सामग्री पर जाएँ

महिला विरुद्धक हिंसा

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

महिला विरुद्धक हिंसा वा लिङ्ग-आधारित हिंसा[][] महिलासभ आ कन्याक विरुद्धक हिंसा वा यौन आ लिङ्ग-आधारित हिंसा नामसँ सेहो जानल जाएत अछि, एहन हिंसा छी जे प्रायः पुरुष अथवा केतोक छौड़ासभद्वारा महिला आ कन्यासभक विरुद्ध कएल जाइत अछि। एहन हिंसा प्रायः घृण अपराध मानल जाइत अछि, जे खासकऽ स्त्री लिङ्गक कारणसँ महिलासभक विरुद्ध कएल जाइत अछि, आ ई अनेक प्रकारक रूप धारण कऽ सकैत अछि। पुरुष विरुद्ध हिंसा एकटा विपरीत श्रेणी अछि, जतए हिंसात्मक कृत्य पुरुष लिङ्गक विरुद्ध लक्षित कएल जाइत अछि।

महिलाक विरुद्ध हिंसाकेर इतिहास बहुत पुरान अछि, हालाकि समय-समय पर आ विभिन्न समाजसभमे एकर घटनाक्रम आ तीव्रता बदलैत रहैत अछि। एहन हिंसा प्रायः महिलासभक अधीनता सुनिश्चित करबाक साधनक रूपमे देखल जाइत अछि चाहे सामान्य समाजिक संरचनामे होए अथवा व्यक्तिगत सम्बन्धसभमे।

संयुक्त राष्ट्र सङ्कघ महिला विरुद्धक भेदभाव उन्मूलन सम्बन्धी घोषणापत्रमे राखल गेल अछि। महिला विरुद्धक हिंसा, पुरुष आ महिलाबीच ऐतिहासिक रूपसँ असमान शक्ति सम्बन्धक प्रतिफलन अछि” आ महिला विरुद्धक हिंसा एहन प्रमुख सामाजिक तन्त्रसभमेसँ एक अछि, जहियासँ महिलासभकेँ पुरुषक तुलनामे अधीनस्थ स्थितिमे जबरदस्ती राखल जाइत अछि। []

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Sexual and Gender-based Violence (WHO)
  2. Citations:
  3. "A/RES/48/104 - Declaration on the Elimination of Violence against Women", United Nations General Assembly, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०१४

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]