श्रुति प्रकाशन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

श्रुति प्रकाशन (Shruti Publication) मैथिलीक पहिल एहन प्रकाशक अछि जे कि बिना पाइ लेने पोथी प्रकाशित करै छै आ ओइ के बाबजूद कापीराइट लेखके लग रहैत छनि।

श्रुति प्रकाशन किए[सम्पादन करी]

पहिनेसँ मैथिलीमे तीन तरहँक प्रकाशन सक्रिय अछि--

1) लेखक अपन पोथी अपने पाइसँ छपबै छथि आ प्रकाशकमे अपने कोनो नाम दऽ दै छथि। कापीराइट लेखकक हिसाबसँ होइ छै।

2) लेखक अपन पोथी अपन पाइसँ छपबै छथि, प्रकाशक दोसर होइ छै। कापीराइट लेखकक हिसाबसँ होइ छै।

3) लेखककेँ पोथी बदला किछु टका दऽ देल जाइत छनि मुदा कापीराइट प्रकाशकक रहै छै।

एहि तीनू तरहँक प्रकाशन तरीकामे मुँहगरहा सभ आगू रहैए। जिनकर जते पैरवी, पाइ, संबंध तिनकर पोथी खूब बजारमे भेटत। मुदा जकरा लग ने पाइ छै आ ने पैरवी तकर पोथी कोना छपतै आ एही विचारक संग शुरू भेल श्रुति प्रकाशन जे बिना पाइ लेने पोथी छापै छै आ कापीराइट लेखक लग रहै छै।

श्रुति प्रकाशनक उद्येश्य[सम्पादन करी]

गैर-ब्राम्हण, गैर कायस्थ लेखकक पोथी प्रकाशित करब श्रुति प्रकाशनक मुख्य उदेश्य अछि। एकर संग प्रतिभाशाली मुदा गरीब ब्राम्हण-कायस्थ लेखकक पोथीक प्रकाशन सेहो एकर उद्येश्य अछि।

पांडुलिपिक चयन[सम्पादन करी]

गैर-ब्राम्हण, गैर कायस्थ लेखकक लेल "पहिल" बला सिद्धांतपर चयन कएल जाइत छै मने जिनकर पांडुलिपि पहिने आएल छै तिनकर पहिने छपतै। ब्राम्हण-कायस्थ लेखकक पांडुलिपि एलापर पहिने फंड देखल जाइत छै। जँ गैर-ब्राम्हण, गैर कायस्थ लेखकक पोथी प्रकाशनक बाद फंड उपल्बध छै आ ब्राम्हण-कायस्थ लेखक प्रतिभाशाली छै तँ हुनकर पोथीक चयनित कऽ लेल जाइत छै।

श्रुति प्रकाशनक इतिहास[सम्पादन करी]

श्रुति प्रकाशनसँ पहिल पोथी 2008मे प्रकाशित भेल जे कि डॉ. उदय नारायण सिंह नचि‍केता रचित नाटक "नो इन्‍ट्री: मा प्रवि‍श" छल।

श्रुति प्रकाशनक प्रकाशन[सम्पादन करी]

एखन धरि श्रुति प्रकाशनसँ कुल 100सँ बेसी पोथी छपि चुकल अछि। किछु पोथी अंग्रेजी भाषामे सेहो अछि जे कि प्रायः मिथिलाक इतिहास, मैथिली साहित्यिक इतिहाससँ संबंधित अछि। मैथिलीक पोथीक तिरहुत्ता लिपि आ ब्रेल लिपिमे अनुवाद सेहो श्रुति प्रकाशनसँ प्रकाशित भेल अछि। एकर अतिरिक्त विदेह-सदेह सेहो दस खंडमे प्रकाशित भेल अछि [१]। श्रुति प्रकाशनसँ प्रकाशित मैथिलीक किछु महत्वपूर्ण पोथी---

1) कुरूक्षेत्रम् अन्तर्मनक (उपन्यास, कथा, कवि‍ता आदि) गजेन्द्र ठाकुर

2) जी‍नोम मैपिंग (मिथिलाक पंजी-प्रबंध) भाग-१- गजेन्द्र ठाकुर, नागेन्द्र कुमार झा आ पञ्जीकार विद्यानन्द झा

3) नताशा (कॉमि‍क्स) देवांशु वत्स‍ [२]

4) नो इन्‍ट्री: मा प्रवि‍श (नाटक) डॉ. उदय नारायण सिंह नचि‍केता

5) बनैत-बि‍गड़ैत (कथा-संग्रह) सुभाष चन्द्र यादव

6) गामक जि‍नगी (कथा संग्रह) जगदीश प्रसाद मंडल

7) हम पुछैत छी (कवि‍ता संग्रह) विनी‍त उत्पल

8) मैथिली चि‍त्रकथा -प्रीति ठाकुर

9) गोनू झा आ आन मैथि‍ली चि‍त्र-कथा- प्रीति ठाकुर

10) मैथि‍ली-अंग्रेजी शब्दकोश खण्ड-1 , नागेन्द्र कुमार झा आ पञ्जीकार विद्यानन्द झा

11) मैथि‍ली-अंग्रेजी शब्दकोश खण्ड -2 , नागेन्द्र कुमार झा आ पञ्जीकार विद्यानन्द झा

12) प्रबन्ध- नि‍बंध-समालोचना- गजेन्द्र ठाकुर

13) सहस्त्रशीर्षा (उपन्यास) गजेन्द्र ठाकुर

14) पुरुष-परीक्षा (मैथिली चित्रकथा ) प्रीति‍ ठाकुर

15) मिथिलाक लोकदेवता -प्रीति‍ ठाकुर

16) मिथिलाक इतिहास- प्रोफेसर राधाकृष्ण चौधरी

17) अम्बरा (कवि‍ता संग्रह)- राजदेव मंडल

18) निश्तुकी (कविता संग्रह)- उमेश मण्डल

19) बेटीक अपमान आ छीनरदेवी (नाटक)- .बेचन ठाकुर

20) अनचिन्हार आखर (गजल संग्रह)- आशीष अनचिन्हार

21) रथक चक्का उलटि चलै बाट (पद्य संग्रह)- रामविलास साहु

22) वर्णित रस (पद्य संग्रह)- उमेश पासवान

23) हमरा बिनु जगत सुन्ना छै (गीत आ झारू संग्रह)- रामदेव प्रसाद मण्डल झारूदार

24) माँझ आंगनमे कतिआएल छी (गजल संग्रह)- मुन्नाजी

25) नव अंशु (गजल-हजल, रुबाइ संकलन) अमित मिश्र

26) मोनक बात (गजल-हजल-बाल गजल-रुबाइ-कता संकलन) चन्दन कुमार झा

27) कियो बूझि नै सकल हमरा (गजल, रुबाइ आ कता संकलन) ओम प्रकाश

28) VIDEHA DICTIONARY English-Maithili Dictionary-2012- Gajendra Thakur

29) Learn Mithilakshar - Gajendra Thakur

30) Learn Braille through Mithilakshar - Gajendra Thakur

31) Learn International Phonetic Script through Mithilakshar - Gajendra Thakur

32) A Survey of Maithili Literature- Radhakrishna Chaudhary

33) English-Maithili Dictionary Vol.-1 (COMPUTER DICTIONARY) Gajendra Thakur, Nagendra Kumar Jha, Panjikar Vidyanand Jha

संदर्भ[सम्पादन करी]

  1. http://shruti-publication.blogspot.in/
  2. http://www.wikiwand.com/hi/%E0%A4%A8%E0%A4%A4%E0%A4%BE%E0%A4%B6%E0%A4%BE_(%E0%A4%95%E0%A5%89%E0%A4%AE%E0%A4%BF%E0%A4%95%E0%A5%8D%E0%A4%B8)