सुब्रत रॉय

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
Jump to navigation Jump to search
सुब्रत रॉय सहारा
जन्म (१९४८-०६-१०) १० जुन १९४८ (उमर ७१)
अररिया, बिहार, भारत
वासस्थान लखनऊ
राष्ट्रियता भारतीय
अन्य नाम सहाराश्री
जाति बंगाली
रोजगार सहारा इण्डिया परिवारके संस्थापक एवं अध्यक्ष
कार्यकाल १९७८ – वर्तमान
प्रसिद्धी कारण पुणे वॉरियर्स इन्डिया, ग्रॉसवेनर हाउस, एमबी वैली सिटी, प्लाजा होटल, ड्रीम डाउनटाउन होटलके मालिक।
गृहनगर लखनऊ
जिवनसाथी स्वप्ना राय
सन्तान
वेबसाइट

सुब्रत राय सहारा (जन्म १० जून १९४८) भारतक एक व्यवसायी तथा सहारा इण्डिया परिवारके संस्थापक, प्रबन्ध निदेशक एवं अध्यक्ष छी। हुन्का 'सहाराश्री'के नाम सँ सेहो जानल जाइत अछि। इण्डिया टुडे द्वारा हुन्कर नाम भारतक दश सर्वाधिक शक्तिसम्पन्न लोगसभमे शामिल केने छल। ओ सन् १९७८ मे सहारा इण्डिया परिवारकs स्थापना केलक। सन् २००४ मे टाइम पत्रिका द्वारा सहारा समूहकs भारतीय रेलक बाद दोसर सबसँ बड़का नियोक्ता बतौने छल। ओ पुणे वॉरियर्स इन्डिया, ग्रॉसवेनर हाउस, एमबी वैली लेक सिटी, प्लाजा होटल, ड्रीम डाउनटाउन होटलके मालिक छी।[१][२]

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

रायकs जन्म १० जून १९४८ कs बिहारक अररिया जिलामे पिता सुधीर चन्द्र राय आर माँ छबि रायके घर भेल छल।[३]कोलकाताके होली चाइल्ड स्कूलमे प्राम्भिक शिक्षा पूरा करलाके बाद राजकीय तकनीकी संस्थान गोरखपुरसँ मैकेनिकल इन्जिनियरिङमे डिप्लोमा केलक।[४] ओ १९७८ मे गोरखपुरसँ अपन व्यवसाय प्रारम्भ केलक।[५] संप्रति हुन्कर निवास लखनऊ मे अछि।[६]

व्यावसायिक जीवन[सम्पादन करी]

रॉय द्वारा १९७८ मे गोरखपुरमे सहारा इन्डिया परिवारक स्थापना कएल गेल, जकर ओ प्रबन्ध कार्यकर्ता (प्रबन्ध निदेशक) आर चेयरम्यान छी।[७][८]भारतक एक बहु-व्यापारिक कम्पनि छी, जकर कार्य वित्तीय सेवासभ, गृहनिर्माण वित्त (हाउसिङ फाइनेन्स), म्युचुअल फन्डसभ, जीवन बीमा, नगर-विकास, रीयल-इस्टेट, अखबार एवं टेलीविजन, फिल्म-निर्माण, खेल, सूचना प्रौद्योगिकी, स्वास्थ्य, पर्यटन, उपभोक्ता सामग्री सहित अनेको क्षेत्रसभमे फैलल अछि। किछ दिन पहिले धरि ओ आई पी एल कs फ्रेंचाईजी पुणे वॉरियर्स इन्डिया, लन्डनके ग्रॉसवेनर हाउस,मुम्बईके लोनावालामे स्थित एमबी वैली सिटी तथा न्यूयार्कके प्लाजा होटल, ड्रीम डाउनटाउन होटलक मालिक सेहो छी।[९]

रॉय द्वारा सन्चालित सहारा समूहके लग ३० जून-२०१० धरि १,०९,२२४ करोड़ रूपैयाकs परिसम्पतिसभ अछि।[१०]

व्यवसाय दर्शन[सम्पादन करी]

रॉय द्वारा अपन व्यवसायकs प्रगति हेतु "सामूहिक भौतिकवाद" कs दर्शन देलक,[११]जिकर अभिप्राय अछि "सामूहिक प्रगति आर उन्नति, समूहिक देखरेखमे।"

कृतिसभ[सम्पादन करी]

  • "शान्ति, सुख: सन्तुष्टि" १९९४, मनकs शान्ति आर खुश रहsसँ सम्बन्धीत टिप्पणिसभ आ निबन्ध।[१२]
  • "मान, सम्मान-आत्मसम्मान"[१३]

सम्मान/पुरस्कार[सम्पादन करी]

  • डॉक्टरेटक मानद उपाधि (२०१३,यूनिर्वसिटी ऑफ़ ईस्ट लन्डन)[१४]
  • दि बिजनेस आइकॉन ऑफ दि ईयर (२०११,लन्डन)[१५]
  • डी लिट कs मानद उपाधि (२०११,ललित नारायण मिथिला विश्वविद्यालय,दरभंगा)[१६]
  • २०१२ मे इन्डिया टुडेके द्वारा भारतक दस सबसँ प्रभावशाली व्यवसायिसभमे शुमार।[१७]
  • २००४मे टाइम पत्रिका (अँग्रेजी) द्वारा "भारतीय रेलवेके बाद भारतमे दोसर सबसँ बड़का नियोक्ता"के रूपमे नामांकित।[१८]
  • एकर अलावा हुन्का "आई टी ए-टी वी आइकॉन ऑफ दि ईयर" (२००७),"ग्लोबल लीडरशिप अवार्ड" (२००४), "बिजनेस ऑफ दि ईयर अवार्ड" (२००२),"विशिष्ट राष्ट्रीय उड़ान सम्मान" (2010), "वोकेशनल अवार्ड फॉर एक्स्क्लेंस" (द्वारा रोटरी इन्टरनेशनल,2010), "कर्मवीर सम्मान" (1994), "बाबा-ए-रोजगार अवार्ड" (1992), "उद्यम श्री" (1994), "दि नेशनल सिटीजन अवार्ड" (२००१) आर "इन्डियन टेलीविज़न अकादमी अवार्ड"(२०१३) सेहो प्राप्त भेल अछि।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Subrata Roy", timesofindia.com, २००३-०७-१०, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  2. "Sahara India", newagebd.com, २०१२-०५-२४, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  3. "Sahara India Pariwar", Sahara.in, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  4. "India's Sahara Group", thedailystar.com, २०१२-०५-२४, अभिगमन तिथि २०१४-०५३-१२ 
  5. "Subroto Roy Biography", mapsofindia.com, २०११-०२-२३, अभिगमन तिथि २०१४-०२३-१२ 
  6. বাঙ্গালীর বিত্ত সাধনা সাহারার ইতিকথা, (Bangalir Vitta Sadhana: Saharar Itikatha), Mani Shankar Mukherjee, 2003
  7. "Owner of Pune Warriors runs Sahara India Pariwar as managing worker", THE AUSTRALIAN, २०१०-०५-०६, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  8. "Subrata Roy Sahara", businessweek.com, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  9. Sahara chief, money all safe and well, Amrit Dhillon, 11 जून 2005, South China Morning Post
  10. ए बी पी न्यूज पर समाचार, कौन है सुब्रत राय
  11. "Wearing Nationalism On His Sleeve", Business Standard, २००२-०९-१८, अभिगमन तिथि २०१४-०३-१२ 
  12. The quirks and eccentricities of 'Saharasri' Subrata Roy, Jency Jacob, मार्च 1, 2014
  13. Subrata Roy: Confident of swimming the troubled waters, AMRITA NAIR-GHASWALLA, सितंबर 8, 2012
  14. "UK university confers honorary doctorate on Subrata Roy", timesofindia.indiatimes.com, २०१३-०७-१०, अभिगमन तिथि २०१४-०२-१३ 
  15. "Grand lounch of Powerbrand", indianfoline.com, २०११-१२-१५, अभिगमन तिथि २०१४-२-१३ 
  16. "Mithila varsity confers D Litt on Subrata Roy - Times Of India", Articles.timesofindia.indiatimes.com, २०११-०५-१७, अभिगमन तिथि २०१४-०२-१३ 
  17. "High and Mighty-2012", Indiatoday.intoday.in, अभिगमन तिथि २०१४-०४२-१३ 
  18. Perry, Alex (२००४-१२-०६), "A Tale of Two Indias", TIME, अभिगमन तिथि २०१४-०२-१३ 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]