मनु भाकर
![]() | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
व्यक्तिगत विवरण | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|---|
जन्म: | गोरिया, झज्जर, हरियाणा, भारत | फरबरी १८, २००२|||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
उचाई: | १६८ सेमी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
तौल: | ६० किलो | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
खेल | ||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
खेल: | निशानेबाजी | |||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||||
मेडल रेकर्ड
|
मनु भाकर (जन्म: सन् २००२ फरबरी १८) एक भारतीय महिला निशानेबाज छी। ओ सन् २०२४ केर पेरिस ग्रीष्मकालीन ओलम्पिक खेलमे १० मिटर एयर पिस्टल प्रतिस्पर्धा आ १० मिटर मिश्रित युगलमे कांस्य पदक जीतने छली। मनु भाकर एके टा ओलम्पिक खेलमे दू टा पदक जीतऽ वाली एकलौती भारतीय खेलाडी छी। सन् २०१८ केर आइएसएसएफ वर्ल्ड कपमे ओ भारतक लेल दू स्वर्ण पदक जीतने छली। एहि प्रतिस्पर्धामे स्वर्ण पदक जीतऽ वाली ओ भारतक सबसँ कम उमरऽक महिला छी। मनु मात्र १६ वरिषक उमरमे सन् २०१८ केर राष्ट्रमण्डल खेलमे एयर पिस्टल स्पर्धामे दू स्वर्ण पदक जीतने छली।
व्यक्तिगत जीवन
[सम्पादन करी]मनुक जन्म हरियाणा केर झज्जर जिलाक गोरिया गाँव केर एक ग्रामीण परिवारमे भेल छल। हिनकर पिता समुद्री इन्जिनियर आ माए विद्यालयमे प्रधानाध्यापक छथि। ओ वाल्यकालमे निशानेबाजी केर सङ्ग-सङ्गे मुक्केबाजी, एथलेटिक्स, स्केटिङ्ग आ जुडो कराटे सेहो खेलैत छल। जब मनु केर उमर १८ सालसँ कम छल तखन हुनकर पिता अप्पन नौकरी छोड़ि देलक आ अप्पन लाइसेन्सी पिस्टल कऽ सङ्ग बेटी केर प्रशिक्षणक लेल छोड़ऽ लेल जाए लागल। कोनो नाबालिगक लेल सार्वजनिक परिवहनमे यात्राक दौरान पिस्टल सङ्गे लऽ जाए केर लेल अवैध छल।[१] भाकर केर सन् २०१२ ओलम्पिकक बाद गठित कएल गेल राष्ट्रिय राइफल सङ्घ आ भारतीय खेल प्राधिकरण (साई)सँ मदति भेटल छल। एकर कार्यक्रमसभमे व्यक्तिगत प्रशिक्षक रखवाक नव व्यवस्था आरम्भ कएल गेल आ जहिमे जानल मानल निशानेबाज केर प्रशिक्षक राखल जाइत छल। भाकर केर भारतक प्रतिष्ठित निशानेबाज जसपाल राणा प्रशिक्षित केनए छल।[२]
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "'गोल्डन शूटर' मनु को कितना जानते हैं आप?", BBC News हिंदी (हिन्दीमे), अन्तिम पहुँच २०२१-०२-१७।
- ↑ D'Cunha, Zenia, "Young Guns: How India’s investment in a junior shooting system post 2012 is striking gold", Scroll.in (en-USमे), अन्तिम पहुँच २०२१-०२-१७।