मातृहत्या
दिखावट

मातृहत्याक घटनासभ
[सम्पादन करी]- हेरक्लिय पोन्टिकाक रानी एमास्त्रिसकेँ ई.पू. २८४ मे हुनकर दुनू पुत्रसभ पानिमे डुबाए हत्या केनए छल।
- मिस्रक क्लियोपेट्रा तेसरकेँ ई.पू. १०१ मे हुनकर पुत्र टोल्मी दशम्क आदेशमे षड्यन्त्रक आरोपमे हत्या कएल गेल छल।
- टोल्मी एघारहम एलेक्जेन्डर दोसरद्वारा ई.पू. ८० मे अप्पन विआह भेल किछेक समयमे घरवाली बेरिनिस तेसरक हत्या करौने छल। बेनिरिस तेसर हुनकर सौतेली माए आ सौतेली बहिन सेहो छली।
- सन् ५९ मे रोमन साम्राज्यक सम्राट नेरोद्वारा अप्पन एग्रिप्पिना जुनियरकेँ षड्यन्त्र कएल आरोपमे हत्या करवाक आदेश देनए छल।
- निबन्धकार चार्ल्स ल्याम्बक बहिन मेरी ल्याम्ब सन् १७९६ मे मानसिक असन्तुलनक अवस्थामे अप्पन माए केर हत्या केनए छली।
- बीमा रकम चोरेबाक उद्देश्यसँ अप्पन माए केर हत्या कएल आरोपमे सिड्नी ह्यारी फक्सकेँ सन् १९३० मे फाँसी केर सजाय देनए छली।
- सन् १९४५ मे घटल ओकिनावा युद्ध सम्बन्धी किछुक विवरणक अनुसार, अमेरिकी सेना कब्जा करि बलात्कार, यातना वा हत्या करि देत तकर डरक कारण ओकिनावामे रहल बासिन्दासभ अप्पन अप्पन मातासभक हत्या केनए छली।[१]
- पार्कर–हुल्म हत्या घटना : सन् १९५४ मे १६ वर्षिय पौलिन पार्कर अप्पन माए होनोरा पार्करक हत्या करवाक लेल साथी ज्युलियट हुल्मक सहयोग लेनए छली। एहि घटनामे आधारित भऽ सन् १९९४ मे 'हेभेन्ली क्रिएचर्स' नामक चलचित्र निर्माण कएल गेल छल।
- ज्याक गिल्बर्ट ग्राहम सन् १९५५ मे अप्पन माएसहित ४३ गोटेक जान लेबक लेल हुनकर ब्यागमे डाइनामाइट बम राखि युनाइटेड एयरलाइन्स उडान ६२९ मे चढ़ेनाए छल।
- हेनरी ली लुकासद्वारा सन् १९६० मे अप्पन माए केर घेचमे छुरा प्रहार करि हत्या केनए छल।
- चार्ल्स ह्विट्म्यानद्वारा सन् १९६६ अगस्त १ मे टेक्सस विश्वविद्यालय परिसरमे गोलीकाण्ड आरम्भ करऽसँ पहिने अप्पन माए आ पत्नी केर हत्या केनए छल। एहि घटनामे १४ गोटे मारल गेल छल आ ३१ गोटे घाइल भेल छल। बादमे ह्विट्म्यानकेँ प्रहरीद्वारा गोली मारि देल गेल छल।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Gibney, Frank (1995). Senso: The Japanese Remember the Pacific War: Letters to the Editor of Asahi Shimbun. Armonk, NY: M.E. Sharpe.