राइट बन्धु
अरविल राइट | |
|---|---|
१९०३ मे लेल गेल चित्र | |
| जन्म | अगस्त १९, १८७१ |
| मृत्यु | जनवरी ३०, १९४८ (७६ वर्ष) |
| व्यवसाय | प्रकाशक, बाइसिकल विक्रेता/निर्माता, हवाईजहाज आविष्कारक/निर्माता, पायलट प्रशिक्षक |
| जीवनसाथी(सभ) | कोई नै |
| हस्ताक्षर | |
विलबर राइट | |
|---|---|
१९०३ मे लेल गेल चित्र | |
| जन्म | अप्रैल १६, १८६७ |
| मृत्यु | मई ३०, १९१२ (४५ वर्ष) |
| व्यवसाय | प्रकाशक, बाइसिकल विक्रेता/निर्माता, हवाईजहाज आविष्कारक/निर्माता, पायलट प्रशिक्षक |
| जीवनसाथी(सभ) | कोई नै |
| हस्ताक्षर | |
राइट बन्धु (अङ्ग्रेजी: Wright Brothers), अरविल (अङ्ग्रेजी: Orville, १९ अगस्त, १८७१ – ३० जनवरी १९४८) आ विलबर (अङ्ग्रेजी: Wilbur, १६ अप्रैल, १८६७ – ३० मई, १९१२), दुई अमेरिकी बन्धु छल जकरा हवाई जहाजक आविष्कारक मानल जाइत अछि ।[१][२][३] ई दुनू लोकनि १७ दिसम्बर १९०३के संसारक सबसँ पहिल सफल मानवीय हवाई उड़ान भरलक् जाहिमे हवासँ भारी विमानके नियन्त्रित रूपसँ निर्धारित समयधरि सञ्चालित कएल गेल । एकर बाद दुई वर्षक समयमे अनेक प्रयोगसभक बाद ई दुनू कियों विश्वक प्रथम उपयोगी दृढ़-पक्षी विमान तैयार केलक । ई प्रायोगिक विमान बनाबै आ उड़ाबै वाला पहिल आविष्कारक तँ नै छल, मुदा ई हवाई जहाजके नियन्त्रित करैक जे विधिसभ खोजलक, ओ बिना आजुक वायुयान सम्भव नै छल ।[४]
ई आविष्कारक लेल आवश्यक यान्त्रिक कौशल हिनका कयन वर्षधरि प्रिन्टिङ प्रेस, बाइसाइकल,[५] मोटर आ अन्य कयन मसिनक साथ काम करैत करैत मिलल । बाइसाइकलक साथ काम करैत करैत ई दुनूके विश्वास भ गेल कि वायुयान जका असन्तुलित वाहनके सेहो अभ्यासक साथ सन्तुलित आ नियन्त्रित कएल जा सकैत अछि ।[६] सन् १९००सँ सन् १९०३ धरि ई दुनू ग्लाइडरसभ पर बहुत प्रयोग केलक जाहिसँ हिनकर पायलट कौशल विकसित भेल ।
चित्र दीर्घा
[सम्पादन करी]- राइट बन्धुक पहिल उड़ान
- अरविल
- विलबर
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "स्मिथसोनियन संस्थान, "द राइट ब्रदर्स एण्ड द इन्वेन्शन अफ द एरियल एज"", मूलसँ २०१५-०८-१३ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०१७-०२-१६।
|dead-url=प्यारामिटर ग्रहण नहि कएल (सहायता) - ↑ मेरी एन जनसन। अन द एविएशन ट्रेल इन द राइट ब्रदर्स; वेस्ट साइड नेबरहुड इन डेयटन, ओहियो राइट स्टेट युनिवर्सिटी, २००१
- ↑ "फ्लाइङ थ्रु द एजेज" बीबीसी न्यूज, मार्च १९, १९९९। अभिगमन तिथि: १७ जुलाई २००९
- ↑ "Telegram from Orville Wright in Kitty Hawk, North Carolina, to His Father Announcing Four Successful Flights, 1903 दिसम्बर 17", World Digital Library, १९०३-१२-१७, अन्तिम पहुँच २०१३-०७-२२।
- ↑ "Wilbur Wright Working in the Bicycle Shop", World Digital Library, १८९७, अन्तिम पहुँच २०१३-०७-२२।
- ↑ क्राउश २००३, पृ. १६९