मैथिली भक्ति गजल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

शब्दार्थ[सम्पादन करी]

ईहो ठीक मैथिली बाल गजल जकाँ अछि। खाली विषय भक्ति भऽ जाइत छै [१]

मैथिली भक्ति गजलक इतिहास[सम्पादन करी]

मैथिलीमे भक्ति गजल नामक परिभाषिक शब्दावली अमित मिश्रजी द्वारा 7 अगस्त 2012केँ " विदेहक फेसबुक " केर पटलपर प्रस्तुत कएल गेल। ओना ओहिसँ बहुत पहिनेहें 16/1/2012केँ ओना जगदानन्द झा 'मनु' जी बिना कोनो घोषणाकेँ बहुत पहिलेसँ अनचिन्हार आखरपर भक्ति गजल प्रस्तुत केने छलाह। एक बेर फेर मैथिलीक आदिक भक्ति गजलकार कविवर सीताराम झा चिन्हित होइ छथि। विदेह (पत्रिका)क 15 मार्च 2013 बला 126म अंक भक्ति गजल विशेषांक अछि। [२]

मैथिलीक किछु प्रमुख भक्ति गजलकार[सम्पादन करी]

व्याकरण युक्त गजलकार (ई लिस्ट भारत-नेपाल दूनू ठामक गजलकार मिला कऽ अछि)

1) सीताराम झा

2) जगदीश चन्द्र अनिल (जगदीश चन्द्र ठाकुर "अनिल")

3) शान्तिलक्ष्मी चौधरी

4) अमित मिश्र

5) जगदानन्द झा 'मनु'

6) कुन्दन कुमार कर्ण

7) श्रीमती इरा मल्लिक

8) प्रदीप पुष्प

9) राजीव रंजन मिश्रा

10) आशीष अनचिन्हार

संदर्भ ओ स्रोत[सम्पादन करी]

  1. मैथिली गजलक व्याकरण ओ इतिहास[permanent dead link]
  2. अनचिन्हार आखर