अजमेर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अजमेर
Ajmer
नगर
मायो कलेज
मायो कलेज
अजमेर Ajmer भारतपर अवस्थित
अजमेर Ajmer
अजमेर
Ajmer
अजमेर Ajmer राजस्थानपर अवस्थित
अजमेर Ajmer
अजमेर
Ajmer
निर्देशाङ्क: २६°२७′००″N ७४°३८′२४″E / २६.४४९९°N ७४.६३९९°E / 26.4499; 74.6399निर्देशाङ्क: २६°२७′००″N ७४°३८′२४″E / २६.४४९९°N ७४.६३९९°E / 26.4499; 74.6399
देश भारत
राज्यराजस्थान
जिलाअजमेर
संस्थापकअजयराज प्रथम वा अजयराज द्वितीय
नामकरणअजयराज प्रथम वा अजयराज द्वितीय
सरकार
 • अङ्गअजमेर नगर परिषद
 • मेयरधर्मेन्द्र गहलोत
उन्नतांश
४८० मिटर (१५७० फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११ जनगणना)
 • कुल५,४२,५८०
भाषा
 • आधिकारिकहिन्दी
 • क्षेत्रीयमारवाड़ी, अङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डाक कोड
३०५००१ संग ३०५००२३
टेलीफोन कोड०१४५, +९११४५
नजदीकी शहरजयपुर, उदयपुर, जोधपुर
वेबसाइटajmer.rajasthan.gov.in

अजमेर (उच्चारण [ədʒmeːr]  ( सुनी)) भारतक राज्य राजस्थानक एक मुख्या शहर आ सुन्दर अजमेर जिलाक केन्द्र छी । सन् २०११ कें भारतक जनगणना अनुसार अजमेरक जनसङ्ख्या ५,५२,३६० अछि आ एकर शहरी जनसङ्ख्या ५,४२,५८० अछि । ई शहर राज्य राजधानी जयपुरसँ १३५ किमी आ राष्ट्रिय राजधानी नयाँ दिल्लीसँ ३९१ किमी दुर अछि ।

ई शहरक स्थापना शाकम्बरी चौहान शासक अजयराज प्रथम वा अजयराज द्वितीयद्वारा कएल गेल छल । ई शहर १२हम शताब्दीधरि चौहानसभक राजधानी रहल छल ।

अजमेर शहर अरावली पर्वतसँ घेरल अछि । ई सुफी सन्त ख्वाजा मोइनुद्दीन चिस्तीक दरगाहक लेल प्रसिद्ध अछि । शहरसँ ११ किमी दुर पुष्कर जे ब्रम्हाक मन्दिरक लेल प्रसिद्ध अछि एक पौराणिक हिन्दू धार्मिक केन्द्र छी । भारत सरकारद्वारा अजमेर शहरकें धरोहर शहरक रूपमे चुनाव कएल गेल अछि ।[१]अजमेरमे मेघवंशी, जाट, गुर्जर, रावत ब्राह्मण, गर्ग, भील आ जैन समुदायक बहुमत अछि ।

इतिहास[सम्पादन करी]

मेवाड़ आन्दोलनक बाद राजकुमार खुर्रमसँ गद्दी लैत जहाँगीर

ई नगर सातम शताब्दीमे अजयराज सिंह नामक एक चौहान राजाद्वारा बसायल गेल छल । ई नगर कऽ मूल नाम अजयमेरू छल ।[२] सन् १३६५ मे मेवाड़क शासक, सन् १५५६ मे अकबर आ सन् १७७० सँ सन् १८८० धरि मेवाड़ तथा मारवाड़क अनेक शासकद्वारा शासित भऽ अन्तमे सन् १८८१ मे ई अङ्ग्रेजसभक आधिपत्यमे चलि गेल ।

भूगोल[सम्पादन करी]

अजमेर शहर भारतक उत्तरदक्षिणमे अवस्थित अछि आ अरावली पर्वतसँ घेरल अछि । तारागढ़ पहाड़क श्रेणीक नीचला ढलानपर ई शहर अवस्थित अछि । विशाल नागपत्थर श्रेणी अजमेरकें पश्चिममे अवस्थित थार मरुभूमिसँ संरक्षित करैत अछि ।

मौसम[सम्पादन करी]

अजमेर-कऽ लेल मौसम जानकारी
महिना जन फर मार्च अप्रैल मई जुन जुलाई अगस्त सित अक्टु नव दिस वर्ष
अधिकतम °से (°फे) औषत २२٫९
(७३)
२५٫७
(७८)
३१٫३
(८८)
३६٫५
(९८)
३९٫७
(१०३)
३८٫४
(१०१)
३३٫६
(९२)
३१٫३
(८८)
३२٫६
(९१)
३३٫५
(९२)
२९٫२
(८५)
२४٫७
(७६)
३१٫६२
(८८٫८)
न्यूनतम °से (°फे) औषत ७٫६
(४६)
१०٫५
(५१)
१६٫०
(६१)
२२٫२
(७२)
२६٫८
(८०)
२७٫५
(८२)
२५٫६
(७८)
२४٫४
(७६)
२३٫७
(७५)
१८٫०
(६४)
१२٫३
(५४)
८٫४
(४७)
१८٫५८
(६५٫५)
औषत वर्षात मीमी (इञ्च) ७٫३
(०٫२९)
६٫०
(०٫२४)
५٫०
(०٫२)
४٫०
(०٫१६)
१५٫७
(०٫६२)
५८٫१
(२٫२९)
१८१٫५
(७٫१५)
१५७٫५
(६٫२)
७३٫०
(२٫८७)
१३٫१
(०٫५२)
४٫०
(०٫१६)
३٫८
(०٫१५)
५२९
(२०٫८५)
स्रोत: भारत जल तथा मौसम पूर्वानुमान विभाग[३]

अजमेरक मौसम प्राय गरम रहैत अछि आ जुनसितम्बरक मध्यमे होमएवला मनुसनमे ५५ सेन्टिमिटर (२२ इन्च) पानि पड़ैत अछि । अप्रैलजुलाईक आरम्भमे अजमेरक दैनिक तापक्रम ३० °से (८६ °फे) रहैत अछि । मनसुनक अवधिमे अजमेरमे भारी वर्षा आ बिजली चमकैत अछि मुदा बाढ़िक खतरा नै रहैत अछि । ठण्डा महिनाक आरम्भ नवम्बरमे होइत अछि आ अन्त फरबरीमे होइत अछि आ ई समय ई शहरक औसत तापक्रम १५–१८ °से (५९–६४ °फे) रहैत अछि ।

यातायात[सम्पादन करी]

पुष्कर घाटीक दृश्य

अजमेर शहर भारतक मुख्य शहरसभसँ सड़क आ रेलसँ जुड़ल अछि । प्रस्तावित वायु सेवा सन् २०१७ कऽ अन्तमे आरम्भ होमएक सम्भावना अछि ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Introduction"Hriday official website
  2. "Ajmer Tourism: Places to Visit in Ajmer - Rajasthan Tourism"tourism.rajasthan.gov.in (Indian Englishमे)। अन्तिम पहुँच 2017-03-10
  3. "Monthly mean maximum and minimum temperature and total rainfall of important cities (PDF)" (PDF)मूल (PDF)सँ 2015-04-13 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2013-07-28 {{cite web}}: Unknown parameter |deadurl= ignored (|url-status= suggested) (help)

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]


एहो सभ देखी[सम्पादन करी]