सामग्री पर जाएँ

वधू दहन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

वधू दहन भारतीय उपमहाद्वीप आ ओकर नजदिकी क्षेत्रसभमे प्रचलित यातना हत्याक एक रूप छी। ई दहेजक कारण मृत्युक एक रूप छी। ई कुप्रथामे जखन कोनो महिला अप्पन पति वा ओकर परिवारकेँ आओरो बेसी दहेज देबऽसँ अस्वीकार करि दैत अछि तहन ओ महिलाकेँ हत्या कएल जाइत अछि। पत्नीकेँ सामान्यतया मट्टितेल, पेट्रोल, वा अन्य कोनो ज्वलनशील तरल पदार्थ छिट आ आगि लगाए देल जाइत अछि, जकर कारण ओकर जलि केर मृत्यु भऽ जाइत अछि।[][] मट्टितेल प्रायः छोट चुल्हाक लेल खाना पकेबाक इन्धनक रूपमे प्रयोग कएल जाइत अछि, जहिमे किछ खतरनाक होइत अछि, तहि कारण ई अपराध दुर्घटना सेहो भऽ सकैत अछि कहिँ दाबीकेँ अनुमति दैत अछि। ई भारतमे बहुत बेसी सामान्य अछि आ कमसेकम सन् १९९३ सँ ओतय एक प्रमुख समस्याक रूपमे रहल अछि।[]

सन् २००४ मे, भारतमे वधू दहनकेँ एक महत्त्वपूर्ण समस्याक रूपमे मान्यता देल गेल छल।[] सन् १९९५ मे, टाइम पत्रिकाद्वारा भारतमे दहेजक कारण मृत्यु सन् १९८० केर दशकक सुरुवातमे प्रति वर्ष लगभग ४०० सँ बढ़ि सन् १९९० केर दशकक मध्यमे प्रति वर्ष लगभग ५,८०० पहुँचि गेल जनेनाए छल।[] भारतीय राष्ट्रिय अपराध रेकर्ड ब्युरो अनुसार, सन् २००८ मे दहेजक कारण मृत्यु केर घटनासभमे १,९४८ दोषी ठहर आ ३,८७६ निर्दोष मुक्त भेल छल।[]

दहेजक कारण मृत्यु

[सम्पादन करी]

दहेजक कारण मृत्यु दक्षिण एसियाक देशसभ, विशेष करि भारतमे युवती केर मृत्यु छी जकर पति ओकर हत्या करि दैत अछि वा आत्महत्या करवाक लेल विवश करि दैत अछि। ई पति वा ओकर परिवारद्वारा दुलही वा ओकर परिवारसँ आओर बेसी दहेज उठेबाक निरन्तर प्रयास करैत खन होइत अछि। दुलहीकेँ जलेनाए दहेजक कारण मृत्यु केर एक रूप मात्र छी। तेजाब आक्रमण, विषाक्तता आ अन्य प्रकारक घातक हिंसासभ सेहो एकरासँ सम्बन्धित अछि। दहेज सामान्यतया वर्ग वा सामाजिक आर्थिक स्थितिमे निर्भर होइत अछि।[]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Ash, Lucy (१६ जुलाई २००३), "India's dowry deaths", BBC, अन्तिम पहुँच ३० जुलाई २००७ 
  2. २.० २.१ Lakhani, Avnita (२००५), "Bride-burning: the "elephant in the room" is out of control", Pepperdine Dispute Resolution Law Journal 5 (2): 249–298।  pdf.
  3. "Brideburning claims hundreds in India – CNN", Articles.cnn.com, १८ अगस्त १९९६, मूलसँ २६ मार्च २०१२ मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २८ जनवरी २०१२ 
  4. Kumar, Virendra; Kanth, Sarita (दिसम्बर २००४), "Bride burning", The Lancet 364 (special issue): 18–19, डिओआई:10.1016/S0140-6736(04)17625-3, पिएमआइडी 15967137 
  5. Pratap, Anita (११ सितम्बर १९९५), "Killed by greed and oppression", Time 146 (11)। 
  6. Disposal of Cases by Courts. National Crime Records Bureau, India. 16 January 2010. http://ncrb.nic.in/CII2008/cii-2008/Table%204.9.pdf. अन्तिम पहुँच तिथि: 17 January 2011. 

बाह्य जड़ीसभ

[सम्पादन करी]

आकृति:महिला विरुद्धक हिंसा आकृति:घरेलु हिंसा