सामग्री पर जाएँ

म्युजिकल्ली

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
म्युजिक्ली
विकासकर्ता(सभ)म्युजिकल्ली निगम (अप्रैल २०१४–नवम्बर २०१७)
बाइटडान्स (नवम्बर २०१७–अगस्त २०१८)
प्रारम्भिक संस्करणअगस्त २०१४; १० वर्ष पहिने (२०१४-०८)
सञ्चालन प्रणालीआइओएस, एन्ड्रोइड
प्रकारश्रव्य दृश्य साझेदारी
अनुमति पत्रप्रयोगका सर्त सहितक स्वामित्व सफ्टवेयर
वेबसाइटmusical.ly

म्युजिकल्ली हाल टिकटोक साङ्घाईमे मुख्य कार्यालय आ दोसर कार्यालय सान्टा मोनिका, क्यालिफोर्नियामे रहल एक सामाजिक सञ्जाल सेवा छल जे अप्पन प्रयोगकर्तासभकेँ छोट ठोर समक्रमण कएल श्रव्य दृश्यसभ सृजना आ साझा करवाक अनुमति दैत छल।[][]एकर पहिल परीक्षण संस्करण अप्रैल २०१४ मे जारी कएल गेल छल तँ एकर आधिकारिक संस्करणक सुरुवात ओहि वर्षक अगस्त महिनासँ सुरू कएल गेल छल। ई एकटा एहन सेवा छल जे एकर प्रयोगकर्ताकेँ भिन्न भिन्न श्रव्यमे ठोर समक्रमण करैत अभिव्यक्ति दऽ अप्पन श्रव्य दृश्य निर्माण करवाक सुविधा दैत छल आ ओ श्रव्य दृश्यसभ १५ सेकेन्डसँ १ मिनेटधरि होएत छल। एहिमे द्रूत, देरी जका भिन्न भिन्न गति विकल्प आ अनेक चुनाव प्रभावसभ उपलब्ध छल। एकर आधिकारिक अनुप्रयोग प्रयोगकर्तासभकेँ लोकप्रिय "प्रयोगकर्ता", सामग्री, उच्च प्रदर्शित श्रव्य, ध्वनि आ ह्यासट्यागसभ खोलऽलेल आ ओकरसभक अनुयायीसभसँ अद्वितीय रूपमे अन्तरक्रिया करवाक अनुमति सेहो देनए छल।[]

सन् २०१५ मे एकर दर्ता भेल प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या कुल १ करोड रहल छल[] आ एक वर्ष पश्चात् या जुन २०१६ मे, म्युजिकल्लीक दर्ता भेल प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या ९ करोडसँ बेसी पहुँचि गेल छल।[] सन् २०१७ मई महिनाक अन्त्य दिस, अनुप्रयोगमे प्रयोगकर्तासभक सङ्ख्या २० करोडसँ बेसी पहुँचि गेल छल।[]

टिकटकक निर्माता बाइटडान्स (अनुवादित नाम) लिमिटेड नामक एक चिनियाँ कम्पनीद्वारा ९ नवम्बर २०१७ मे म्युजिकल्ली निगमकेँ अधिग्रहण करि लेनए छल एकरा २ अगस्त २०१८ मे टिकटकमे समायोजन कएल गेल छल।[]

स्थापना

[सम्पादन करी]

म्युजिकल्लीक स्थापना अति घनिष्ठ दू मित्र एलेक्स झु आ लुयु याङद्वारा चीनक सङ्घाईमे कएल गेल छल।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. "Musical.ly CEO阳陆育:C轮前投资方全部退出", www.yicai.com, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 
  2. "短视频进入“抖”时代:Muse/抖音/晃咖...为何越抖越受欢迎?", PingWest 品玩, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 
  3. Фролов, Андрей (२०१८-०८-०२), "Владельцы караоке-приложения Musical.ly закрыли проект и перевели пользователей в похожий сервис — Соцсети на vc.ru", vc.ru, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 
  4. "Musical.ly Signs Its First Major Label Deal with Warner Music", Billboard, २०१६-०६-२९, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० [permanent dead link]
  5. "Musical.ly, Apple Music Ink New Partnership, With More to Come", Billboard, २०१७-०४-२८, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 
  6. "‘स्टार’ हुन मन छ ? चलाउनुस् म्युजिकल्ली !", Lokpath (नेपालीमे), २०१८-०५-३०, अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 
  7. Kundu, Kishalaya (२०१८-०८-०२), "Musical.ly App To Be Shut Down, Users Will Be Migrated to TikTok", Beebom (अङ्ग्रेजीमे), अन्तिम पहुँच २०२०-०५-२० 

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]