सामग्री पर जाएँ

महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९
{{{image_alt}}}
  हस्ताक्षर आ अनुमोदन करऽवला देशसभ
  सदस्यता वा उत्तराधिकार मार्फत अनुमोदन करऽवला देशसभ
  सन्धि पालना करऽवला आंशिक मान्यता प्राप्त देशसभ
  हस्ताक्षर मात्र कएल
  हस्ताक्षर नहि कएल
हस्ताक्षरसन् १९७९ दिसम्बर १८
स्थानन्यु योर्क
कार्यान्वयनसन् १९८१ सितम्बर ३
अवस्था२० अनुमोदनसभ
Signatories९९
Parties१८९ (पूर्ण सूची)
जामाकर्तासंयुक्त राष्ट्र सङ्घक महासचिव
भाषासभअरबी, चिनियाँ, अङ्ग्रेजी, फ्रान्सेली, रुसी आ स्पेनी
महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९ at Wikisource

महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव उन्मूलन करऽवला महासन्धि १९७९ एकटा प्रस्तावना आ ३० टा धारा मिल बनल एक अन्तर्राष्ट्रिय सन्धि छी[] जकरा सामान्यतया महिला अधिकारक अन्तर्राष्ट्रिय विधेयकक रूपमे जानल जाइत अछि। ई महासन्धि महिला विरुद्ध होमएवला भेदभावक रूपसभकेँ परिभाषित करैत अछि आ एहन भेदभाव अन्त्य करवाक एजेन्डा सिर्जना करैत अछि। ई सन्धि सन् १९७९ मे संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा अपनाएल गेल छल[] आ सन् १९८१ सितम्बर ३ मे लागू कएल गेल छल।[] एकरा १८९ देशसभद्वारा अनुमोदन कएल गेल छल। सन्धि स्वीकृति भेलाक बाद राज्यसभद्वारा निम्न उपायसभ अपनाए महिला विरुद्ध होमएवला सम्पूर्ण प्रकारक भेदभाव अन्त्य करवाक प्रतिबद्ध भेल छल।[]

ई महासन्धिकेँ अनुमोदन केनिहार ५० टा सँ बेसी देशसभद्वारा किछ घोषणा, आरक्षण आ आपत्तिसभक अधीनमे ओना केनए छल।[]उदाहरणक लेल, ३८ टा देशसभ सन्धिमे उल्लेखित धारा २९ केर कार्यान्वयन करऽसँ अस्वीकार केनए छल, जे महासन्धिक व्याख्या वा प्रयोग सम्बन्धी विवादसभक समाधानक माध्यमसभकेँ सम्बोधन करैत अछि।[] अस्ट्रेलियाक घोषणापत्र एकर सङ्घीय संवैधानिक प्रणालीसँ उत्पन्न होमएवला केन्द्रीय सरकारक शक्तिमे सीमिततासभकेँ उल्लेख केनए अछि।[]

संयुक्त राज्य अमेरिकापलाउ एकर हस्ताक्षरकर्ता छी, मुदा ओ सभ सेहो ई सन्धिकेँ अनुमोदन नहि केनए अछि।[] होली सी, इरान, सोमालिया, सुडानटोङ्गा ई सन्धि केर हस्ताक्षरकर्ता नहि छी।[]

ई महासन्धि समिति केर अध्यक्ष पद वर्तमान समयमे एना पेलेज नार्भेज सम्हालि रहल अछि।[]

 मुख्य प्रावधानसभ 

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. 1 2 "CEDAW: Convention on the Elimination of All Forms of Discrimination against Women", UN Women, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  2. 1 2 "CEDAW Ratifications and Obligations", UN Women, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  3. "International Treaties", U.S. Department of State, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  4. 1 2 "CEDAW Reservations by Country", UN Women via Wayback Machine, मूलसँ २०११-१२-२२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  5. "About", California Commission on the Status of Women and Girls, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  6. "Member States", United Nations, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५
  7. "Committee on the Elimination of Discrimination against Women Opens 2025 Session", UN Geneva, अन्तिम पहुँच ६ अगस्त २०२५

बाह्य जड़ीसभ

[सम्पादन करी]