विजय देवरकोन्डा
विजय देवरकोन्डा Vijay Deverakonda | |
---|---|
जन्म | [१] | ९ मई १९८९
व्यवसाय | चलचित्र अभिनेता |
सक्रिय वर्ष | २०११ - वर्तमान |
विजय देवरकोन्डा एक भारतीय चलचित्र अभिनेता छी जे तेलुगु भाषाक चलचित्रसभमे अपन काजक लेल परिचित अछि ।[२] विजय २०११ मे रवि बाबूक प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य नुव्विला (२०११) सँ अपन चलचित्र डेब्यू केलक, मुदा ओ आवै वाला युगल नाट्य येवडे सुब्रमण्यम (२०१५) मे अपन सहायक भूमिकासँ पहिचान प्राप्त केलक । २०१६ क प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य पेली चोपुलुमे मुख्य भूमिका खेलैक बाद विजय स्टारडम प्राप्त केलक, जे तेलुगुमे सर्वश्रेष्ठ फिचर चलचित्रक लेल राष्ट्रिय चलचित्र पुरस्कार आ सर्वश्रेष्ठ चलचित्रक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार - तेलगु जीतल ।
ओकर बाद, विजय अर्जुन रेड्डी (२०१७), महानति (२०१८), गीता गोविन्दम (२०१८), ट्याक्सीवाला (२०१८) आ डियर कमरेड (२०१९) जेना महत्वपूर्ण आ व्यावसायिक सफलतासभमे मुख्य भूमिकामे अभिनय करि अपनाआपकें तेलुगु सिनेमाक एक अग्रणी अभिनेताक रूपमे स्थापित केनए अछि, जन मध्ये कुछ सर्वाधिक कमाई करैवाला तेलुगु चलचित्रसभक सूचीमे स्थान पाएल अछि । अर्जुन रेड्डीमे हुनकर अभिनय हुनकें बहुत पुरस्कार प्राप्त भेल, जाहिमे सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार - तेलुगु समावेश अछि ।[३][४] २०१९ मे, ओ गीता गोविन्दममे अपन काजक लेल सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक लेल दक्षिण भारतीय अन्तर्राष्ट्रिय चलचित्र क्रिटिक्स पुरस्कार प्राप्त केनए अछि ।[५] फोर्ब्स इन्डिया सेलिब्रिटी १०० सूची २०१८ मे विजयकें ७२ हम स्थानमे राखल गेल छल ।[६]
व्यक्तिगत जीवन
[सम्पादन करी]विजय देवरकोन्डाक जन्म तेलङ्गानाक अचम्पेट, नगरकर्नूल जिल्लामे तेलुगु टेलिभिजन निर्देशक, देवरकोन्डा गोवर्धन राव आ देवरकोन्डा माधवीसँ भेल छल ।
देवरकोन्डा कहैत अछि, हुनकर परिवार हुनकें हर बार राउडी कहै बोलावैत जब ओ कुछ करैत जे ओसभ द्वारा अनुमोदित नै अछि । ओभरटाइम, ओ अपनाआप आ अपन फ्यानसभक लेल ई शब्द प्रयोग करै सुरु केलक ।[७][८]
करियर
[सम्पादन करी]प्रारम्भिक करियर आ संघर्ष (२०११–२०१५)
[सम्पादन करी]देवरकोन्डा २०११ मे रवि बाबुक प्रेमप्रसङ्गयुक्त हास्य नुव्विलामे अभिनय करि चलचित्रक सुरुवात केनए छल, आ सेखर कम्मुलाक लाइफ इज ब्यूटीफुलमे एक छोट क्यामियो भूमिका छल । दुनु चलचित्रसभ अच्छा सफल भेल मुदा देवरकोन्डाकें बढी मान्यता देने असफल भेल ।[९] ओकरबाद, ओ ताहि समयमे एक सहायक निर्देशक, नाग अश्विनसँग परिचित भेल जे बादमे हुनकें अभिनेता नानीसङ्गे २०१५ चलचित्र येवडे सुब्रमण्यमक सहयोगी भूमिकामे कास्ट केलक ।[१०] ई चलचित्र तेलुगु चलचित्र उद्योगमे निर्माता अश्विनी दत्तक बेटीसभ निर्माण केनए अछि । प्रियङ्का दत्त हुनकें समर्थन केलक, आ शुटिंग सुरु भेलाबाद स्वप्ना दत्त हुनकें हुनकर कम्पनीमे हस्ताक्षर केलक ।[११][१२] चलचित्र आलोचनात्मक आ व्यावसायिक सफलता प्राप्त केलक, आ देवरकोन्डा हुनकर चित्रण, उर्जा, आ चलचित्रमे भूमिकाक लेल उच्च प्रशंसा प्राप्त केलक । ई चलचित्र अन्ततः हुनकें तेलगु सिनेमामे बहुत आवश्यक ब्रेक देने छल ।
फिल्मोग्राफी
[सम्पादन करी]चलचित्रसभक प्रदर्शन करैत जे अखन धरि रिलीज नै भेल अछि |
• सब चलचित्रसभ तेलुगु भाषामे अछि, अन्यथा उल्लेख नैभेल धरि
बर्ष | चलचित्र | भूमिका | नोटसभ | सन्दर्भ |
---|---|---|---|---|
२०११ | नुव्विला | विष्णु | चलचित्र डेब्यू | |
२०१२ | लाइफ इज ब्यूटीफुल | अजय | क्यामियो उपस्थिति | |
२०१५ | येवडे सुब्रमण्यम | ऋषि | सहायक भूमिका | |
२०१६ | पेली चोपुलु | प्रशान्त | पहिल नेतृत्व भूमिका | |
२०१७ | द्वारका | एरा श्रीनू / कृष्णानन्द स्वामी | ||
अर्जुन रेड्डी | डा अर्जुन रेड्डी देशमुख | सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक लेल फिल्मफेयर पुरस्कार - तेलुगु | [१३] | |
२०१८ | ये मन्त्रम वेसवे | निखिल "निक्की" | ||
महानति | विजय एन्थोनी | द्विभाषी तमिलमे नदीगैयार थिलागम |
||
गीता गोविन्दम | विजय गोविन्द | |||
नोटा | वरुण सुब्रमण्यम | तमिल चलचित्र, तेलुगुमे डब आ रिलिज भेल | ||
ई नगरानीकि एमैनडी | आशीष | क्यामियो उपस्थिति | ||
ट्याक्सीवाला | शिव | ट्याक्सी चालक | ||
२०१९ | डियर कमरेड | कमरेड चैतन्य कृष्णन (बबी) | तेलगु चलचित्र, कन्नड, मलयालम आ तमिलमे डब | [१४] |
२०२० | वर्ल्ड फेमस लवर | आदित्य नन्दा | छायांकन | [१५] |
पुरस्कार आ नामाङ्कन
[सम्पादन करी]बर्ष | पुरस्कार | वर्ग | चलचित्र | परिणाम |
---|---|---|---|---|
२०१५ | नन्दी पुरस्कार | विशेष जूरी पुरस्कार - तेलगु | येवडे सुब्रमण्यम | विजयी |
२०१७ | फिल्मफेयर पुरस्कार दक्षिण | सर्वश्रेष्ठ अभिनेता - तेलगु | अर्जुन रेड्डी | विजयी |
जी तेलुगु गोल्डन पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ अभिनेताक लेल गोल्डन पुरस्कार | |||
बिहाइन्डवुड्स गोल्ड मेडल | द साउथ इन्डियन सेंसेशन | |||
२०१८ | जी तेलुगु गोल्डन पुरस्कार | फेवरेट अभिनेता | गीता गोविन्दम | विजयी |
२०१९ | श्री कला सुधा तेलुगु एसोसिएशन पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ अभिनेता | विजयी | |
हिन्दुस्तान टाइम्स इन्डियाज मस्ट स्टाइलिश २०१९ पुरस्कार | हटेस्ट स्टाइलिस्टा | सामान्य | विजयी | |
साइमा चलचित्र पुरस्कार | सर्वश्रेष्ठ अभिनेता (क्रिटिक्स) - तेलुगु | गीता गोविन्दम | विजयी | |
सोशल मिडियामे लोकप्रिय सेलिब्रिटी | सामान्य | विजयी |
सन्दर्भ सामग्रीसभ
[सम्पादन करी]- ↑ Shalini J. R. (9 May 2018)। "Vijay Deverakonda celebrates his birth in a unique way"। The Times of India। अन्तिम पहुँच 3 January 2019।
- ↑ "'This film came at the right time'"। thehindu.com। अन्तिम पहुँच 30 August 2017।
- ↑ "Serial kisser Deverakonda is the Emraan Hashmi of Telugu cinema"।
- ↑ Vyjayanthi Network (15 January 2015)। "Yevade Subramanyam Theatrical Trailer - Nani, Malavika Nair"। अन्तिम पहुँच 30 August 2017 – YouTube माध्यमसँ।
- ↑ P Kirubhakar। "SIIMA 2019: Vijay Deverakonda and Keerthy Suresh win big. See pics - Movies News"। Indiatoday.in। अन्तिम पहुँच 17 August 2019।
- ↑ "2018 Celebrity 100"। Forbes India। अन्तिम पहुँच 5 December 2018।
- ↑ "Homegrown actor Vijay Deverakonda redefines 'Rowdy'"। The Indian Express। 17 July 2018। अन्तिम पहुँच 4 August 2019।
- ↑ "Vijay Devarakonda likes to call it 'Rowdy'"। First post। 5 October 2018। अन्तिम पहुँच 4 August 2019।
- ↑ "NDTV Movies: Regional-Movies - Tamil Movies - Telugu Movies - Bengali Movies - Latest Movie News - Celebrity Gossip"। movies.ndtv.com। मूलसँ 3 March 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 30 August 2017।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ Chowdhary, Y. Sunita (9 February 2015)। "An eye for story"। The Hindu। अन्तिम पहुँच 30 August 2017।
- ↑ Vyjayanthi Network (21 February 2015)। "Swapna Dutt Speech - Yevade Subramanyam Audio Launch Live - Nani, Malavika Nair"। अन्तिम पहुँच 30 August 2017 – YouTube माध्यमसँ।
- ↑ Radiokhushi। "'Evade Subramanyam' says Nani"। www.radiokhushi.com। मूलसँ 30 August 2017 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 30 August 2017।
{{cite web}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Winners list of Behindwoods Gold Medal Awards 2018"। 17 June 2018।
- ↑ "Dear Comrade will not see Hindi version"। New Indian Express। 13 July 2019। मूलसँ 14 July 2019 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 15 July 2019।
{{cite news}}
: Unknown parameter|dead-url=
ignored (|url-status=
suggested) (help) - ↑ "Vijay Devarakonda's World Famous Lover"। Telugu 360 Indian। 17 September 2019। अन्तिम पहुँच 17 September 2019।
बाह्य जडीसभ
[सम्पादन करी]विकिमिडिया कमन्समे विजय देवरकोन्डासँ सम्बन्धित मिडिया अछि। |