सामग्री पर जाएँ

महामहिम

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

महामहिम एक सम्मानसूचक शैली अछि, जे कोनो सार्वभौम राज्यक किछु उच्च-स्तरीय अधिकारी, अन्तर्राष्ट्रिय संगठनक अधिकारी, अथवा कुलीन वर्गक सदस्यसभकेँ देल जाइत अछि। एक बेर “महामहिम” उपाधि प्राप्त भेला पर, धारक सामान्यतः अपन जीवनभरि एहि शिष्टाचार सम्बोधनक अधिकार राखैत छथि,[] यद्यपि किछु अवस्थामे ई उपाधि कोनो विशेष पदसँ जुड़ल रहैत अछि आ केवल ओहि पदक कार्यकाल धरि मान्य रहैत अछि।[]

सामान्यतः जकरा “महामहिम” कहि सम्बोधित कएल जाइत अछि, ताहिमे राज्य प्रमुखसभ (राजा-महाराजा बाहेक), सरकार प्रमुखसभ, राज्यपालसभ, राजदूतसभ, रोमन क्याथोलिक बिशपसभ, आ ओहि सरहक समान पदधारी व्यक्तिसभ, जेना अन्तर्राष्ट्रिय संगठनक प्रमुखसभ, सम्मिलित होइत छथि।[] शाही परिवारक सदस्यसभक लेल सामान्यतः अलग सम्बोधन प्रयोग होइत अछि, जेना “महाराजाधिराज”, “उच्चता” आदि।

यद्यपि “महामहिम” स्वयं कोनो पदक उपाधि नहि अछि, तथापि ई सम्मानसूचक शब्द धारक द्वारा धारण कएल गेल विभिन्न उपाधिसभसँ पहिने, बोली आ लिखित दूनू रूपमे प्रयोग कएल जाइत अछि। एहन अधिकारीक सन्दर्भमे एकर रूप “हुनकर महामहिम” होइत अछि; प्रत्यक्ष सम्बोधनमे “अहाँक महामहिम”; आ अभिवादनमे “अहाँक महामहिम” अथवा केवल “महामहिम” प्रयोग कएल जाइत अछि। “HE” संक्षेप प्रायः “His/Her Excellency” अर्थात् “हुनकर महामहिम”क स्थान पर प्रयोग कएल जाइत अछि; वैकल्पिक रूपमे ई “His Eminence/Her Eminence” अर्थात् “हुनकर परमप्रतिष्ठा”क अर्थ सेहो दऽ सकैत अछि।


एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Forms of Address", Garza Protocol Associates (en-USमे), २२ मार्च २०१७, मूलसँ ५ जून २०२३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जून २०२१ |dead-url= प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता)
  2. Protocol - The Complete Handbook of Diplomatic, Official, and Social Usage (page 21), by Mary Jane McCaffree and Pauline Innes, published by Hepburn Books, Dallas, Texas सङ्ग्रहित १ मार्च २०१२ वेब्याक मेसिन, 1977, 1985, 1989, 1997 आइएसबिएन ०-९४१४०२-०४-५
  3. "Heads of state, heads of government, ministers for foreign affairs", Protocol and Liaison Service, United Nations, २४ अगस्त २०१६, मूलसँ ५ सितम्बर २०२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ९ जून २०२१

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]