शैलजा आचार्य

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
शैलजा आचार्य
Shailaja Acharya
शैलजा आचार्य
जन्म१९४४
मृत्यु१२ जुन २००९
राष्ट्रियतानेपाली
व्यवसायएक्टिभिस्ट, नेता, कुटनीतिज्ञ
राजनीतिक दलनेपाली काँग्रेस
सम्बन्धी
पुरस्कारमहा उज्ज्वल राष्ट्रदीप
नेपाली काँग्रेस पार्टी के उपाध्यक्ष
Member of the House of Representatives
कार्यकाल
१९९१–१९९४
निर्वाचन क्षेत्रमोरङ-५
Member of the House of Representatives
कार्यकाल
१९९४–१९९९
निर्वाचन क्षेत्रमोरङ
Minister of Agriculture and forests
कार्यकाल
१९९१–१९९३
शासकराजा वीरेन्द्र
प्रधानमन्त्रीगिरिजाप्रसाद कोइराला[१]
Minister of Water Resources
कार्यकाल
१९९७–१९९८
शासकराजा वीरेन्द्र
नेपालक उप-प्रधानमन्त्री
कार्यकाल
१५ अप्रिल १९९८[१] – १९९८
शासकराजा वीरेन्द्र
प्रधानमन्त्रीGirija Prasad Koirala[१]
भारतक लेल नेपाल के राजदुत
कार्यकाल
२००७
पूर्वाधिकारीकर्ण धोज अधिकारी


शैलजा आचार्य एकटा नेपाली क्रान्तिकारी, राजनीतिज्ञ आ राजनयिक छल। ओ पहिल नेपाली महिला जल संसाधन मन्त्री छल आ पहिल नेपाली महिला उपप्रधानमन्त्री छल।

प्रभावशाली कोइराला परिवार के एक सदस्य तथा एकटा छात्र के रूप में सक्रिय राजनीति में प्रवेश केलक आ तीन साल धरि एकटा किशोरी के रूप में राजनीतिक कैदी रहल छल, ओ लोकतान्त्रिक तरिका सँ सन् १९६१ में निर्वाचित सरकार आ राजतन्त्र के विरुद्ध उलट-पलट के विरोध में राजा महेन्द्र के काला झण्डा देखौने छल। रिहाई के पश्चात, ओ भारत में आत्म-निर्वासन में चलि गेल, जतय ओ भारतीय नेतासभ सँगे, विशेष रूप सँ चन्द्रशेखर के सँगे घनिष्ठ मित्रता निर्वाह केलक, जखन कि ओ पञ्चायत प्रणाली के विरुद्ध लोकतान्त्रिक संघर्ष के आगा बढौने छल। ओ एकटा सम्भावित सशस्त्र संघर्षक लेल युवा आन्दोलन के संगठित करवाक आ हतियारसभक तस्करी करवाक आ राजनीतिक जागरूकता बढावे के लेल एकटा पेपर प्रकाशित करवाक में महत्वपूर्ण भूमिका निर्वाह केनए छल। ओ बी.पी. कोइराला के सँगे जखन नेपाल फिर्ता भेल छल आ ओ पहुँच जाए पर हुनका तुरन्त गिरफ्तार करि लेल गेल। ओ पञ्चायत शासन के समय में कुल पाँच साल जेल में बितौने छल।

लोकतन्त्र के बहाली पश्चात, आचार्य सन् १९९१ आ सन् १९९४ में दुई बेर संसदक लेल निर्वाचित भेल। सन् १९९१ आ सन् १९९३ के बीच में, ओ कृषि मन्त्री छल, सरकार होए वाला में भ्रष्टाचार के विरोध में ओ इस्तीफा दऽ देनए छल। सन् १९९७ में, ओ जल संसाधनक लेल पहिल महिला मन्त्री बनल छल आ सन् १९९८ में, ओ पहिल महिला उप-प्रधानमन्त्री बनल छल। राजा ज्ञानेन्द्र लोकतन्त्र के एकटा अन्य हेरफेर में निलम्बित करि देलाक पश्चात्, अपन पार्टीक स्थिति के रक्षा में, सार्वजनिक रूप सँ संवैधानिक राजतन्त्र के समर्थन करनाए जारी रखने छल। हुनका सन् २००७ में भारत में राजदूत नियुक्त कएल गेल छल।

आचार्य के सन् २००७ में अल्जाइमर रोग लागि गेल बात पता चलल् छल। १२ जून २००९ में काठमाण्डौ में निमोनिया सँ हुनकर मृत्यु भ गेल छल। हुनका अपन राजसी पदसभ, छोट उमर में अत्याचारसभ सँ रक्षा, लोकतन्त्र के लडाई में हुनकर भूमिका आ हुनकर परोपकारी गतिविधिसभक लेल आइ यो याद कएल जाइत् अछि। हुनका सन् २०१४ में नेपाल सरकारद्वारा महा उज्जवल राष्ट्रदीप सँ सम्मानित कएल गेल छल।[२]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

करियर[सम्पादन करी]

पञ्चायत शासन[सम्पादन करी]

सन् १९९० के दशक में[सम्पादन करी]

सन् २००० में[सम्पादन करी]

परोपकार[सम्पादन करी]

रोग आ मृत्यु[सम्पादन करी]

सम्मान[सम्पादन करी]

विरासत[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "Women ministers in Nepal"South Asia Check। 2019-12-02। अन्तिम पहुँच 2019-12-14
  2. "Woman Vice Premiers 1990-99"www.guide2womenleaders.com। अन्तिम पहुँच 2019-12-14

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]