विकिपिडिया:विकी महिला सम्पादनथन २०२५
दिखावट
विकी महिला सम्पादनथन वार्षिक रूपसँ मार्च महिनामे मैथिली विकिपिडियामे आयोजना कएल जाएत अछि। ई सम्पादनथन प्रतियोगिताक मूल उद्देश्य उल्लेखनीय महिलासभक आत्मकथा, जीवनी निर्माण केनाए आ विकिपिडियामे समानता लाबनाए छी। एहि वर्ष ई प्रतियोगिताक विषयवस्तु नेपालक उल्लेखनीय ५० महिला रहल अछि। खेलकूद, राजनीति, समाजसेवा, व्यापार, अर्थतन्त्र, कला, सङ्गीत तथा मनोरञ्जन जका क्षेत्रमे उल्लेखनीय काज कएनिहार उल्लेखनीय नेपाली महिलासभ जकर एहि विकिपिडियामे लेख नै निर्माण कएल गेल अछि, ओकर सभक लेख निर्माण करवाक उद्देश्य लऽ एहि वर्ष ई प्रतियोगिताक आयोजन कएल गेल अछि।
प्रतियोगिता सम्बन्धी जानकारी
- आरम्भ तिथि- ०२ मार्च, २०२५
- समाप्ति तिथि- ३१ मार्च, २०२५
नियम
- नवनिर्मित लेख जानकारीमूलक होवाक चाही।
- निर्मित कएल लेखमे सन्दर्भ सामग्री, बाह्य जड़ीसभ, श्रेणीयुक्त होवाक चाही।
- यान्त्रिक अनुवाद नई होवाक चाही।
- ०२ मार्च सँ ३१ मार्च धरि लेख निर्माण कएल जेवाक चाही।
- सूचीमे उल्लेखित महिलासभक लेख निर्माण कएल होवाक चाही।
- विकिपिडियाक नीति निर्देशनक आधारमे लेख निर्माण होवाक चाही।