विकिपिडिया:परिचय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

विकिपीडिया एकटा मुक्त ज्ञानकोष अछि जे दुनियाभरिक योगदानकर्ता द्वारा लिखल जा रहल अछि । ई एकटा विकि अछि जकर अर्थ अछि कि क्यो - कोनो लेखकेँ एहि पृष्ठकेँ बदलू लिंककेँ क्लिक कए बदलि सकैत अछि । एहि पृष्ठकेँ बदलें लिंक सुरक्षित पन्ना केँ छोड़ि सर्वत्र अछि ।

ई प्रोजेक्ट 15 जनवरी, 2001 केँ अंग्रेज़ी मे शुरु भेल आ'अंग्रेरेज़ी विकिपीडियामे चवालिस लाखसँ बेशी लेखपर कार्य भय रहल अछि । जखन कि मैथिलीमे मैथिली विकिपीडियाक प्रारम्भ जनवरी २००८ मे भेल ढेर-रास १४,१०३ लेखपर कार्य कएल जा रहल अछि । अन्य भाषां केँ मिलाय १ करोड सँ बेशी लेख पर कार्य भय रहल अछि । अंग्रेज़ी विकिपीडियामे प्रति दिन भरि दुनिया सँ शत-सहस्र योगदानकर्त्ता हजार-हजारक संख्यामे परिवरत्तन कए रहल छथि आ' बहुत रास नव लेख बनि रहल अछि । ई मैथिली म सेहो भ सकैत अछि, मात्र एकटा आरम्भक आवश्यकता अछि । मैथिली विकिपीडीया अथि इन्कूबेटर यानि कि परीक्षणमे रहल अइछ। एहि विकीमे नियमित योगदान करत रहल मैथिलीभाषी योगदाताक सकृय सहभागिता बनकर एकर इन्कुबेटरसँ बाहर निकाल सकत अइछ।