सामग्री पर जाएँ

२०२० कोरोना भाइरस माहामारीमे नेपालक अवस्था

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
२०२० कोरोना भाइरस माहामारीमे नेपालक अवस्था
Map of the outbreak in Nepal (as of 5 April)
  Confirmed cases reported
Diseaseकोभिड-१९
Virus strainसार्स-कोभ-२
Locationनेपाल
First outbreakवुहान, हुवेइ, चीन
Index caseकाठमाडौं जिला
Arrival date5 January 2020
(५ वर्ष, ४ महिना, २ हप्ता and ५ दिन)
Confirmed cases९९
Active cases८०
Recovered१९
Deaths
Territories
बागलुङ, काठमाण्डौ, कैलाली, कञ्चनपुर
Official website
Corona Info (MOHP; Nepali)
COVID-19 dashboard (MOHA; English)

वैश्विक कोभिड-१९ कोरोना भाइरस महामारी के नेपाल मे फैलए के पुष्टि भेल छल, २४ जनवरी २०२० मे काठमाण्डौ मे जखन एकर पहिल मामला के पुष्टि कएल गेल छल। रोगी के केवल हल्का लक्षण देखौने छल आओर एक सप्ताह पहिले घर मे आत्म-सङ्गरोध करए के निर्देश के साथ छुट्टी दऽ देनए छल; बाद मे ओकरा पूर्ण रुपसँ ठीक होए के पुष्टि कएल गेल। जनवरी आओर मार्च के बीचमे, नेपाल रोगी के व्यापक प्रकोप के रोकए के लेल ठोस कदम उठेने छल, जखन एकर लेल आवश्यक आपूर्ति, उपकरण आओर औषधि के खरीद, स्वास्थ्य के बुनियादी ढाँचा के उन्नत करए के लेल, स्वास्थ्यकर्मीसभ के प्रशिक्षित करए आओर सार्वजनिक जागरूकता फैलावे के तैयारी केलक। २३ मार्च २०२० मे दोसर मामला के पुष्टि कएल गेल। ५ अप्रैल २०२० धरि, ७ अतिरिक्त मामला के पुष्टि कएल गेल अछि, १ टा काठमाण्डौ आओर कञ्चनपुर जिल्ला मे, २ टा बाग्लुङ मे आओर ३ टा कैलाली मे। ८ टा सक्रिय मामला मे सँ ७ टा मे ओ लोग शामिल अछि जेकरा हाल मे विदेशसँ फेरसँ फिर्ता कएल गेल छल; कैलाली के १ टा ३४ वर्षीय महिला मे ४ अप्रैल के दिन स्थानीय प्रसारण के पहिल मामला के पुष्टि कएल गेल छल। २४ मार्च के दिनसँ देशव्यापी तालाबन्दी (लकडाउन) लागू भेल आओर २७ अप्रैल के समाप्त होए वाला अछि।

नेपाल अन्तर्राष्ट्रीय विमास्थल के साथ-साथ भारत के साथ-साथ अवस्थित सीमा चौकीसभ पर जनवरी-मध्य मे शुरू होए वाला हिसाबसँ स्वास्थ्य-डेस्क के स्थापना केनए अछि। भारत के साथ-साथ चीन के साथ-साथ के जुडल भूमिसभक सीमासभ पर सेहो बाद मे पूर्ण रुपसँ बन्देज करि देल गेल, आओर सभ अन्तर्राष्ट्रीय उडानसभ रद्द करि देल गेल। सभ शैक्षणिक परीक्षासभ सेहो रद्द करि देल गेल छल, आओर स्कूल आओर कलेज सेहो बन्द करि देल गेल छल। पूरे देश मे क्वारेन्टाइन केन्द्र आओर अस्थायी अस्पताल स्थापित कएल जा रहल अछि। प्रयोगशाला सुविधासभ के पुनरावृति आओर विस्तार कएल जा रहल अछि। अस्पताल के आईसीयू यूनिट आओर आइसोलेशन बेड स्थापित करि रहल अछि। सार्क देशसभ ई क्षेत्र मे ई रोग के नियन्त्रित करए मे सहयोग करै के संकल्प लेनए अछि। भारत, अमेरिका आओर जर्मनी नेपाली स्वास्थ्य क्षेत्र मे अपन समर्थन बढा देनए अछि।

नेपाल, नेपाल वर्ष २०२० सँ सम्बन्धित अपन अन्तर्राष्ट्रीय प्रचार गतिविधिसभ के रद्द करि देनए अछि। ई माहामारी के कारण सँ अर्थव्यवस्था विदेशी रोजगार, पर्यटन, विनिर्माण, निर्माण आओर व्यापार बहुत खराब तरिका सँ प्रभावित होए के अनुमान कएल गेल अछि।


पृष्ठभूमि

[सम्पादन करी]

कोभिड-१९ माहामारी

[सम्पादन करी]
भिडियो सारांश (स्क्रिप्ट) कोरोना भाइरस रोग पर

कोरोनो भाइरस रोग २०१९ (कोभिड-१९) के चलि रहल माहामारी गम्भीर तीव्र श्वासन सिन्ड्रोम कोरोना भाइरस २ (सार्स-कोभ-२) के कारण होइत अछि। एकर प्रकोप के पहिल बेर दिसम्बर २०१९ मे वुहान, हुबेई, चीन मे पहिचानल कएल गेल छल आओर ११ मार्च २०२० मे विश्व स्वास्थ्य संगठन (डब्ल्युएचओ) द्वारा एकरा एकटा महामारी के रूप मे मान्यता देल गेल छल। १५ अप्रैल २०२० धरि, कोभिड-१९ के १.९८ मिलियन सँ अधिक मामला आगा आएल अछि। २१० देशसभ आओर क्षेत्रसभ मे रिपोर्ट कएल गेल, जेकर परिणाम स्वरूप १२६,००० सँ अधिक मृत्यु भेल अछि। १८६,००० सँ अधिक लोग संक्रमित भेल अछि।

सामान्य लक्षणसभ मे बुखार, सर्दी-खाँसी आओर श्वास के तकलीफ शामिल अछि। जटिलतासभ मे निमोनिया आओर तीव्र श्वासन संकट सिन्ड्रोम शामिल भऽ सकैत अछि। लक्षणसभक शुरुवात के सम्पर्क के समय मे प्रायः पाँच दिन के आसपास होइत अछि, मुद्दा २ सँ १४ दिन धरि भऽ सकैत अछि। कोनो भी सुईया वा विशिष्ट एन्टीभाइरल (एन्टीटोड) उपचार नै अछि एखन धरि ई रोग के लेल। प्राथमिक उपचार रोगसूचक आओर सहायक चिकित्सा अछि।

अनुशंसित निवारक उपायसभ मे हाथ धोनाए, खाँसी होए पर कोनो सफा कपडा वा हाथ के कोहनी सँ का मुंह झाँपनाए, अन्य लोगसभ सँ दूरी बना के रखनाए आओर संक्रमित लोगसभ पर निगरानी आओर आत्म-अलगाव शामिल अछि। दुनिया भरि के अधिकारीसभ यात्रा प्रतिबन्ध, संगरोध, कर्फ्यू, कार्यस्थल खतरासभ के नियन्त्रण आओर सुविधा बन्द के लागू करवाक प्रतिक्रिया देनए अछि।

माहामारी गम्भीर वैश्विक सामाजिक आर्थिक विघटन, खेल के स्थगित वा रद्द, धार्मिक, राजनीतिक आओर सांस्कृतिक आयोजनासभ के रद्द करि देनए अछि, आओर घबराहट सँ खरीदी गेल आपूर्ति मे व्यापक कमी आएल अछि। स्कूलसभ, विश्वविद्यालयसभ आओर कलेजसभ १९७ देशसभ मे राष्ट्रव्यापी वा स्थानीय आधार पर बन्द करि देनए अछि, जाही सँ दुनिया के लगभग ९९.९ प्रतिशत जनसंख्या प्रभावित भेल अछि। भाइरस के बारे मे गलत सूचना अनलाइनमे फैल गेल अछि। यात्रा आओर बड्का उद्योग के बन्द होए के कारण वायु प्रदूषण आओर कार्बन उत्सर्जन मे कमी आएल अछि।

नेपाल उत्तरी दिशा मे चीन के लगपासक एकटा पूर्व-पश्चिम आओर दक्षिण मे भारत के सँग मे अवस्थित एकटा भू-परिवेष्ठित देश छी। नेपाल हिमालय मे चीन के स्वायत्त क्षेत्र तिब्बत के सँगे रहल १,४१४ किलोमिटर (८७९ माइल) के सीमा साझा करैत अछि।[][]चीन , नेपालक दोसर सभसँ पैग व्यापारिक साझेदार छी। नेपाल के पूर्व, पश्चिम आओर दक्षिण मे भारत के सँगे १,८०० किलोमिटर के खुला सीमा अछि। नेपाल , दक्षिण एसिया मे स्थित अछि, जे कम सँ कम विकसित आओर सभसँ जनघनत्व भेल विश्व क्षेत्रसभ मे सँ एकटा छी, जे शिक्षा के साथ-साथ स्वास्थ्य देखभाल आओर स्वच्छता मेट्रिक्स मे खराब प्रदर्शन करैत अछि, आओर एही लेल ई महामारी के लेल सभसँ अधिक जोखिम वाला क्षेत्रसभ मे सँ एक मानल जाइत अछि, आओर ई जाही के लेल एकटा सभसँ कम तैयार देश छी ।[][][][][]


द काठमाण्डु पोस्ट के अनुसार, महामारी सँ पहिने, नेपाल मे अस्पतालसभ मे किछ आईसीयू बेड (बस तीनटा अस्पताल मे) छल जे लगभग हर बखत ओगटले रहैत छल, गम्भीर स्थिति वाला लोगसभ मे साधारणतया बेड खाली होए के प्रतीक्षा करै पडैत छल। एहीसँ डाक्टरसभ के ई कहैत सूचित कएल जाइत छल जे नवका रोगीसभ के आईसीयू मे भर्ती केनाए असम्भव अछि, जेना कि ओ आवश्यक पडत तबै टाऽ ।[]केवल एकटा संक्रामक रोगसँ छुटकारा पावै के लेल नामित टेकु अस्पताल मे एक दशक पहिने एभियन इन्फ्लुएन्जा के प्रकोप के बीच मे एकटा आइसोलेशन वार्ड बनाओल गेल छल, मुद्दा एकरा कहियो उपयोग मे नै लाओल गेल छल, किया कि एही मे आवश्यक मानकसभ के मुल्याङ्कन वा रेखदेख करवाक लेल विशेषज्ञ नै छल।

चीन मे एकटा नवका संक्रामक रोग के खबर के रूप मे, नेपाल मे उच्च सम्भावित जोखिम, निवारक उपायसभ के लागू करवाक आवश्यकता आओर आवश्यक चिकित्सा उपकरणसभ आओर भौतिक पूर्वाधार ढाँचा के बहुतरास कमी पर चिन्ता व्यक्त कएल गेल। महामारी विज्ञान आओर रोग नियन्त्रण विभाग के पूर्व निर्देशक बाबुराम मरासिनी के अनुसार, अत्यधिक संक्रामक रोगीसभ के सुरक्षित रूप सँ, अस्पतालसभ मे अलग वार्ड, वा जैव संक्रामक स्तर-३ वा संक्रामक रोगसभक लेल परीक्षण करवाक लेल आवश्यक बढियाँ प्रयोगशालासभ के परिवहन के लेल नेपाल मे कोनो डबल क्बया एम्बुलेन्स नै अछि।

माहामारी विज्ञान अवलोकन

[सम्पादन करी]

प्रवासी नेपाली

[सम्पादन करी]

समयरेखा

[सम्पादन करी]

प्रभाव आओर प्रतिक्रिया

[सम्पादन करी]

बजार विनियमन

[सम्पादन करी]

आवश्यक औषधिसभ

[सम्पादन करी]

कुरूपता

[सम्पादन करी]

अवैध शिकार

[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ

[सम्पादन करी]
  1. DEVKOTA, HIMNATH, "Nepal-China Rasuwagadhi border point to be sealed for 15 days from Wednesday", My Republica (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ १७ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-१६ 
  2. "Nepal has trade surplus with 32 countries", kathmandupost.com (Englishमे), मूलसँ १७ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-१६ 
  3. "Nepal ranks 111th in health security index", The Himalayan Times (en-USमे), २०२०-०२-०८, मूलसँ २४ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-२४ 
  4. Salam, Ravi Agrawal, Kathryn, "Is South Asia Prepared for the Wuhan Virus?", Foreign Policy (en-USमे), मूलसँ २८ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-१२ 
  5. "Nepal vulnerable to new China virus, warn doctors", The Himalayan Times (en-USमे), २०२०-०१-१६, मूलसँ ३१ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-१६ 
  6. Belluz, Julia (२०२०-०२-२६), "How to travel during the international coronavirus outbreak", Vox (अङ्ग्रेजीमे), मूलसँ २९ फरबरी २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-२४ 
  7. "Nepal ill-prepared for coronavirus outbreak", The Himalayan Times (en-USमे), २०२०-०२-२६, मूलसँ २४ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-२४ 
  8. "Nepal's hospitals have no ICUs to treat coronavirus patients, doctors say", kathmandupost.com (Englishमे), मूलसँ १४ मार्च २०२० मे सङ्ग्रहित, अन्तिम पहुँच २०२०-०३-१२ 

बाह्य जडीसभ

[सम्पादन करी]
  1. Corona MAP सङ्ग्रहित २०२१-१२-१८ वेब्याक मेसिन
  2. Coronavirus Timeline Map सङ्ग्रहित २०२०-०३-१६ वेब्याक मेसिन
  3. Epidemic data for COVID-19
  4. Coronavirus COVID-19 Global Cases and historical data by Johns Hopkins University
  5. CoronaMapper
  6. COVID-19 Corona Tracker
  7. covid19.mohp.gov.np
  8. https://who.sprinklr.com/region/searo/country/np