सामग्री पर जाएँ

रिक्लेम द नाइट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महिलासभक मार्च नवम्बर २०१४ सेन्ट्रल लन्डनमे भेल।


रिक्लेम द नाइट (Reclaim the Night) आन्दोलन १९७७ मे लीड्स इङ्ल्यान्ड सँ महिला मुक्ति आन्दोलनक हिस्सा रूपेँ आरम्भ भेल। एहि आन्दोलन अन्तर्गत महिलासभक माग रहल जे ओ रातिक समयमा सेहो सार्वजनिक स्थलसभमे स्वतन्त्र रूप सँ गमन-आगमन कऽ सकथि। १९७० दशकक अन्त सँ १९९० दशक धरि इङ्ल्यान्ड भरिमे एहि तरहक मार्च होइत रहल। पछिला कालमे एहि सङ्गठन के पुनर्जीवित कएल गेल आ एखन ई प्रतिवर्ष राष्ट्रीय स्तरपर बलात्कार आ महिलाक विरुद्ध हिन्साक विरोधमे मार्च आयोजित करैत अछि।

रि-क्लेम द नाइट मार्चसभ इङ्ल्यान्डमे महिला मुक्ति आन्दोलनक हिस्सा छल।[] ई प्रेरणा अमेरिका मे ७० दशक भरि भेल मार्चसभ सँ भेटल, जखन १९७५ मे फिलाडेल्फियामे सुसान ‘सू’ अलेक्जेन्डर स्पीथ कार्यस्थल स घर अबैत समय हत्या कएल गेल छल, अथवा १९७८ मे सान फ्रान्सिस्कोमे, जतए कट्टरपन्थी नारीवादी समूह अश्लीलता एवम मीडिया मे हिन्सा क विरुद्ध महिला द्वारा आयोजित सम्मेलनक पश्चात् मार्च भेल। [][][]

अन्तर्राष्ट्रिय आन्दोलन

[सम्पादन करी]

अस्ट्रेलिया

[सम्पादन करी]

१९७८ मे पहिल बेर अस्ट्रेलियामे रि-क्लेम द नाइट मार्च भेल, जे पर्थ आ सिडनीमे आयोजित कएल गेल, आ १९७९ मे मेलबोर्नमे सेहो आयोजित भेल।

“टेक बैक द नाइट” करबाक उद्देश्य स कार्यक्रम भारतमे आयोजित भेल, जे २०१२ दिल्ली सामूहिक बलात्कार आ हत्याक प्रतिक्रियामे भेल।[] २०१७ मे, भारतक बीस टा शहरऽ के महिलासभ नव वर्ष पूर्वसन्ध्याकाल बेंगलोरमे भेल सामूहिक छेडछाडक विरोधमे मार्च कएल।[] 2024 मे, हजारौ महिला आ पुरुष पश्चिम बङ्गालमे “मेयरा रात दखल करो” नामक (जे रि-क्लेम द नाइटक बङ्गाली अनुवाद अछि) कई कार्यक्रमसभमे 2024 कोलकाता बलात्कार आ हत्या घटनाक विरोधमे मार्च कएल।[][][]

स्लोभेनिया

[सम्पादन करी]
Noč je naša/रि-क्लेम द नाइट प्रदर्शन

२४ नवम्बर २०१७ कऽ ल्युब्लियानामे रि-क्लेम द नाइट प्रदर्शन आयोजित भेल।[१०]

संयुक्त राज्य अमेरिका

[सम्पादन करी]

१९७८ मे, अमेरिका मे पहिल बेर रि-क्लेम द नाइट मार्च आयोजित भेल। ५० टा राज्य सँ आबि ५,००० महिला सभ सान फ्रान्सिस्कोक रेड लाइट इलाकामे मार्च कएल।

एहो सभ देखी

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Jolly, Margaretta (२० अक्टुबर २०१४), "[ ARTICLE WITHDRAWN ] 'The Feelings Behind the Slogans': Abortion Campaigning and Feminist Mood-Work circa 1979", New Formations 82 (82): 100–113, डिओआई:10.3898/NEWF.82.06.2014 
  2. "टेक बैक द नाइट – इतिहास", मूलसँ १७ अगस्त २०२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच फरबरी २६, २०२४ 
  3. "डब्लू फिला "टेक बैक द नाइट" के लेल तैयार।", The Philadelphia Inquirer, अक्टुबर २५, १९७५, मूलसँ २६ फरबरी २०२४ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच १९ अगस्त २०२४ 
  4. "भरि राति नाचैत, मार्च नहि: रिक्लेम द नाइट मिथक खंडन", The Sydney Morning Herald, अक्टुबर १९, २०१३, मूलसँ फरबरी २६, २०२४ मे सङ्ग्रहित। 
  5. Arora, Kim (२०१३-०२-०५), "Singers: Bus gigs seek to reclaim the night Delhi News – Times of India", The Times of India (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ २५ मई २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२१-०५-२५ 
  6. Bhalla, Nita (२०१७-०१-२०), "Indian women take to the streets to "reclaim the night" after mass molestation", Reuters (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ २४ मई २०२२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२१-०३-१५ 
  7. Biswas, Soutik (१४ अगस्त २०२४), "Rape and murder of doctor in hospital sparks protests in India", BBC (en-GBमे), अन्तिम पहुँच १७ अगस्त २०२४ 
  8. "Il caso di una tirocinante medica stuprata e uccisa in ospedale che sta causando grosse proteste in India", Il Post (इटालेलीमे), १५ अगस्त २०२४, अन्तिम पहुँच १७ अगस्त २०२४ 
  9. "Lights out: Kolkata on streets with 'reclaim the night' campaign to protest over doctor rape-murder", The Times of India, ४ सितम्बर २०२४। 
  10. zenskasoba (२०१७-११-२०), "'Noč je naša' – Reclaim the Night", Sigurno mjesto (hrमे), मूलसँ २६ सितम्बर २०२१ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२१-०३-१५ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]