विकिपिडिया:मुख्य लेख/२०१४

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
मुख्य लेख
ई मासक प्रमुख लेख (जुलाई, २०१९)
Cscr-featured.svg

मैथिली विकिपिडियाक सम्मुख पन्नामे प्रदर्शित होमएवाला मुख्य लेखकें मासिक रुप सँ स्तरीय लेखसभ सँ परिवर्तन करवाक व्यवस्था कएल गेल अछि । मैथिली विकिपिडियामे एखन धरि १३,३८५ लेखसभ अछि जहिमे ४४ लेखसभ मुख्य लेखक लेल चुनल जा चुकल अछि । कोनो भी लेख मुख्य लेखक लेल चुनल जेवाक लेल स्तरीय होनाए अनिवार्य अछि जकर लेल किछ मापदण्डसभ तय कएल गेल अछि । यदि अहाँक मुख्य लेखमे कोनो समस्या बुझबैत अछि या अहाँ कोनो समस्या देख रहल छी तँ कृपया ई पृष्ठक वार्तालापमे सन्देश देबऽ कऽ लेल अनुरोध करैत छी ।

लेखके उपर दहिना दिस पियर ताराक चिन्ह ओ मुख्य लेख छी से जनबैत अछि ।

दरवार साहिब

श्री हरिमन्दिर साहिब (पञ्जाबी भाषा: ਹਰਿਮੰਦਰ ਸਾਹਿਬ; हरिमन्दर साहिब, हरमन्दिर साहिब), जेकरा दरबार साहिब या स्वर्ण मन्दिर सेहो कहल जाएत अछि सिख धर्मावलम्बिसभक पावनतम धार्मिक स्थल या सबसँ प्रमुख गुरुद्वारा छी । ई भारतक राज्य पञ्जाबक अमृतसर सहरमे स्थित अछि आर एतय के सबसँ बडका आकर्षण छी ।

पुरा अमृतसर सहर स्वर्ण मन्दिरक चारो दिस बसल अछि । स्वर्ण मन्दिरमे प्रतिदिन हजारो श्रद्धालु आर पर्यटक आबैत अछि । अमृतसरक नाम वास्तवमे ओ सरोवरक नाम पर रखाल गेल अछि जेकर निर्माण गुरु राम दास स्वयम अपन हाथ सँ केने छल । ई गुरुद्वारा एहि सरोवरक बिचोबिच स्थित अछि । एहि गुरुद्वारेक बाहरी हिस्सा सोनाक बनल अछि, एहि लेल एकरा स्वर्ण मन्दिर आ गोल्डन टेम्पलक नाम सँ सेहो जानल जाएत अछि । श्री हरिमन्दिर साहिबक दरबार साहिब क नाम सँ सेहो ख्याति हासिल अछि । ओना त ई सिखक गुरुद्वारा छी, मुदा एकर नाममे मन्दिर शब्दक जोडनाए ई स्पष्ट करैत अछि की भारतमे सब धर्मक एक समान मानल जाएत अछि । (पूरा लेख...)






दिसम्बर, २०१४ क मुख्य लेख

विद्यापति

विद्यापति (जन्म:१३५२-१४४८) मैथिली साहित्यके आदि कवि अछि । विद्यापतिक जन्म १३५२ ई.क लगातिमे बिस्फी गाममे भेलन्हि । हिनकर परवर्ती सभ आइ-काल्हि सौराठ गाममे रहैत छथि। एकर प्रमाण निम्न गप सभसँ लगैत अछि। १३९४-९६ क बीच कएल पदक समर्पण गियासौद्दीन आजमशाह आ नसरत शाहकेँ कएल गेल अछि। देव सिंहक आदेश सँ १४०० ई.क लगातिमे ई “भू-परिक्रमा लिखलन्हि। १४०२-०४ क बीच कीर्तिलताक रचना कीर्ति सिंहक राज्यकालमे कएलन्हि। १४०९-१४१५ ई.क बीच कीर्तिपताकाक रचना। पूर्वार्ध १४०९ क लगातिमे मे - हरि केलि अर्जुन सिंहक कीर्तिगाथासँ सम्बन्धित अछि आ उत्तरार्ध १४१५ क लगातिमे शिवसिंहक युद्ध आ तिरोधानसँ सम्बद्ध अछि। (पूरा लेख...)