सामग्री पर जाएँ

शिल्पा मास्के

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शिल्पा मास्के
शिल्पा मास्के एक अन्तर्वार्तामे
जन्म
शिल्पा मास्के

(१९९२-०४-१४) अप्रैल १४, १९९२ (उमर ३३)
विराटनगर, नेपाल
राष्ट्रियतानेपाली
व्यवसायअभिनेत्री


शिल्पा मास्के (जन्म: सन् १९९२ अप्रैल १४) एक नेपाली चलचित्र अभिनेत्री, मोडल आ नर्तकी छी। ओ हेमराज बिसी निर्देशित चलचित्र 'ब्रेकअप'सँ नेपाली चलचित्र क्षेत्रमे कदम राखने छली जतय ओ ओहि चलचित्रमे आशिरमान देशराज जोशीसङ्गे अभिनय केनए छली। ओकर बाद ओ दोसर चलचित्र 'कागजपत्र'मे अभिनेता नाजिर हुसेनक सङ्ग अभिनय केनए छली। चलचित्र बाहेक ओ राष्ट्रिय आ अन्तर्राष्ट्रिय रूपमे बहुतेक रास विज्ञापन, साङ्गितीक भिडियो आ विशेषत फ्यासन पत्रिकाक आवरण पृष्ठसभमे देखाएल छली। ओ हलिउड चलचित्रसभमे छोट भूमिका निर्वाह केनए छली जहिमे 'डाक्टर स्ट्रेन्ज' आ 'मिसन: इम्पोसिबल - फलआउट' अछि तहिना ओ सफल नेटफ्लिक्स शृङ्खला 'द क्राउन'क संस्करण २ आ ५ मे समेत अभिनय केनए छली।

शिक्षा आ सुरुवाती जीवन

[सम्पादन करी]

शिल्पा मास्केक जन्म विराटनगरमे भेल छल। ओ सन् २००९ मे उच्च शिक्षाक लेल बेलायत गेल छली जतय ओ लन्डन केर एक विश्वविद्यालयमे व्यापार प्रबन्धनमे स्नातकोत्तर केनए छली।

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]

बाह्य कडीसभ

[सम्पादन करी]