विकिपिडिया:विकिपिडिया एसियाली महिना २०१६/प्रश्नउत्तर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

पोस्टकार्ड सम्बन्धी[सम्पादन करी]

  • प्र: एकटा प्रयोगकर्ताकेँ कतेक पोस्टकार्ड प्राप्त भऽ सकैत अछि?
ज: विकिपिडियाक नियम अनुसार आवश्यकता पुरा केनिहार प्रयोगकर्ताकेँ एकटा पोस्टकार्ड प्राप्त होएत । यदि एकटा प्रयोगकर्ताद्वारा ई कार्यक्रमकेँ दू टा भाषासभमे भाग लैत अछि आ दुनूकेँ आवश्यकता पुरा करैत अछि तँ दू टा पोस्टकार्ड प्राप्त होएत । स्थानीय आयोजकसभकेँ एकटा पोस्टकार्ड प्राप्त होएत ।
  • प्र: एकर अर्थ, यदि हमरद्वारा एकटा विकिपिडियामे दश टा लेख निर्माण होएत तँ दू टा पोस्टकार्ड प्राप्त होएत?
ज: जी नई, आवश्यकता पूरा होबाक लेल न्यूनतम लेख सङ्ख्या ४ होबाक चाही ।
  • प्र: हम कूल कतेक पोस्टकार्ड प्राप्त करि सकैत छी?
ज: सात टा धरि
  • प्र: हमरा कोन देशक पोस्टकार्ड प्राप्त होएत?
ज: कोन प्रयोगकर्ताकेँ कोन देशक पोस्टकार्ड प्राप्त होएत से पोस्टकार्ड वितरण होमएसँ पहिने जानकारी नई भऽ सकैत अछि ।

विकिपिडिया एसियाली राजदुत सम्बन्धी[सम्पादन करी]

  • प्रः हम एकटासँ बेसी विकिपिडियामे सभसँ बेसी लेख तैआर करब, तँ हमरा एकटासँ बेसी विकिपिडियामे "राजदूत"कऽ सम्मान प्राप्त होएत?
जः अपने द्वारा योगदान कएल गेल प्रत्येक विकिपिडियामे अपनेक सम्मान प्राप्त होएत मुदा अपने द्वारा कम योगदान कएल गेल विकिपिडियामे दोसर व्यक्तिकेँ सेहो "विकिपिडिया एसियाली राजदूत"क रूपमे सम्मान कएल जाएत ।
  • प्रः "विकिपिडिया एसियाली राजदूत"क रूपमे सम्मान भेलाक पश्चात हमरा कि प्राप्त होएत?
जः अपनेक अतिरिक्त पोस्टकार्ड आ डिजिटल प्रमाणपत्र प्राप्त होएत । ई प्रमाणपत्र कागजी दस्तावेज होएत आ हमसभ स्कयान करि अपने धरि पठाएब ।
  • प्रः कोनो एकटा विकिपिडियामे दू टा या दू टा सँ बेसी सहभागीद्वारा बेसी लेखक योगदान कएला पर कि कएल जाएत?
जः एकटा भाषाक विकिपिडियामे एक व्यक्ति मात्र राजदुत होमएक प्रावधान भेलाक कारण योगदान कएल गेल लेखकेँ बाइट पुनः गणना कएल जाएत ।

नियमसभ सम्बन्धी[सम्पादन करी]