वेदकेँ बढ़ावा देबामे हुनकर योगदानक लेल आचार्य बालकृष्णकेँ १ अगस्त २०१७ केँ तिलक स्मारक ट्रस्ट द्वारा “लोकमान्य तिलक पुरस्कार २०१७” सँ सम्मानित कएल गेल छल। [३७]
  • आयुर्वेदक क्षेत्रमे उत्कृष्ट योगदानक लेल आचार्य बालकृष्णजीकेँ २२ मार्च २०१६ केँ “ब्लूमबर्ग स्पेशल रिकग्निशन अवार्ड” सँ सम्मानित कएल गेल छल।[३८]
  • इन्डियन इनटरनेशनल फ्रेन्डशिप सोसाइटी द्वारा आयोजित कार्यक्रममे आयुर्वेदक क्षेत्रमे हुनकर अद्भुत कार्यक लेल हरियाणा आ पञ्जाबक राज्यपाल कप्तान सिंह सोलंकी द्वारा आचार्य बालकृष्णकेँ “भारत गौरव” पुरस्कार सँ सम्मानित कएल गेल।[३९]
  • सन् २०१२ मे योग आ औषधीय पौधसभक क्षेत्रमे शानदार योगदानक लेल श्री वीरंजनया फाउन्डेशन द्वारा “सुजाना श्री” पुरस्कार प्रदान कएल गेल।

अक्टूबर २००७ मे नेपालक प्रधानमन्त्री, राष्ट्रपति आ क्याबिनेट मन्त्रीसभक उपस्थितिमे योग, आयुर्वेद, संस्कृति आ हिमालयी जड़ी-बूटीसभक गूढ़ ज्ञानक क्षेत्रमे शोधक लेल हुनकर योगदानक सम्मान कएल गेल।

  • २३ अक्टूबर २००४ केँ एक योग शिविरक दौरान राष्ट्रपति भवनमे भारतक पूर्व राष्ट्रपति डा. ए. पी. जे. अब्दुल कलाम द्वारा सम्मान प्रदान कएल गेल।

समालोचना

[सम्पादन करी]

आचार्य बालकृष्णक कार्यक एक दिस प्रशंसा सेहो भेल, तऽ दोसर दिस हुनका संग किछु विवाद सेहो जुड़ल अछि, जेहिमे हुनकर भारतीय नागरिकता आ शैक्षिक प्रमाणपत्रसभ पर प्रश्न उठाओल गेल अछि।[४०] बालकृष्ण ई सम्पूर्ण आरोपसभकेँ निराधार बतौलनि आ ई सभ आरोप पूर्ण रुपेन अस्वीकार केलक।

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Meet Acharya Balkrishna, the man behind Baba Ramdev’s Patanjali Ayurved; Know his net worth, lifestyle & more", amarujala
  2. "Meet Acharya Balkrishna, the man behind Baba Ramdev’s Patanjali Ayurved; Know his net worth, lifestyle & more", amarujala
  3. "आचार्य बालकृष्ण: धर्म व संस्कृति, आधुनिक, विश्व विख्यात, योग आर्युवेदाचार्य", panchjanya
  4. "Forbes profile: Acharya Balkrishna", Forbes, अन्तिम पहुँच ९ जून २०२०
  5. About Acharya Bal Kishan Ji सङ्ग्रहित २०१४-११-०५ वेब्याक मेसिन, पतंजली चिकित्सालय, अभिगमन तिथि: ५ नवम्बर २०१४
  6. "Ramdev's trust accused of running a club, slapped Rs 12 crore service tax" [रामदेव पर ट्रस्ट के रूप में क्लब चलाने का आरोप, १२ करोड़ रुपये का सेवाकर चुकाने का तमाचा] (अंग्रेज़ीमे), आईबीएन लाइव, ८ नवम्बर २०१२, मूलसँ ११ नवंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ नवम्बर २०१४
  7. "आचार्य बालकृष्ण को UN में मिला सम्मान, बाबा रामदेव बोले-पतंजलि के योगदान पर हमें गर्व", आज तक (hindiमे), अन्तिम पहुँच २०२२-०५-३०
  8. "पतंजलि के नाम एक और उपलब्धि, विश्व के अग्रणी वैज्ञानिकों की सूची में शामिल हुए आचार्य बालकृष्ण", hindustan
  9. "रक्तवन घाटी से लौटी अन्वेषण टीम, आचार्य बालकृष्ण और पतंजलि की टीम ने किया अनाम चोटियों का नामकरण", Jagran
  10. https://m.economictimes.com/news/company/corporate-trends/how-acharya-balkrishna-built-a-multi-crore-company/early-days/slideshow/60853401.cms http://www.divyayoga.com/introduction/acharya-balkrishan-ji.html सङ्ग्रहित २०१४-११-०५ वेब्याक मेसिन Ācārya Balkrishna (आचार्य बालकृष्ण)] (अंग्रेज़ी में), दिव्य योग मन्दिर ट्रस्ट, अभिगमन तिथि: ५ नवम्बर २०१४
  11. 1 2 "जड़ी-बूटी दिवस के रूप में मना आचार्य बालकृष्ण का जन्मदिन", नवभारत टाइम्स, ६ अगस्त २०१४, मूलसँ ५ सितंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ नवम्बर २०१४
  12. "आचार्य बालकृष्ण का जन्म दिन मनाया", दैनिक भास्कर, ५ अगस्त २०१४, मूलसँ १८ अक्तूबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ५ नवम्बर २०१४
  13. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ ३ सितंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ सितंबर २०१४
  14. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ १८ सितंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १ सितंबर २०१४
  15. "आचार्य बालकृष्ण का जीवन परिचय", easyhindi
  16. "Acharya Balkrishna’s birthday celebrated as Herbs Day in Patanjali", TheStatesman
  17. "Acharya Balkrishna’s birthday celebrated as Herbs Day in Patanjali", TheStatesman
  18. "Acharya Balkrishna’s birthday celebrated as Herbs Day in Patanjali", TheStatesman
  19. "Acharya Balkrishna’s birthday celebrated as Herbs Day in Patanjali", TheStatesman
  20. "Acharya Balkrishna’s birthday celebrated as Herbs Day in Patanjali", TheStatesman
  21. "आचार्य बालकृष्ण: धर्म व संस्कृति, आधुनिक, विश्व विख्यात, योग आर्युवेदाचार्य", panchjanya
  22. "आचार्य बालकृष्ण: धर्म व संस्कृति, आधुनिक, विश्व विख्यात, योग आर्युवेदाचार्य", panchjanya
  23. "आचार्य बालकृष्ण: धर्म व संस्कृति, आधुनिक, विश्व विख्यात, योग आर्युवेदाचार्य", panchjanya
  24. http://www.jagran.com/uttarakhand/haridwar-10622776.html सङ्ग्रहित २०१६-०८-०७ वेब्याक मेसिन>
  25. http://www.pubfacts.com/fulltext/25408140/Blood%20pressure%20and%20heart%20rate%20variability%20during%20yoga-based%20alternate%20nostril%20breathing%20practice%20and%20breath%20awareness सङ्ग्रहित २०१५-०२-०५ वेब्याक मेसिन.
  26. http://www.pubfacts.com/fulltext/25505427/Role%20of%20respiration%20in%20mind-body%20practices:%20concepts%20from%20contemporary%20science%20and%20traditional%20yoga%20texts सङ्ग्रहित २०१५-०२-०५ वेब्याक मेसिन.
  27. http://dainiktribuneonline.com/2013/02/%E0%A4%86%E0%A4%9A%E0%A4%BE%E0%A4%B0%E0%A5%8D%E0%A4%AF-%E0%A4%AC%E0%A4%BE%E0%A4%B2%E0%A4%95%E0%A5%83%E0%A4%B7%E0%A5%8D%E0%A4%A3-%E0%A4%AA%E0%A4%A4%E0%A4%82%E0%A4%9C%E0%A4%B2%E0%A4%BF-%E0%A4%B5/
  28. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ ११ सितंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  29. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ १६ अप्रैल २०१६ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  30. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २१ नवंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  31. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ ७ दिसंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  32. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ १६ दिसंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  33. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २१ दिसंबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ३ दिसंबर २०१४
  34. "Scholars should promote and strengthen Sanskrit: Lt-Gen Singh", GarhwalPost
  35. "आचार्य बालकृष्ण विश्व के 10 सबसे प्रभावशाली व्यक्तियों की सूची में शामिल", DainikBhaskar
  36. "आचार्य बालकृष्ण के नाम जुड़ी एक और उपलब्धि, इस काम के लिए डी.लिट की उपाधि से हुआ सम्मान", अमर उजाला Hindi News
  37. "आचार्य बालकृष्ण लोकमान्य तिलक अवार्ड से सम्मानित", Hindustan Hindi News
  38. "PATANJALI AYURVED LIMITED", IBEF : India Brand Equity Foundation
  39. "Haryana Guv presents Balkrishna 'Bharat Gaurav' award", The Pioneer[permanent dead link]
  40. "संग्रहीत प्रति", मूलसँ २२ अक्तूबर २०१४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १५ अक्तूबर २०१४