लक्ष्मी गिरी
लक्ष्मी गिरी | |
|---|---|
| जन्म | लक्ष्मी पौडेल १९ जनवरी १९५५ देवपाटन, काठमाडौँ |
| राष्ट्रियता | नेपाली |
| व्यवसाय | अभिनेत्री |
| जीवनसाथी(सभ) | रत्नकुमार गिरी |
लक्ष्मी गिरी एक नेपाली अभिनेत्री छी। ओ नेपाली, भोजपुरी, मैथिली आ नेपाल भाषाक चलचित्रसभमे अभिनय केनिहार पहिल नेपाली महिला कलाकार छी। लक्ष्मी एक सौ सँ बेसी चलचित्र आ ३७२ टा टेलिश्रृङ्खलामे अभिनय करि चुकल अछि।
कलाकारिता छोड़ि ओ वि.सं. २०२८ सँ वि.सं. २०५१ सालधरि नेपाल राष्ट्र बैंकमे काज करि बितौने छल। बैङ्कक सहायक पदमे कार्यरत रहैत काल वि.सं. २०३८ सालमे बैङ्कक रजत जयन्ती केर अवसरमे प्रदर्शित नाटकमे उत्कृष्ट अभिनय केलाक कारण हुनका दू ग्रेड वृद्धि कएल गेल छल। वि.सं. २०४२ सालमे नेपाल टेलिभिजनक औपचारिक प्रसारण सुरु भेलाक बाद ओ निरन्तर एनटिभीमे अभिनय केनिहार महिला कलाकार ओएह टा अछि। हुनकर पहिल टेलिश्रृङ्खला 'अप्रैल फर्स्ट' छी। ओ साहित्यमे सेहो रुचि रखैत अछि।[१]
जीवनी
[सम्पादन करी]लक्ष्मी केर जन्म सन् १९५५ जनवरी ०९ केर काठमाडौँक पशुपति क्षेत्र, देवपत्तनमे भेल छल। हुनकर पिता मुक्तिनाथ पौडेल आ माता उजेली अधिकारी छी। ओ अप्पन माएपिताक एकेगो सन्तान छी।
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ लक्ष्मी गिरी सानो छँदा सङ्ग्रहित २०१६-०३-१६ वेब्याक मेसिन, कान्तिपुर.