एडुवार्ड बेर्नश्टाइन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
एडुवार्ड बेर्नश्टाइन

एडुवार्ड बेर्नश्टाइन (सन् १८५०-१९३२) - जर्मन सामाजिक-जनवादक आ दोसर इन्टरनेसनलक घोर अवसरवादी धाराक एक जना नेता, संशोधनवाद तथा सुधारवादक सिद्धान्तकार छी। ओ उन्नाइसौं शताब्दीक आठम दशकक मध्यसँ सामाजिक-जनवादी आन्दोलनमे सरिक भेल छल । सन् १८८१ सँ १८८९ तक जर्मन सामाजिक-जनवादी पार्टीक केन्द्रीय मुखपत्र (Der Sozialdemokrat) ('सामाजिक-जनवादी') क सम्पादक रहल । सन् १८९६-१८९८ ताका Die Neue Zeit ('नयाँ समय') पत्रिकामे 'समाजवादक पूर्वाधारसभ आ सामाजिक-जनवादक कार्यभार' शीर्षकअन्तर्गत अलग पुस्तकक रूपमे प्रकाशित केलक । इ रचनामे ओ खुलस्त रूपमे क्रान्तिकारी मार्क्सवादक दार्शनिक, आर्थिक तथा राजनैतिक आधारसभ संशोधन ल्यावैत आह्वान केने छल । पुँजीवादअन्तर्गत मजदुरसभक आर्थिक अवस्था निक तुल्यावैत सुधारक निम्ति संघर्ष कैर बेर्नश्टाइन मजदुर आन्दोलनक मुख्य कार्यभार घोषित केलक , साथ "आन्दोलन हि सबथोक छी, अन्तिम लक्षय कुछन नै अछि " कह्व अवसरवादी सूत्रवाक्य प्रस्तुत केलक । प्रथम विश्वयुद्ध (सन् १९१४-१९१८)क अवधिमे ओ सामाजिक-अन्धराष्ट्रवादी स्थिति अपनाने छल । वर्षसभमे सेहो साम्राज्यवादी पुँजीजीवीवर्गक नैतिक समर्थन करैत रहल आ अक्टोवर समाजवादी क्रान्तिक तथा सोभियत संघक विरोध केलक । [१]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. भ्ला. इ. लेनिन: संकलिन रचना / भाग १-४. काठमाडौं: ऐरावती प्रकाशन, २०६३. p. ४९०-४९१

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]