हिसिला यमी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
हुनकर बेटी मानुषी भट्टराई के एकटा चलचित्र "डाउटर अफ नेपाल" के प्रीमियर स्क्रिनिङ में हिसिला यमी , नयाँ दिल्ली में इण्डिया ह्बियाटेट सेन्टर में।
एपी द्वारा आजोजित कएल गेल अन्तर्वार्ता में हिसिला यमी

हिसिला यमी (जन्म २५ जून, १९५९ काठमाण्डौ) एक गोटे नेपाली राजनीतिज्ञ आ वास्तुकार छि। ओ नयाँ शक्ति नेपाल के केन्द्रिय समिति के सदस्य आ अखिल नेपाल महिला संघ (क्रान्तिकारी) के पूर्व अध्यक्ष सेहो छि।

हुनकर पिता धर्म रत्न यमी एकटा नेपाली सामाजिक कार्यकर्ता, लेखक आ सरकार के उपमन्त्री छल।

यमी सन् १९८२ में दिल्ली के स्कूल अफ प्लानिङ एण्ड आर्किटेक्चर सँ स्नातक के उपाधि प्राप्त केलक। सन् १९९५ में यू.के. में टाइन में अवस्थित न्यूक्यासल विश्वविद्यालय सँ ओ अपन एम. आर्क. पूरा केलक।

सन् १९९० के समय में पञ्चायत शासन के विरुद्ध विद्रोह करए वाली यमी विरोध प्रदर्शनसभ में सभसँ हाई-प्रोफाइल महिला नेतासभ में सँ एक छल। ओ सन् १९८१-१९८२ में अखिल भारतीय नेपाली छात्र संघ के महासचिव सेहो रहल छल। ओ सन् १९८३ सँ सन् १९९६ धरि इन्स्टिच्युट अफ इन्जिनियरिङ, पुल्चोक क्याम्पस में लेक्चरर सेहो छल। सन् १९९५ में ओ अल नेपाल वुमन एसोसिएशन (रिभोल्यूशनरी) के अध्यक्ष बनल छल आ दुई वरिष के कार्यकाल पूरा केलक। नेपालक कम्युनिस्ट पार्टी (माओवादी) के नेतृत्व में पीपुल्स वार के शुरुवात के पश्चात ओ सन् १९९६ में भूमिगत भऽ गेल छल। सन् २००१ सँ, ओ सीपीएन (माओवादी) के केन्द्रिय समिति के सदस्य रहल आ ओ संगठन के अन्तर्राष्ट्रिय विभाग जेहन विभाग में काम केनए अछि।

सरकार आ माओवादी के बीच चलि रहल् शान्ति वार्ता के समयमे ओ १८ जून २००३ में अपन पहिल सार्वजनिक उपस्थिति जनौने छल।

सन् २००५ के शुरुवात में, ओ भट्टराई आ दीनानाथ शर्मा के सँगे छल, पार्टी नेतृत्व द्वारा डिमेट कएल गेल। जुलाई में हुनका केन्द्रिय समिति में बहाल करि देल गेल।

१ अप्रिल, २००७ में हिसिला यमी नेपालक अन्तरिम सरकार में भौतिक योजना आ निर्माण मन्त्री के रूप में सम्मिलित भेल।

यमी के विवाह पार्टी के ही माओवादी नेता डा. बाबुराम भट्टराई सँ भेल अछि।


ग्रन्थ सूची[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]


बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]