महिला विरुद्धक भेदभाव उन्मूलन सम्बन्धी घोषणापत्र
| ई महिला विरुद्धक हिंसा |
| शृङ्खलाक भाग छी। |
|---|
| हत्या |
| यौन आक्रमण आ बलात्कार |
| विकृति |
| अन्य मुद्दासभ |
| यौन हिंसाक अन्तर्राष्ट्रिय रूपरेखा |
| सम्बन्धित विषयसभ |
महिला विरुद्धक भेदभाव उन्मूलन सम्बन्धी घोषणापत्र संयुक्त राष्ट्र सङ्घक महासभाद्वारा जारी कएल मानव अधिकार घोषणापत्र छी, जे महिला अधिकार सम्बन्धी ओ निकाय केर विचारक रूपरेखा दैत अछि।[१] एकरा सन् १९६७ नवम्बर ७ कऽ दिन महासभाद्वारा स्वीकृति देल गेल छल। ई घोषणापत्र कानुनी रूपमे बाध्यकारी सन् १९७९ केर महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९क एक महत्त्वपूर्ण अग्रदूत छल।[२] एकर उद्देश्य विशेष करि महिलाक अधिकारक संरक्षणक लेल लैङ्गिक समानताकेँ प्रवर्द्धन केनाए छल। ई सन् १९६७ मे महिलाक स्थिति सम्बन्धी संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय आयोगद्वारा मस्यौदा कएल गेल छल।[३] घोषणापत्रक सिद्धान्तसभ कार्यान्वयन करवाक लेल सन् १९८१ दिसम्बर ३ मे महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९ गठन आ लागू कएल गेल छल।
सारांश
[सम्पादन करी]ई घोषणापत्र मानव अधिकारक विश्वव्यापी घोषणापत्र केर संरचनाक पाछा करैत अछि, जहिमे प्रस्तावनाक बाद एगारह टा धारा समावेश अछि।
धारा १ - महिला विरुद्धक भेदभाव "मौलिक रूपमे अन्यायपूर्ण आ मानव मर्यादा विरुद्धक अपराध छी" कहिँ घोषणा करैत अछि।[४] "भेदभाव"केँ परिभाषित नहि कएल गेल अछि।
धारा २ - महिला विरुद्ध भेदभाव करऽवला कानून आ प्रथासभ उन्मूलन करऽलेल, कानून अन्तर्गत समानताकेँ मान्यता देबऽ आ राज्यसभद्वारा भेदभाव विरुद्धक विद्यमान संयुक्त राष्ट्र मानव अधिकार दस्तावेजसभकेँ अनुमोदन आ कार्यान्वयन करऽ लेल आह्वान करैत अछि।
धारा ३ - महिला विरुद्धक पूर्वाग्रह हटेबाक लेल सार्वजनिक शिक्षाक लेल आह्वान करैत अछि।
धारा ४ - महिलासभकेँ मतदान करऽवला अधिकार आ सार्वजनिक पदपर आसिन होनाए आ धारण करऽवला अधिकार सहित पूर्ण निर्वाचन अधिकारक उपभोग करऽलेल आह्वान करैत अछि।
धारा ५ - महिलासभकेँ अप्पन राष्ट्रियता परिवर्तन करऽलेल पुरुष सरह समान अधिकारक माग करैत अछि।
धारा ६ - महिलासभकेँ नागरिक कानूनमे पूर्ण समानताक उपयोग करऽलेल आह्वान करैत अछि तहिना ई विशेष करि विआह आ सम्बन्ध विच्छेद आ बालविवाहकेँ गैरकानूनी बनबैक लेल आह्वान करैत अछि।
धारा ७ - फौजदारी सजायमे लैङ्गिक भेदभाव उन्मूलन करवाक लेल आह्वान करैत अछि।
धारा ८ - राज्यसभकेँ महिला खरिद विक्री आ महिलाक वेश्यावृत्तिक शोषणक विरुद्धमे लड़ऽक लेल आह्वान करैत अछि।
धारा ९ - लिङ्गक आधारमे शिक्षा प्राप्त करवाक लेल समान अधिकारक पुष्टि करैत अछि।
धारा १० - कार्यस्थलमे समान अधिकारक लेल आह्वान करैत अछि, जहिमे रोजगारीमे भेदभाव नहि केनाए, समान कामक लेल समान पारिश्रमिक, आ वेतन प्रसूति छुट्टी समावेश अछि।
धारा ११ - राज्यसभकेँ घोषणापत्रक सिद्धान्तसभ कार्यान्वयन करवाक लेल आह्वान करैत अछि।
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]- महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९
- महिलाक स्थिति सम्बन्धी संयुक्त राष्ट्र सङ्घीय आयोग
- महिलाक अधिकार
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Freeman, Marsha A. (2012). The UN Convention on the Elimination of All Forms of Discrimination Against Women: A Commentary. Oxford: Oxford University Press. प॰ 38. आइएसबिएन 9780199565061. https://books.google.com/books?id=HAENi8BnCrMC&pg=PA38. अन्तिम पहुँच तिथि: 14 March 2020.
- ↑ United Nations General Assembly Resolution 2263, 7 November 1967.
- ↑ Evatt, Elizabeth (२००२), "Finding a voice for women's rights: The early days of CEDAW", George Washington International Law Review 34: 515–553, आकृति:ProQuest।
- ↑ Declaration on the Elimination of Discrimination against Women, Article 1.