सामग्री पर जाएँ

विकिपिडिया:महिला स्वास्थ्य सम्पादनथन २०२५

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
महिला स्वास्थ्य सम्पादनथन २०२५ मैथिली विकिपिडियामे महिला स्वास्थ्य सम्बन्धी तथा स्वास्थ्य क्षेत्रमे उल्लेखनीय काज केनिहार महिलासभक आत्मकथा, जीवनी निर्माण केनाए आ विकिपिडियामे समानता लाबनाए छी। अपनासभ प्रतिदिन अप्पन व्यक्तिगत जीवनमे देखैत छी कि महिलासभ अपन आवश्यकतासभ आ स्वास्थ्य सम्बन्धी चिन्तासभकें नजर अन्दाज करि दैत अछि आ प्रतिदिन परिवारक लेल मात्र अपन जीवन निर्वाह करैत अछि। तहि लेल मैथिली भाषाक विकिपिडिया पर महिला स्वास्थ्यसम्बन्धी लेख वृद्धि केनाए आवश्यक अछि। १५ अगस्तसँ ३१ अगस्त, २०२५ धरि ई सम्पादन अभियान आयोजित कएल जा रहल अछि जहिमे विकिपिडियामे अधिकसँ अधिक उच्च गुणवत्ता केर लेख बनाए सकी।

ई प्रतियोगिताक विषयवस्तु महिला स्वास्थ्य सम्बन्धी लेख लिखनाए आ स्वास्थ्य क्षेत्रमे उल्लेखनीय काज केनिहार उल्लेखनीय महिलासभ जकर एहि विकिपिडियामे लेख नै निर्माण कएल गेल अछि, ओकर सभक लेख निर्माण करवाक उद्देश्य लऽ एहि वर्ष ई प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल अछि।

प्रतिभागी बनी


प्रतियोगिता सम्बन्धी जानकारी

  • आरम्भ तिथि- १५ अगस्त, २०२५
  • समाप्ति तिथि- ३१ अगस्त, २०२५

नियम

  • नवनिर्मित लेख जानकारीमूलक होवाक चाही।
  • निर्मित कएल लेखमे सन्दर्भ सामग्री, बाह्य जड़ीसभ, श्रेणीयुक्त होवाक चाही।
  • यान्त्रिक अनुवाद नई होवाक चाही।
  • १५ अगस्तसँ ३१ अगस्तधरि लेख निर्माण कएल जेवाक चाही।
  • सूचीमे उल्लेखित महिला स्वास्थ्य सम्बन्धी लेख निर्माण कएल होवाक चाही।
  • विकिपिडियाक नीति निर्देशनक आधारमे लेख निर्माण होवाक चाही।

प्रतियोगिता सम्पर्क व्यक्ति

आयोजक