सङ्गोर मिथिला नेपाल

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश

सङ्गोर मिथिला SANGOR MITHILA NEPAL युवासभद्वारा संचालित एकटा सामाजिक संस्था छी ।एकर केन्द्रिय समित लहान,सिरहामे अछि।"सङ्गोर" मैथिली भाषाक शब्द छी।जाहीके अर्थ  "एक जुट होएब" होइ छै। इ संस्था मातृभाषा मैथिलीक साहित्य,कला ,संस्कृति आ सामाजिक विकासक लेल बहुत कामसभ करैत आएल अछि।सन् २०१६ सँ इ संस्था मिथिला स्टूडेंट युनियन सङ्ग्रहित २०१९-१२-०५ वेब्याक मेसिन नेपाल नामसँ अस्तित्वमे अछि।  प्राय: सामाजिक ,साहित्यिक चेतनाक स्तरसँ मैथिली भाषामे विद्यार्थीसभक बीच वक्तृत्वकला , प्रश्नोत्तर कार्यक्रम, सरसफाइ कार्यक्रम ,साहित्यिक गोष्ठी,प्रशिक्षण  तथा विपदमे पडलकें सहयोग सहो कएने अछि। हाल सिरहामे केन्द्र आ सप्तरीक हनुमाननगरमे एकाइ विस्तार भऽ चुकल अछि ।