रोल्वालिङ हिमाल
| रोल्वालिङ् भ्याली. | |
|---|---|
| Rolwaling Valley | |
गौरीशंकर (बाँया) आ मेलुङ्त्से (दाहिना) | |
| उच्चतम विन्दु | |
| चोटी | मेलुङ्छे |
| अवनति | ७१८१ मी (२३,५६० फिट) |
| निर्देशाङ्क | २७°५८′२१″उ॰ ८६°२५′५४″पू॰ / २७.९७२५०°N ८६.४३१६७°E [१] |
| भूगोल | |
| देश |
|
| माता शृङ्खला | हिमालय |
रोल्वालिङ भ्याली (अङ्ग्रेजी: Rolwaling Valley), जे एकटा (गौरीशंकर) ग्रामिण नगरपालिका क रूपमे सेहो जानल जाएत अछि, पूर्व–मध्य नेपालमे हिमालयक एकटा भाग छी, जे तिब्बत सिमाक संग अवस्थित अछि। रोल्वालिङ हिमाल क्षेत्रमे मेलुङ्त्से (७१८१ मि) आ मेलुङ्त्से II (७०२३ मि) जे तिब्बत भीतर अछि, आ गौरीशंकर (७१३४ मि) जे नेपाल सिमामे पड़ैत अछि, ओ सभ शामिल अछि। एकरा संग ६००० मिटर सँ बेसी उचाइ बला लगभग ५० टा आरो शिखर एह क्षेत्रमे फैलल अछि। ई क्षेत्र नाङ्गपा ला दर्रे सँ, जतए महालङ्गुर हिमश्रृङ्खला खण्ड शुरू होइत अछि, दक्षिण–पश्चिम दिसामे तामाकोसी नदी धरि विस्तारित अछि। तामाकोसी नदी पार उत्तर–पश्चिम दिशामे लाबुचे हिमाल खण्ड अवस्थित अछि।
रोल्वालिङ हिमाल क दक्षिण दिशामे रोल्वालिङ भ्याली अछि, जतए किछु छोट–छोट शेरपा गाम बसल अछि, जाहिमे तासी नाम, सिमीगाउँ आ बेदिङ मुख्य अछि। एहि क्षेत्रक सबसँ पैघ बस्ती तासी नाम छी।
काठमाण्डू सँ पाँच–छह दिनमे नाम्चे बजार पहुँचल जा सकैत अछि, आ लगभग १० दिनमे माउन्ट एभरेस्ट बेस क्याम्प धरि पुगल जा सकैत अछि, जे तासिलाप्चा दर्रा (५७५५ मि) पार कए जाल जाएत अछि। आगन्तुकसभ तासिलाप्चा पार कए एभरेस्ट बेस क्याम्प जा सकैत छथि, अथवा काठमाडौँ सँ लुक्ला तक उडान भरिकए, किंवा खारिखोला सँ पैदल यात्रा शुरू कए सकैत छथि।[२]
एहो सभ देखी
[सम्पादन करी]सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ "High Asia II: Himalaya of Nepal, Bhutan, Sikkim and adjoining region of Tibet", peaklist.org, अन्तिम पहुँच १६ नवम्बर २०१४।
- ↑ "रोल्वालिङमे तासी लाप्चा पास", dreamersdestination.com, अन्तिम पहुँच ८ सितम्बर २०२४।