सामग्री पर जाएँ

बाल विआह

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

बाल विआह विआह या घरेलु साझेदारी, औपचारिक वा अनौपचारिक समावेश करऽवला अभ्यास छी जहिमे १८ वरिषसँ कम उमरक व्यक्ति आ एक वयस्क वा अन्य बच्चा समावेश होइत अछि।अनुसन्धानद्वारा ई पता लागल अछि जे बाल विआह बाल दुलही आ दुलहीसभक लेल दीर्घकालीन नकारात्मक परिणामसभ आनैत अछि। बालविआह केनिहार बालिकासभ प्रायः शिक्षा आ भविष्यमे करियर अवसरसभक पहुँचसँ बहुतेक दूर भऽ जाइत अछि। प्रारम्भिक गर्भावस्था आ बच्चा जन्माबऽ केर कारणसँ ओकरासभक स्वास्थ्यमे प्रतिकूल प्रभाव परनाए सेहो सामान्य अछि। बाल दुलहीसभ घरपरिवारक पालनपोषण करवाक लेल आर्थिक दवाब आ शैक्षिक तथा करियर अवसरसभमे विविध अवरोधसभ समावेश भऽ सकैत अछि।

बाल विआह सिद्धान्त, मगनी, छेका केर अभ्यासक एक भाग छी, जहिमे प्रायः नागरिक अवैवाहिक एकत्रवाससगाईकेर अदालतक स्वीकृति समावेश होइत अछि। बालविआह केर प्रोत्साहन करवला किछेक कारकसभमे गरिबी, वधू मुल्य, दहेज प्रथा, सांस्कृतिक परम्परा, धार्मिकसामाजिक दवाब, क्षेत्रीय चलन, बच्चा वयस्कतामे अविवाहित रहवाक डर, अशिक्षा आ महिलासभ काम करवाक असमर्थता समावेश अछि। अनुसन्धानद्वारा व्यापक यौन शिक्षासँ बालविआहकेँ रोकल जा सकैत अछि कहिँ सङ्केत केनए अछि।

ग्रामीण समुदाय शिक्षा प्रणाली केर सुदृढ बनाए बाल विआहक दर घटाएल जा सकैत अछि। स्वास्थ्य सेवा, निर्मल पानि आ सफाई लगायत आधारभूत पूर्वाधार प्रदान करऽवला ग्रामीण विकास कार्यक्रमसभ परिवारसभ केर आर्थिक रूपमे सहयोग करि सकैत अछि। बाल विआह ऐतिहासिक रूपमे सामान्य रहल अछि आ व्यापक रूपमे फैलिते जा रहल अछि, विशेष करि अफ्रिका, दक्षिण एसिया, दक्षिणपूर्व एसिया, पश्चिम एसिया, ल्याटिन अमेरिका, उत्तर अमेरिकाओसिनियाक विकासशील राष्ट्रसभमे एकर प्रभाव रहल अछि। यद्यपि, विकसित राष्ट्रहसभमे सेहो बाल बालिका सुरक्षा अभावक सामना करैत अछि। उदाहरणक लेल, संयुक्त राज्य अमेरिकाक ३७ राज्यसभमे बाल विआह एखनो कानुनी अछि। यद्यपि वयस्कताक उमर (कानूनी वयस्कता) आ विआहक उमर सामान्यतया १८ वर्षक होइत अछि, एहन सीमा भिन्न-भिन्न क्षेत्राधिकारमे भिन्न भऽ सकैत अछि।

किछ क्षेत्रसभमे, विआहक लेल कानुनी उमर १४ वर्ष कायम अछि मुदा कतौ कतौ सांस्कृतिक परम्परासभ कानुनी शर्त उपर भारी अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]