"मैथिली भाषा" के अवतरणसभमे अन्तर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
No edit summary
ट्यागसभ: Reverted भिजुअल सम्पादक दूरभाष सम्पादन दूरभाष जाल सम्पादन
सम्पादन आपस कएल गेल 2401:4900:33B3:375F:2:1:9AE0:687B (talk) सँ अन्तिम संशोधन धरि एकरा द्वारा RedSaurb
ट्याग: पूर्ववत्
पङ्क्त्ति ३७: पङ्क्त्ति ३७:
|glottorefname=मैथिली
|glottorefname=मैथिली
}}
}}
'''मैथिली''' ({{IPAc-en|ˈ|m|aɪ|t|ɨ|l|i}}; ''Maithilī'') [[भारोपेली भाषा परिवार|भारोपेली भाषा]] छी जे मुख्य रूपमे [[भारत]]क उत्तरी [[बिहार]] आ [[नेपाल]]क पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बाजल जाइत अछि जनकपुर धाम में ई प्राचीन भाषा सेह‍ो बाजल जाई छैत समूह [[भारोपेली भाषा परिवार]] अन्तर्गत आवैत अछि आ भाषाशास्त्रक हिसाबसँ [[बङ्गाली भाषा|बङ्गाली]], [[आसामी भाषा|आसामी]], [[उडिया भाषा|उडिया]] आ [[नेपाली|भोजपुरी]] एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन [[तिरहुता लिपि]] अछि मुदा हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि ।<ref name=Yadava2013>Yadava, Y. P. (2013). Linguistic context and language endangerment in Nepal. Nepalese Linguistics 28: 262–274.</ref> हाल मैथिली भाषा [[देवनागरी लिपि|देवनागरी]]मा लिखल जाइत अछि । <ref name=e17>Lewis, M. P. (ed.) (2009). [http://archive.ethnologue.com/16/show_language.asp?code=mai Maithili] Ethnologue: Languages of the World. Sixteenth edition. Dallas, Texas: SIL International.</ref>
'''मैथिली''' ({{IPAc-en|ˈ|m|aɪ|t|ɨ|l|i}}; ''Maithilī'') [[भारोपेली भाषा परिवार|भारोपेली भाषा]] छी जे मुख्य रूपमे [[भारत]]क उत्तरी [[बिहार]] आ [[नेपाल]]क पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बाजल जाइत अछि जनकपुर धाम में ई प्राचीन भाषा सेह‍ो बाजल जाई छैत समूह [[भारोपेली भाषा परिवार]] अन्तर्गत आवैत अछि आ भाषाशास्त्रक हिसाबसँ [[बङ्गाली भाषा|बङ्गाली]], [[आसामी भाषा|आसामी]], [[उडिया भाषा|उडिया]] आ [[नेपाली]]सँ एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन [[तिरहुता लिपि]] अछि मुदा हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि ।<ref name=Yadava2013>Yadava, Y. P. (2013). Linguistic context and language endangerment in Nepal. Nepalese Linguistics 28: 262–274.</ref> हाल मैथिली भाषा [[देवनागरी लिपि|देवनागरी]]मा लिखल जाइत अछि । <ref name=e17>Lewis, M. P. (ed.) (2009). [http://archive.ethnologue.com/16/show_language.asp?code=mai Maithili] Ethnologue: Languages of the World. Sixteenth edition. Dallas, Texas: SIL International.</ref>
मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।
मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।



अन्तिम परिवर्तन १२:४७, २९ जुन २०२१

मैथिली
Maithili, 𑒧𑒻𑒟𑒱𑒪𑒲
बाजल जाइवाला  स्थान:भारतनेपाल
प्रयोग क्षेत्र:भारतक उत्तरी बिहार, नेपालक तराई क्षेत्र
मातृभाषी:३५ मिलियन (लगभग ३.५ करोड)
भाषा परिवार:
शाखा भाषा:
केन्द्रीय (सोतीपुरा)
पश्चिमी
पूर्वी कुर्था
देहाती
जोलाहा
किसान
दक्षिणी नेपाल
ठेठिया
लिपिदेवनागरी
तिरहुता
आधिकारिक अवस्था
आधिकारिक भाषा
 भारत भारतक संविधानक आठम अनुसूची
 नेपाल अन्तरिम संविधान २००७ आ नेपालक संविधान २०१६
भाषा कोड:
आइएसओ ६३९-२mai
आइएसओ ६३९-३mai

मैथिली (/ˈmt[invalid input: 'ɨ']li/; Maithilī) भारोपेली भाषा छी जे मुख्य रूपमे भारतक उत्तरी बिहारनेपालक पूर्वी मधेस क्षेत्रसभमे बाजल जाइत अछि जनकपुर धाम में ई प्राचीन भाषा सेह‍ो बाजल जाई छैत समूह भारोपेली भाषा परिवार अन्तर्गत आवैत अछि आ भाषाशास्त्रक हिसाबसँ बङ्गाली, आसामी, उडियानेपालीसँ एकर निकट सम्बन्ध अछि । ई भाषाक अपन तिरहुता लिपि अछि मुदा हाल एकर प्रयोग न्यून देखल जाइत अछि ।[१] हाल मैथिली भाषा देवनागरीमा लिखल जाइत अछि । [२] मैथिली भाषा भारतक संविधानक आठम अनुसूची आ नेपालक संविधानक अनुसुचीमे सम्मिलित आ साहित्य परिषदद्वारा मान्यता प्राप्त भाषा छी ।

सन् २००२ मे मैथिली भाषाक भारतक संविधानक आठम धारामे समावेश कएल गेल जहिसँ भाषाक शिक्षा, सरकारी निकाय आ अन्य आधिकारिक प्रयोजनमे प्रयोग कऽ सकैत अछि।[३] सन् २०१५ मे मैथिली भाषाके नेपालक संविधान २०७२क भाग १, धारा ५ मे आधिकारिक भाषाक रूपमे राखल गेल अछि ।[४] भारतक ई एक सभसँ पैघ भाषाक अन्तर्गत आवैत अछि तहिना नेपालक ई दोसर सभसँ बेसी बाजल जाइवाला भाषा छी । [५] सन् २००१ धरि ई भाषा लगभग ४ करोड ४७ लाख लोकसभद्वारा बाजल जाइत अछि जहिमे सँ नेपालमे मात्र २८ लाख आ भारतमे ३ करोड ४७ लाख लोक मातृभाषाक रुपमे ई भाषाक प्रयोग करैत अछि ।[६]

भौगोलिक अवस्था

नेपालमे मैथिली तराईक जिलासभ धनुषा, सर्लाही, महोत्तरी, सिरहा, सप्तरी, सुनसरीमोरङमे बाजल जाइत अछि। ई भाषा विभिन्न जातिसभ आ समूहसभमे कायस्थ, राजपुत, ब्राह्मण, खत्वे, चमार, यादवतेली आ अन्य वर्गद्वारा बाजल जाइत अछि ।[१] संविधानमे समावेश भेलाक बाद मैथिलीमे प्राथमिक शिक्षाक रूपमे विद्यालयसभमे प्रयोग कएल गेल अछि ।[५] भारतक साहित्य प्रतिष्ठानद्वारा मैथिलीके साहित्यिक भाषाक स्थान पण्डित जवाहर लाल नेहरूक समयसँ प्राप्त अछि । भारतम मैथिली उत्तरी बिहारक मधुबनी, दरभंगा, सुपौल, पूर्णिया, मधेपुरा, कटिहार, अररिया, किशनगंजसहरसा जिलामे व्यापक रूपसँ बाजल जाइत अछि । मधुबनी आ दरभंगाक एकर प्रवेशद्वार मानल जाइत अछि । मातृभाषीसभ भारतक अन्य क्षेत्र जेना नयाँ दिल्ली, मुम्बई, पटनाकोलकातामे सेहो अछि ।

इतिहास

प्राचीन मैथिलीक विकासक शुरूवात प्राकृत आर अपभ्रंशक विकाससभसँ जुड़ल अछि । मैथिलीक इतिहास १४हम शताब्दीसँ जुड़ल अछि । सन् १५०७ सँ संरक्षण करि राखल वर्ण रत्नाकार नामक मैथिली गद्य पाठ मैथिली भाषासँ सम्बन्धित सभसँ पुरान दस्तावेज मानल जाइत अछि जे मिथिलाक्षर लिपिमे लिखल अछि ।[७][८]

मैथिली नाम कऽ उत्पति प्राचीन मिथिला राज्यसँ आएल अछि जकर राजा जनक छल्निह । राजा जनकक पुत्री आ राजा रामक पत्नी सीताक मैथिली नामसँ सेहो जानल जाइत अछि । मिथिलासँ समबन्धित विद्वानसभ अपन साहित्यिक काजक लेल संस्कृत भाषा आ आम लोकगीत (अवहट्ट) कऽ लेल मैथिली भाषाक प्रयोग करैत छल ।

पाल वंशक पतनक बाद, बौद्ध धर्मक अनुपस्थितिमे कर्नाट राजक स्थापना भेल आ कर्नाट वंशक हरिसंहदेव (१२२६-१३२४) मैथिलीक संरक्षक भेल । ओहि समयमे मैथिल कवि ज्योतिरिश्वर ठाकुर (१२८०-१३४०) एकटा पूर्ण मैथिली गद्य पाठ वर्णरत्नाकार लिखल्निह, जकरा आधुनिक हिन्द-आर्यन भाषा परिवार अन्तर्गतक सभसँ प्रारम्भिक दस्तावेज मानल जाइत अछि ।[९] सन् १३२४ मे, दिल्लीक सुल्तान गयासुद्दीन तुघलक मिथिला राज्यपर आक्रमण करि हरिसिंहदेवके पराजित केलक आ अपन पारिवारिक पुजारी ओइनवार वंशक मैथिल ब्राह्मण कामेश्वर झा कऽ मिथिला राज्य सौंपलक । मुदा ओहि कालखण्डमे कियो मैथिली साहित्य नै निर्माण कऽ सकलक । राजा शिव सिंह आ हुनकर रानी लाखिमा देवीक संरक्षणमे युग कवि विद्यापति (१३६०-१४५०) एक हजारसँ बेसी मैथिली अजर-अमर गीत निर्माण केल्हिन । हुनकाद्वारा निर्माण कएल गीतसभ राधाकृष्णक राशलीला, शिवपार्वतीक घरेलु जीवन आ संगे मोरङमे रहल आप्रवाशी मजदुर आ ओसभक परिवारपर आधारित छल । एकर संगे ओ विभिन्न सन्धिसभ संस्कृत भाषामे लिख्ने छल । विद्यापतिद्वारा निर्माण कएल गेल प्रेमगीतसभ बहुत कम समयमे सम्भ्रमित सन्त, कवि आ युवासभक दिल जितैमे सफल भेल छल । बङ्गालक वैष्णव सम्प्रदायक सन्त चैतन्य महाप्रभु ई गीतसभक पाछा प्रेमक दिव्य प्रकाश देख एकरा ओहि समुदायक आधारगीत बनेनाए छल । रवीन्द्रनाथ टैगोर उत्सुक भऽ ई गीतसभ अपन पदावली भानुसिंह ठाकुरेरमे अनुकरण केनए छल ।[१०][११]आसाम, बङ्गाल आ उत्कलक धार्मिक साहित्यके अपन रचनासभसँ विद्यापति बहुतेक प्रभावित केनए छल ।

मैथिली या तिरहुतियासँ सम्बन्धि अति प्रारम्भिक सन्दर्भ सन् १७७१ मे प्रकाशित अल्फाबेटम ब्राहमनिकम नामक पुस्तकमे कएल गेल अछि ।[१२]सन् १८०१ मे कोलब्रुक्स ऐसे अन द संस्कृत एन्ड प्राकृत ल्याङ्गवेज नामक पुस्तकमे मैथिलीके अलग बोलिक रुपमे वर्णन कएल गेल अछि ।[१३]

१७हम शताब्दीके मध्यमे वैष्णव सन्तसभ, विद्यापति आ गोविन्ददासद्वारा बहुतेक मृदुभाषी गीतसभ लिखल गेल । मापति उपाध्याय पारिजातहरण नामक नाटक मैथिली भाषामे लिखने छल । व्यवसायिक समूह मुख्यतया दलितसभ जकरा किर्तनिया सेहो कहल जाइत अछि ई नाटकके गीतक रुपमे जनसमूहमे प्रस्तुत करैलेल आरम्भ केलक । लोचन (१५७५-१६६०) रगतरागिनी लिखलक जहिमे सङ्गीत विज्ञानक महत्वपूर्ण ग्रन्थ, रागसभक वर्णन, ताल आ मिथिलामे प्रचलित गीत सङ्ग्रहित छल ।

१६ शताब्दीसँ १७ शताब्दीक बीचमे मल्ल वंशक शासनकालमे मैथिलीक पहुँच वृहत भेलाक संगे पुरे नेपालमे फैलल छल ।[१४][१५]

विद्यापति मैथिली भाषाक आदिकवि आर सर्वाधिक ज्ञात कवि छला । विद्यापति जी मैथिली अतिरिक्त संस्कृत तथा अवहट्ट शेहो रचना केनए अछि ।

ब्राह्मणेत्तर मैथिलीः विश्लेषण आ संश्लेषण

ब्राह्मणेत्तर मैथिलीक विश्लेषण आ संश्लेषण एकटा भेग विषय थिक । अहिमे भाषा, साहित्य, संस्कृति, परम्परा, रीतिथिति, पहिरनसहित अनेकन विषय समेटल जा सकैत अछि । ई एकटा अध्ययन, अनुशन्धान आ खोजक विषय सेहो अइछे आ बनबाको चाहि । एहि विषयकें जनबाक आ बुझमाक लेल मैथिलीभाषी क्षेत्रमे रग–रग पसरल ‘ब्राह्मणवाद’ आ ‘मनुवादी’ मानसिकताक जडिकें सेहो खोदबाक या कमेबाक लेल बान्छनिय अछि । जेना खेतमे लागल बालिकें कमेबाक आवश्यकता पडैत छैक, तहिना मैथिली भाषामे करैय पडत । आब मात्र जमिनकँे थामि या तामिकँे, कोरकार ककेँ, चौकी दकेँ बालि छिटलासँ काज नहि चलत । मैथिली भाषाक नाम पर खेतिपाती करैवला सब आजूधरि ‘बौग्ग’ लगाकेँ सोह्रे आना उब्जनी लइत रहल आ मैथिली माय घुसकुनिया कटैत रहली अछि । अनेक ‘वाद’केँ नाम पर जलकुम्भि सब मैथिलीभाषी क्षेत्रमे पसरि गेल अछि । ओ सबकेँ

उखाडि फेक नव सिरासँ आगा बढबाक नितान्त जरुरी भए चुकल अछि । अहि आलेखमे उपर उल्लेखित दूटा विषय पर प्रतिनिधिमूलक तथ्य सब मात्र उल्लेख अछि । ब्राह्मणेत्तर समुदायकँे कोन रुपेण मैथिलीमे अछोपकँे व्यवहार कयल जाइत अछि ? मैथिली मानकक नाम पर ब्राह्मणेत्तरकँे कोनाकँे अलग–थलग पारल गेल अछि आ पारि रहल छैक, तक्कर ई आलेख एकटा उदाहरण मात्र भँ सकैत अछि । ऐतह ई कहि दी जे आलेख कोनो जाति, धर्म, सम्प्रदाय आ वर्गक गरिमा आ प्रतिष्ठाकँे आँच पहुँचय से उद्देश्यसँ किमार्थ नहि लिखल गेल अछि । विशुद्ध मैथिली भाषाक उत्थान आ जर्गेनामे टेवा पहूँचय ताहि लेल अछि, एकरा मैथिली भाषामे जारी शुद्धिकरण अभियानक एकटा अंशकँे रुपमे मानल जाए, विनम्र आग्रह ।

ब्राह्मणेत्तर, भाषा आ साहित्यः

सामान्य बुझाईमे गइर–ब्राह्मणकेँ ब्राह्मणेत्तर कलह जाइत अछि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे अहि शब्दक प्रयोग बहुत कम भेटैक छैक । मुदा मैथिली भाषा, संस्कृति, साहित्यसहितमे ब्राह्मणवाद हाबी भेलाक कारण किछु समय एम्हर एहि शब्दक प्रचलन घनगर रुपमे फेरसँ शुरु भँ गेल अछि । पहिने साहित्यकेँ ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर रुपमे विभाजन कएल गेल बात किछु प्रकाशित सामग्री सबमे भेटैत अछि । कोनो भी भाषामे साहित्यकँे महत्वपूर्ण अंग मानल गेल अछि । साहित्यक रिढ कहल जाइत अछि भाषाकेँ । साहित्य साक्ष्य दू प्रकारकँे होएत अछि–धार्मिक साहित्य आ धर्मनिरपेक्ष (लौकिक) साहित्य । धार्मिक साहित्यकँे अन्तर्गत ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर ग्रंथ अबैत अछि । वेद, पुराण, उपनिषद्, रामायण, महाभारत, स्मृति ग्रंथ इत्यादि ब्राह्मण साहित्यकँे अंतर्गत आ जैन तथा बौद्ध रचना सब ब्राह्मणेत्तर साहित्य अन्तर्गत अबैत अछि (सत्य प्रकाश, सन् २०१८) । एहिमे कबिरक बाणी, रवि दाससहितकँे सेहो जोडि सकैत छि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे ब्राह्मण साहित्यक प्रभाव बड बेसी भेटैत छैक । कृर्तिम पात्र खडा ककेँ ‘धार्मिक गुलाम’ बनबैयवला मिथक कथा सब बहुत प्रचलनमे अछि । एहिमे सबसँ बेसी ओझरायल ब्राह्मणेत्तर जाति÷समुदाय भेटैत छैक । ब्राह्मणवादी मिथक सबकँे प्रभावमे एतौहका मूल निवासी वा ब्राह्मणेत्तर संस्कृतिवला लोक सब अपन बृद्धिमान, उदार आ न्यायप्रिय राजकँे प्रतिमानकँे भूल जाइत अछि, बिसरि गेल अछि ।

मैथिलीभाषी क्षेत्रमे ब्राह्मण बाहेककेँ ब्राह्मणेत्तर मानल गेल अछि । तेँ ओ सब जे बजैत–भुकैत छथि, से ब्राह्मणेत्तर भाषा भेल आ ई भाषाक टोन ब्राह्मण सँ अलगे होइत छैक । अखनोधरि मैथिलीमे ओहि टोनकेँ मान्यता कथित ‘मानक जातिक’ महाजन लोकनि नहि देने छथि । मुदा कहैत जरुर छथि जे ‘अहाँ जे बजैत छि, सेहा मैथिली थिक’ । ई नारा व्यवहार आ कार्यान्वयनमे शून्य देखल गेल अछि । ओहुना मैथिली भाषी क्षेत्रमे अतितमे ब्राह्मणवादीद्वारा चार वर्ण (ब्राह्मण, क्षत्रिय, वैश्य आ शुद्र), पचपनियाँ, सोलकन, पिछडावर्गसहितकँे विभाजित कएले गेल छल । आब ब्राह्मणेत्तरकँे रुपमे भँ रहल अछि । एहन परिस्थिति एनाई दूर्भाग्यपूर्ण थिक । एहन अवस्था किएक आएल अछि ? कि मैथिली ब्राह्मणेत्तरकेँ नहि छियैक ? यदि छियैक त ओकरा सबकेँ अहि भाषासँ जोडबाक लेल प्रयत्न किएक नहि भेल आ भए रहल अछि ?...एहने बहुत रास प्रश्न आ जिज्ञासा वर्षौसँ सार्वजनिक भँ रहल अछि । समाधान दिस किनको ध्यान किएक नहि जा रहल छनि ?

ब्राह्मण आ ब्राह्मणेत्तर भाषा÷साहित्य÷ग्रंथ दू फराक विषय थिक । ब्राह्मणेत्तर साहित्य सबमे, खास ककेँ मैथिलीभाषी क्षेत्रमे पसरल जकाँ विभिन्न ‘वाद’ वा जातिगत विभाजनक बात नहि भेटैत छैक । ब्राह्मणेत्तर साहित्य –बौद्ध ग्रन्थ त्रिपिटक, जैन ग्रंथ, जातक कथा सब अछि, एकरा अध्ययन कएलाक बाद एहा निस्कर्ष निकलैत छैक । अई साहित्य अन्तर्गत सर्वाधिक प्राचीन ग्रन्थ त्रिपिटक अछि । ई सर्वाधिक प्राचीन बौद्ध ग्रन्थ सेहो अछि । त्रिपिटक तीन अछि–सुत्त पिटक, विनय पिटक, अभिधम्म पिटक । सुत्त पिटकमे बुद्धकँे धार्मिक विचार आ वचन संग्रहित अछि , एकडा वौद्ध धर्मकँे इनसाइक्लोपीडिया कहल जाएत अछि । विनय पिटकमे बौद्ध संघकँे नियम, अभिधम्म पिटकमे बौद्ध दर्शनकँे विवेचना आ जातकमे बुद्धकेँ पूर्व जन्मकँे काल्पनिक कथा सब भेटैत अछि । मैथिलीभाषी क्षेत्रमे.ब्राह्मणेत्तर साहित्यक चर्च सेहो मुश्किलसँ होयत अछि ।

भाषाकें प्रारम्भिक विकासमें ब्राह्मणेत्तर :

ब्राह्मणेत्तर शब्दक प्रयोग महात्मा गांधी सेहो कएने छथि । ओ कहने छथि, ‘दक्षिण भारत जतेह ब्राह्मणक दृष्टिमे ब्राह्मणेत्तर मात्र अस्पृश्य मानल जाइत अछि, ओतेह त ब्राह्मणवादीद्वारा कएल गेल विभेदक विकृति थप विकृतिपूर्ण देखल गेल अछि । ओकरा सबकँे पक्षमे खडा होमेवला कोनो व्यक्ति नय भेटैत अछि’ (महात्मा गांधी, १९५८) ।  किछु साहित्य प्रकाशन सबमेँ कबिरक वाणीकँे ब्राह्मणेत्तर परम्पराकँे उपादानक निर्देशनकँे रुपमे सेहो प्रस्तुत कयने छैक (मधुमति, सन् १९८६) । मिथिलाभाषी क्षेत्रमे बुद्ध, कबिर, महाविरसहितकें ब्राह्मणेत्तर पर लिखल साहित्य नगण्य छैक, खोजलो पर भेटनाई मुश्किल अछि । सबसँ बेसी विद्यापति पर लिखल गेल अछि । भुसुक राउत जे ब्राह्मणेत्तर जातिकेँ सिद्ध साहित्यकार छलाह, हुनका पर लिखल साहित्य–सिर्जना बड कम भेटैत छैक । जब की विद्वान लोकनिकेँ मत छनि जे मैथिली भाषाकेँ प्रारंभिक विकास ब्राह्मणेत्तर जातिसँ शुरु भेल अछि । बीएन मंडल विश्वविद्यालयके अंग्रेजी विभागक पूर्व संकायाध्यक्ष डा. ललितेश मिश्र एहि बातक रहस्योघाटन करैत कहैत छथि, ‘मैथिली भाषाकें प्रारम्भिक विकास ब्राह्मणेत्तर जातिकँे सिद्ध साहित्यकार भुसुक राउत, डाक आदिकँे जरिए भेल रहैक (जागरण डट कम, २०१७) ।

मैथिली भाषामेँ ब्राह्मणेत्तर जातिकेँ योगदानक चर्चा एकगोटा विद्वान÷समालोचक मोहन भारद्वाज सेहो खुलिएकेँ केने छथि । ओ त मैथिली भाषाक उत्पतिकँे श्रेय ब्राह्मणेत्तरकेँ दैति छथि । ओ लिखैत छथि– ‘स्पष्ट अछि जे मैथिली मिथिलाक भाषा अछि । मिथिलाक मूलनिवासी द्रविड आ जनजातीय लोक सभ छलाह । ओ सभ मुण्डारी परिवारक भाषा (कोल भाषा) बजैत रहथि । कालान्तरमँे ओकर स्वतंत्र नामाकरण भेल । आई ओकरा मैथिली कहल जाइत छैक ।....मुंडा–परिवारक अनेक जनजातिय भाषा सँ ल’ क’ संस्कृत आ हिन्दी धरिक अगणित शब्द मैथिलीक शब्द–भंडारमे अछि । मुदा, मैथिलीक जे व्याकरण–पोथी अछि ताहिमँे अधिकांश एहने अछि जाहिमँे मैथिली समाजक भाषिक विविधताकेँ नकारल गेल अछि । लेखक भाषाकेँ समाजक सामुहिक देन नहि मानैत वर्गीय आ जातिय भावनासँ परिचालित भेलाह अछि । सामन्ती आ जातिय आँखिसँ भाषाकँे देखलनि अछि । वाचित भाषाकँे नकारि देलक अछि, जे मैथिली भाषाकँे जीवन्तता आ जिजीविषाक प्रमाण अछि । मैथिलीक मूल स्वभाव आ शक्ति के अनठा क’ दुतकारि क’ मिथिलाक सम्भ्रान्त वर्ग मानक मैथिलीक परिकल्पना कयने छथि (डाक–दृष्टि, २०१२) ।

मानकिरणकेँ नाम पर विभेद:

ब्राह्मणेत्तर मैथिलीभाषी आमजनकेँ बोली, लय, शैलीकेँ कथित ‘मानक जातिक’ लोक सभ मैथिली मानिते नहि छथि । तेँ मैथिलीक वर्षौसँ दूर्भाग्यपूर्ण नियति भोगि रहल अछि । शुद्ध आ विशुद्ध या अशुद्धकेँ लडाई जाधरि मैथिलीभाषामेँ रहत एकर उन्नयन आ विकास असंभव अछि । छुत, अछुत, अछोप... बला बात मैथिलीभाषी बहुत झेललक/खेपलक अछि । आब ‘हम आ ओ’ बला बात मैथिलीमें दुर्भाग्यपूर्ण अछि । भाषाविद् डा.रामअवतार यादव कहैत छथि– ‘मानक मैथिलीक प्रचलनक आधार भाषावैज्ञानिक नहि भ’ सामाजिक आ भाषावैज्ञानिकेतर अछि । जाति, शिक्षा, पारिवारिक वा सामाजिक पृष्ठभूमि, सामाजिक मनोवृत्ति आदि सन भाषावैज्ञानिकेत्तर कारक तत्वक पृष्ठभूमिमँे एहि मानक मैथिलीक आधारशिला स्थापित भेल अछि ओ खास क’ ब्राह्मण आ (कर्ण) कायस्थ जातिद्वारा अपना–अपना बोलीकेँ उत्तम, स्तरीय ओ विशुद्ध मैथिली बुझि अभिमान करब एहि मानक मैथिलीक विशेषता मानल जाइत अछि । मिथिलाक ब्राह्मण ओ कायस्थ एक प्रकारक कृत्रिम ‘हम–ओ’ भिन्नताक सृजन क’प्रचण्ड रुपेँ एहि कुत्सित भावनासँ ग्रस्त छथि’ (मैथिलीक भाषिक वैविध्य ः औपभाषिक ओ मानक स्वरुप, १९९९) । डा.यादव मैथिलीक मानकक निर्धारण भाषा बैज्ञानिकद्वारा होए, से कहैत छथि । मुदा आब बागमतिमेँ बहुत जल प्रवाहित भए चुकल अछि , पानिबहि गेल अछि, तेँ भाषाक मानक जन–जनकेँ बोली, शैली, लय, तर्जसहितकँे आधार पर होमाक चाहिँ । लोक सब आब एहेन मैथिली भाषाक प्रतिक्षामें छनि, जहिमे ओकरा सबहक अपन बोली समावेश होय, ओ सब सेहो अपनत्व भावनाक साथ पढय आ लिखय सकैय, नेपाली भाषा जँका ओकरा सबहक अपने मातृभाषा दोसर भाषाक रुपमेँ नहि बनौक....।

आम मैथिलीजनकेँ मैथिलीभाषाप्रतिकँे त्रास आ भयकेँ अंग्रेजी विद्वान पोल आर ब्रास सेहो पुष्टि करैत लिखति छथि– ‘मैथिलीभाषी समाजक भाषिक दुगोलाक चलते मैथिली भाषाक विकास अन्य भाषाक तुलनामे मंथर गतिसँ भेल अछि । छात्रलोकनि मैथिली पढवामे एहि लेल हिचकिचाइत छथि जे ओ जाहि वत्र्तनीमे लिखताह ताहिसँ भिन्न वत्र्तनीकेँ मानयवला यदि परीक्षक भ’गेलथिन त’ हुनक अंक कटि जयतनि ’(ल्याङ्गवेज, रीलीजन एण्ड पोलिटिक्स इन नोर्थ इण्डिया, १९७४) । ब्राह्मणेत्तर लोकनिकेँ अहि डर÷त्रासक निर्वारणकर्ताकँे खोजि मैथिलीभाषी क्षेत्रमें दशकौं पहिनेसँ भए रहल अछि । अहि विषय पर कोहि दादा कहबैक लेल निकलूँ ? हाँ, अहिकेँ लेल ‘अश्व शक्ति’ बढेनाय परम आवश्यक सेहो अइछे । ई शक्ति प्राप्तिक लेल मैथिली पत्रकारिताके अस्त्रकेँ रुपमे प्रयोग करबाक सुझाब नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठानसँ प्रकाशित आङन पक्रिकामे अछि । पत्रिका अनुसार, विभिन्न भाषाकेँ अपन–अपन महत्व आ पहिचान होइत अछि । मैथिली भाषा ओहिमें सम्भवतः सबसँ उपर आ आगाँ अछि । एकर विरासत आ इतिहास आन कोनो भाषासँ बेसी गरिमामय अछि । परञ्च मैथिली डेगाडेगी मात्र बढिरहल अछि । अहि भाषाक उत्थानक लेल सरोकारवला सभकें ‘अश्व शक्ति’ बढेनाई आवश्यक अछि । अहि शक्तिकेँ प्राप्तिक लेल मैथिली पत्रकारिताकें एकटा अस्त्रक रुपमे प्रयोग कएल जा सकैत अछि (आङ्न,४०ः२०७५) ।

मैथिली भाषामे ब्राह्मणेत्तर मैथिली भाषीकँे महत्वपूर्ण योगदान छलैक,अछि आ रहत । डाकवचन एकर एकगोटा साक्षात प्रमाण थिक । मैथिली साहित्यक प्रारम्भ डाकवचनसँ भेल अछि । ओना, इतिहासकार लोकनि ज्योतिरीश्वरकृत वर्ण रत्नाकरसँ एहिसात्यिक विवेचन–विश्लेषण शुरु करैत छथि, मुदा से उचित नहि । एहिसँ इतिहासकार सभक दृष्टि–सीमा तथा सामथ्र्यहीनता तँ देखार होइते अछि, मैथिली भाषा–साहित्यक कतेक अहित भेल अछि सेहो ध्यान देबाक विषय थिक । असलमे मौखिक साहित्यकेँ साहित्य नहि कहब, ओकर सोध–अनुशन्धान नहि करब जाहि मानसिकताक देन अछि तकर परिणाम मैथिली साहित्यक इतिहाससे नहि, सम्पूर्ण मिथिला–मैथिली भोगि रहल अछि (डाक–दृष्टि) । बहुत रास विद्वान लोकनि डाकवचनकँे लोकसाहित्यकँे उपमा दैति छथि । खास ककें उदारवादी मैथिली साहित्यकार त अहि दिस अपन कलम चलबैइते आबि रहल अछि । डाकवचन लोकसाहित्य, मौखिक साहित्य आ लोककथन अछि((ऐऐ) । डाकवचन एकटा मौखिक साहित्य अछि , एकरा सैकडो वर्ष धरि एकर वाचिकेँ रुप प्रचलित रहल बात दूर्भाग्यपूर्ण अछि । बाह्मणेत्तर साहित्य भेलाक कारण डाकबचनकँे अहि अवस्थासँ गुज्र पडल । ओना आब त लिखित रुप सेहो उपलब्ध भँ रहल अछि । मुदा मौखिक साहित्य के साहित्यक कोटी ने नहि रखनिहार लेखक सभ एकरा साहित्य मानैय लेल तयार एखनो नहि अछि ।

अपभ्रंश शब्द आ गलत प्रचारः

लोक शब्दक अर्थ अछि, ‘लोक समाजक ओ वर्ग थिक जे आभिजात्य संस्कार, शास्त्रीयता आ पाण्डित्यक चेतना एवं अहंकारसँ मुक्त रहैत एकटा परम्पराक प्रवाहमे जीबैत अछि (हिन्दी साहित्यकोश, १९८५) । लोक भाषा, संस्कृति आ साहित्यकँे प्रतिनिधित्व आ बचाबमे ब्राह्मणेत्तर वर्गक योगदान अतूलनीय अछि । मुदा मैथिली साहित्यमे ब्राह्मणवादीकँे द्वारा ब्राह्मणेत्तरकँे वर्षौंधरि अछोपक श्रेणीमेँ राखल गेल अछि । एकरा प्रष्ट रुपसँ कहल जाए त  मैथिली भाषा, साहित्य आ संस्कृति पर ब्राह्मणवाद हावी अछि । तेँ मैथिली भाषा वषौंसँ पाछा अछि । कण्ठानुकण्ठ विकसित होमयवला काव्य–वाणीसँ भरल–पूरल अछि ब्राह्मणेत्तर मैथिली मुदा एकर लिखित रुप नहि भेलासँ ब्राह्मणवादी साहित्य मैथिलीभाषी क्षेत्रमे लोकगीतकँे रुपमे प्रचार कयल गेल अछि । एकटा उदाहरणकँे रुपमे ग्राम्य लोक–आस्थाक केन्द्र रहल ‘डिहबार बाबा’क महिमा गीत ‘ब्राह्मण बाबू यौ, कनियो कनियो होइयौ न सहाय....’ के लेल जा सकैत अछि । अहि गीतकँे व्याख्या करैत पत्रकार श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’ लिखैत छथि, ‘ गीतमे ब्राह्मण कहि डिहबारकेँ सम्बोधन कएल गेल अछि । आपत–विपत वा समस्या पडलाक अवस्थामे ब्राह्मण अर्थात राजाजी डिहबारकेँ सहारा बनबाक लेल विन्ती कएल जाएत अछि ’ (आङन, २०७५, पृ.९४) । प्रायः मैथिली भाषी क्षेत्रमे ‘बरहम बाबा’कँे रुपमँे सेहो संवोधन होयत आबि रहल ‘डिहबार बाबा’ गावसँ बाहरे भेटैत अछि । एकरा सर्वजातीय लोकप्रिय लोकदेवता मानल जाएत अछि । ब्रह्मासँ ‘बहरम’ आ बादमे ‘ब्राह्मण’ बनि गेल होयत, निराकार ब्रह्मा साकार आ सद्गुण बरहमक रुपमे मिथिलाञ्चलमे पूजित आ सम्मानित अछि (मैथिली संस्कृति, २०५६) । बहरम सँ बराहमन बनाओल गेल आ ओकरा गीतक रुपमे प्रचार कयल गेल बुझमामे किनको कोनो दिक्कत होएत से नहि बुझायत अछि । बरहम बाबा या डिहबार बाबा थानतर गबैवला किछु गीत सब अछि– ‘हाथ चलैत बिहुसैल छतिया ओ बराहमन बाबु, हाथ दुवु कमलक पटल ओ बराहमन बाबु...,’ ‘करिया मेघ चढि वैसल हो बराहमन सुगवा जकाँ मडरावैं......,’ ‘बरहामन बाबुकँे आङना चनन घन गछिया...,’ ‘मुखले जे खयलक हो बरहामन अछतकँे धनमा...,’ ‘तीन रंग घोडवा बरहामन सबुजे रंग वछेखा,’ ‘बराहामन बाबु भेल असबार....,’ ‘बेरी वरजौ मालिक बेरी आ ओही बाटे जयता बरहामन बाबु...’ (ऐऐ) सहितकँे बहुत लोकगीतमेँ उल्लेख कयल गेल निराकार दिहबार (बरहम)कँे लेल प्रयोग भेल शब्द कोनाकेँ अपभ्रंस भए ‘बराहमन(ब्राह्मण)’ बना देल गेल अछि । अहि गीत सभहक अपव्याख्या के पुष्टि तखन होयत अछि जखन बरहम बाबाकँे अध्र्य देबाक समय गाबैवला गीतमेँ लाल जनेउकँे प्रसंग अबैत अछि । ई गीत देखल जाए –

‘.........छोट बगिया लगायब, ओतअ फुलवा लोढाएव रोज दिन,

लाल जनेउ मङ्गायब, करिया छागर धुर बाहयब ।

(मैथिली संस्कृति,पृ.१३१)

‘....पानबिनु मुहमा मलिन भेल,

जनेउ बिन सुखल शरीर......।’

‘...भइया मोरा काटतै बरहामण टकुरी सँ मुनरिया,

बहिनी मोरा खेहैत रे जनेउ आ,

धनी मोरा रंगतै बरहामन पाटे सुत जनेउआ ।’

(मैथिली संस्कृति,पृ.१३२)

बरहम वा डिहबार बाबा सूर्य आ निरञजनकेँ प्रतीककेँ रुपमे सूर्यक स्वरुप आ संस्कारसँ मण्डित अछि । ओ निराकार अछि । मिथिला क्षेत्रमे कतौह बरहम बाबा त कतौह डिहबार बाबाकेँ रुपमे गामक तमाम लोकक आस्थाकँे केन्द्र अछि । सम्भवत :डिहबार थानमे माटिकँे पिढी मात्र भेटत । हाँ मिथिलाक पारम्परिक लोकमूर्तिकलामँे घोडा पर चढल बरहम बाबाक माटिकँे मुर्ति जरुर भेटैत अछि । जहिमँे कोमल कान्त मुखाकृति, माथ पर पगडी, सेरवानी धोती आ चमडाकँे जुत्ता लगाओल मुर्ति सिल्पी जाति कुम्हार समुदायकँे द्वारा बनाओल जाएत अछि । मिथिलाक विभिन्न मांगलिक कार्यमँे दिहबार स्थान पर चढाओल जाएत अछि (ऐऐ) ।

ब्राह्मणेत्तर समुदायकँे मैथिली संस्कृतिकँे बचाबमे महत्वपूर्ण योगदान सबदिनसँ अछि । मुदा ओ मिथिलामे हमेसा पाछा रहल अछि । धर्मक नाम पर दास बनाओल गेल अछि । आब भाषाक नाम पर दास बनाओल जा रहल अछि । पाणिनि व्याकरणक चर्चा मैथिली भाषाकँे लेल  करैवला सब ब्राह्मणेत्तरकँे भाषिक लय, शैली, बोली, कण्ठोच्चारकँे बाईपास करैत आबि रहल अछि । ई ब्राह्मणेत्तर समुदायकँे मैथिली मातृभाषाकँे दोसर भाषाक रुपमे प्रस्तुत करबाक प्रपंच मात्र अछि । सावधान आ सचेतना जरुरी अछि । ब्राह्मणेत्तर नहि शुद्ध नेपाली लिख सकत आ नहि मैथिली बाज आ लिख सकत त ओकरा सबहक भाषिक अधिकारक एकटा उलंघन नय भेल कि ?

लेखनीमे जातिकँे प्रभाव रहितै छैक, मुद्दा एकर अर्थ ई किन्नौह नहि जे ओकरा अपन स्तुतिगानमँे प्रयोग कएल जाय । शब्दके अपभ्रंस कयल एकटा अउर उदारहण देखियौं : मैथिलीमँे जे डाकवचनक संकलन–संपादन भेल अछि तकर अवस्था व्यक्ति पिच्छे फरक भेटैत छहि । डाकवचनक वनस्पति प्रकरणमे केरा रोपबाक प्रसंग आयल अछि । विद्वान कपिलेश्वर झा आ जीवानन्द ठाकुरक संकलनमँे ओकर प्रारम्भिक दू पाँती एहि प्रकार अछि–

कहए डाक तों सुनह रावन, केरा रोपी अखाढ सावन ।

तीन सय साठि जे केरा रोपए, आबि निचिन्त घरहि भए सुतए ।।(पृ.६७)

शशिनाथ झाक संग्रह मे ई पाठ अछि–

कहय डाक तों सुनह बाभन, केरा रोपी असाढ सावन ।

तीन सय साठि जे केरा रोपए, आबि निचिन्त घरहि भए सुतए ।।(पृ.३८)

ई उपर देल गेल दूटा फरक संग्रहकेँ मोहन भारद्वाजकँे ‘डाक–दृष्टि’ मे सुन्दर व्याख्या कएल गेल अछि । ओ लिखैत छथि–

ध्यान देबाक अछि जे शशिनाथ झाक पाठमे ‘रावन’ बदला ‘बाभन’ शब्द अछि । किएक ? ओ प्रायः मानैत छथि जे रावन राजा रहय, ओकरा केरा रोपबाक लेल कहब उचित नहि । तेँ शशिनाथ झा रावन केँ नहि, बाभन केँ सम्बोधित करैत छथि । मुदा, वास्तविकता से नहि अछि । वामन शिवराम आप्टे संस्कृत–हिन्दी कोश मे रावण शब्दक अर्थ लिखने छथि– क्रन्दन करयवला, चीत्कार करयवला । माने ई जे डाकक पद मे रावनक अर्थ अछि गरीब–गुरबा, दीन–हीन । उक्त पद एहने असहाय लोक केँ संबोधित अछि । एहिठाम रावण शब्दक प्रयोय अत्यन्त सटीक आ सार्थक अछि । तखन शशिनाथ झाक पाठान्तरक प्रसंग की कहल जाय ?(ऐ.ए.े)

डाकवचनक रचना शुरु भेल दशम् शताब्दीमे । मौखिक स्तर पर । कालक्रमे पदक संख्या बढैत गेल । कपिलेश्वर झा(१९२४ ई) डाकबचनक के पहिल संकलक छथि । ई संग्रह लोककण्ठसँ कयल गेल छल, तेँ एहिमे संस्कृतसँ अनूदित वा प्रभावित रचना कम अछि । भाषा तथा लेखन–शैली सेहो लोकमानसक अनुकूल अछि(ऐ.ऐ.) । मुदा प्रचलित समयमे ब्राह्मणेत्तर लोकनिक मौखिक सामग्री सब बड कम भेटत, जे भेटल चिकनाय आ पोलिस कयल भेटत । ओ लोकमानसक आ ग्राम्य बासिन्दाक अनुकूल कम आ बजारमे रहैयवला मैथिली भाषाक दोकानदारीमे लागल लोक सबहक घाटानाफा के गणितमे ओझरायल बेसी भेटत ।

नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू सँ प्रकाशित बहुभाषिक अर्धवार्षिक पत्रिका सयपत्रीमें ‘मैथिली भाषा आ साहित्य ःसमस्य आ समाधान’ शीर्षक आलेख मे लिखल अछि, ‘ चौधम् शताब्दीकेँ महान ग्रंथ ज्योतिरीश्वरक ‘वर्णरत्नाकर’ मे अन्य नाच आ लोक बाजा सबकेँ चर्च कएल गेल अछि, परन्च ‘सलहेस नाच’ आ ‘ओरनी’ के चर्च नहि अछि(लोकनायक सलहेस, २०७०) । बहुत राश इतिहासविद्क मत छनि जे सलहेसक काल ओहूँ सँ पहिने शुरु भेल रहेक आ सलहेस नाच ओहेँ समय प्रचलन मेँ आयल होयत । इतिहासविद मणिपद्म पाँचम् वा छठम् शताब्दी मे सलहेसक जन्म भेल बात लिखने छथि । ओना त अहि विषय पर मतैक्यता नहि अछि । तईयो बहुमत विद्वानक मतकँे जौ मानल जाए त ज्योतिरीश्वर सँ बहुत पहिने  सलहेसक जन्म भेल रहल निस्कर्ष पर पहूँचल जा सकैत अछि । मादे, ‘दलित’ होमाक कारण हुनका ओहि समयमेँ अपन साहित्य रचनामे उल्लेख करबामे मनासिब नहि मानल गेल होए ?(सयपत्री, २०७५) ।

पदासिन लोकनिके भूमिका :

मैथिलीमे ब्राह्मणेत्तर लोकनिकँे अपन–अपन भाषा, शैलीमे सिखबाक–बुझबाक, लिखबाक आज्ञा नहि छैक । कथित ‘मानक जाति’ वला सभ ओकरा सबहक भाषाक मान्यता मैथिलीक रुपमे नहि दैत छथि । एकर पैघ उदाहरण सरकारी संचार माध्यम, छापा वा प्रकाशनमे कार्यरत समाचार वाचक, लेखक आ सम्प्रेषक तथा भाषा सम्पादक आ सरकारी पाठ्य पुस्तक लेखनमे ब्राह्मणेत्तर जातिकँे न्यायोचित स्थान नहि गेल तथ्यकँे लेल जा सकैत अछि । दिबिया नेसकँे खोजब तइयो नहि भेटत । हाँ, कतौह भेटियो जेताह त ओ ‘मुर्ति जका ठाड’ भेटत । ओ कोनो दुकानक ‘शोपिस’ मोडेलकँे भूमिकामे मात्र भेटत । पद आ कुर्सीकँे लेल अपन मान, प्रतिष्ठा आ ईज्जतकँे दाउ पर लगेबाक लेल आतूर भेटत । तेँ बहुजन लोकनि मैथिली भाषाप्रति उखरल स्वभावके बडबेसि भेटैत छथि । मिथिलामे बुद्धकँे निस्तेज कयल गेल बात आब पुरान भँ गेल । मुदा कोनो भी भाषाकँे समृद्ध आ सर्वमान्य बनेबाक लेल हुनक ई तथ्यगत बात बिचारणी विन्दू भँ सकैत अछि– ‘बुद्ध ब्राह्मण नहि, ब्राह्मण विचारधाराक विरोधी छलाह । संस्कृत भाषा नहि, धर्माचारमे संस्कृतक माइनजी हुनका अखरैत रहनि । तेँ ओ कोनो एकटा भाषाकेँ नहि, जनपदीय सभ भाषाकेँ समान मानलनि । एक बेर हुनक दू शिष्य हुनकासँ अनुरोध कयलथिन जे अपन धर्मोपदेशक भाषाकेँ वैदिक भाषामे निबद्ध करबाक अनुज्ञा देल जाए । एहि पर बुद्ध कहलथिन–भिक्षुगण, हम अपन वचनकेँ प्रत्येक व्यक्तिक अपन–अपन भाषा, शैलीमे सिखबाक–बुझबाक, लिखबाक आज्ञा दैत छी ’ (सयपत्री :१०६ः२०७५/डाक–दृष्टिः६०–६१ः२०१२ई) । कथित ‘मानक जातिक’ लोक सभ अहि बातकेँ कोना बुझत,  जौ ज्योतिरीश्वर जेहेन पण्डित नहि बुझिलथि । ओ अपन ‘सरोवरवर्णना’ मे लिखने छथि –बौद्धपक्ष अइसन आपात भीषण । तब कहूँ ब्राह्मणेत्तर बुद्ध मैथिली भाषी क्षेत्रमे कोनाकँे टिकत ? संसारभरि बुद्धकँे लाखौं अनुयायी भेटत मुदा मैथिली भाषि क्षेत्रमे बहुत कम, किएक ? ब्राह्मणेत्तरकँे प्रतिनिधित्व करैवला ग्रन्थ÷साहित्यकँे रचइता बुद्ध आ जैन सनक अहिंसाक पुजारी मैथिली भाषि क्षेत्रमे बहिष्कार भेल रहैक, अछि । मैथिली भाषाकँे शुद्धिकरणमँे लागैयबला लोक ‘कोन वृक्ष के पात’ छथि । अनर्गल प्रचार ककँे बदनामी करैत ओकर वहिष्कारक प्रपंच होइछै, होमे करत । ऐहन प्रपंच कएनिहार पाखण्डी आ मक्कार लोकसँ मैथिली के बचेबाक लेल आवश्यक अछि ।   

अन्त्यमे,

‘संस्कृति’ शब्द ‘कृति’कँे आगा ‘सम्’ उपसर्ग लगेलाक बाद बनैत अछि । ‘संस्कृति’केँ अभिप्राय अछि, जकरा बनेबयमे आ आगा बढबयमे समाज’क सब वर्ग’क योगदान बराबर होय, जहिमे सबकँे समान सहभागिता होय, ओकरा लेल आवश्यक अछि जे समाजमे सब कियो बराबर होय आ प्रत्येककँे अपना पक्ष प्रस्तुत कएबाक लेल पूर्ण स्वतंत्रता होए । व्यक्तिकँे चारित्रिक विविधता सबकँे सम्मान करैत संस्कृति सदस्य इकाई सबकँे मन, विचार, रीति–रिवाजकँे सामंजस्यीकरणकँे काम करैत अछि, ताकि आगंतुक पीढि सब समाज’क आदर्श, रीति–रिवाज तथा ज्ञानानुभाव सबस“ लाभ उठा सकैह । मिथिला क्षेत्रमें पसरल विकृति आ विसंगिक हटेबाक हेतू संकटमोचककेँ आभावक कारण मैथिली अपन मूल बाट सँ भटैक गेल । सबगोटाके एक साथ लकेँ आगा बढबाक अनिवार्यता अछि ।


सन्दर्भ सामग्री :

  1. सत्य प्रकाश : प्रधान संपादक, दिसा, दि मेगा वार्षिकांक (वर्ष पुस्तक) २०१८, हिन्दी द्वितीय संस्करण,नयाँ दिल्ली(भारत), सन् २०१८) ।
  2. महात्मा गांधी : सम्पूर्ण गान्धी वंशमय, प्रकाशक : प्रकाशन विभाग, सुचना और प्रसारण मन्त्रालय, भारतसरकार,भोल्युम २८, पृष्ठ ३६४, सन १९५८ )
  3. मधुमती : राजस्थान साहित्य अकादमी(संगम), भोल्युम २५, पृष्ठ ५८, सन् १९८६ ।
  4. डा.ललितेश मिश्र : पूर्व संकायाध्यक्ष, अंग्रेजी विभाग, बीएन मंडल विश्वविद्यालय, स्रोत :जागरण डट कम, १२ सेम्टेम्बर २०१७ ।  
  5. मोहन भारद्वाज :डाक–दृष्टि, मैथिली लोक रंग(मैलोरंग) दिल्ली भारत , २०१२
  6. डा.रामावतार यादव : मैथिलीक भाषिक वैविध्य : औपभाषिक ओ मानक स्वरुप,जिज्ञासा, वर्ष–४,अंक–६, १९९९ पृ.७५)
  7. हिन्दी साहित्यकोश भाग–१ :ज्ञानमंडल लिमिटेड, वाराणसी, १९८५,पृ.७४७
  8. वामन शिवराम आप्टे : संस्कृत–हिन्दी कोश, मोतीलाल बनारसीदास, दिल्ली, २००१,पृ.९१०
  9. डा.रामदयाल राकेश :नेपाल राजकीय प्रज्ञा–प्रतिष्ठान, कमलादी, काठमाडौं,२०५६(प्रथम संस्करण),पृ.१२७–१३२)
  10. पोल आर ब्रास : ल्याङ्गवेज, रीलीजन एण्ड पोलिटिक्स इन नोर्थ इण्डिया, १९७४, पृ.६८)
  11. –दिनेश यादव :सयपत्री (बहुभाषिक अर्धवार्षिक पत्रिका), प्रकाशन : नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, शीर्षक : ‘मैथिली भाषा आ साहित्य :समस्य आ समाधान’ पूर्णाङ्क–३५–३६(संयुक्ताङ्क), २०७५,पृष्ठ –७६)
  12. श्यामसुन्दर यादव ‘पथिक’ : आङन, ‘ग्राम्य लोक–आस्थाक केन्द्र :गामक राजा डिहबार’, प्रकाशक :नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू,  २०७५, पृ.९३–९४
  13. दिनेश यादव :आङन, ‘भाषिक पत्रकारिताः चुनौति आ समाधान’, प्रकाशक :नेपाल प्रज्ञा प्रतिष्ठान, काठमाण्डू, २०७५, पृ.४० ।

सम्बन्धित पृष्ठ

सन्दर्भ सूची

  1. १.० १.१ Yadava, Y. P. (2013). Linguistic context and language endangerment in Nepal. Nepalese Linguistics 28: 262–274.
  2. Lewis, M. P. (ed.) (2009). Maithili Ethnologue: Languages of the World. Sixteenth edition. Dallas, Texas: SIL International.
  3. Singh, P., & Singh, A. N. (2011). Finding Mithila between India’s Centre and Periphery. Journal of Indian Law & Society 2: 147–181.
  4. Government of Nepal (2015). Constitution of Nepal 2015
  5. ५.० ५.१ Sah, K. K. (2013). Some perspectives on Maithili. Nepalese Linguistics 28: 179–188.
  6. "विश्व भाषा"About World Language। अन्तिम पहुँच २ डिसेम्बर २०१४ {{cite web}}: Check date values in: |accessdate= (help)
  7. Yadav, R. (1979). "Maithili language and Linguistics: Some Background Notes". Maithili Phonetics and Phonology. Doctoral Disseration, University of Kansas, Lawrence. http://himalaya.socanth.cam.ac.uk/collections/journals/kailash/pdf/kailash_08_0102_04.pdf. 
  8. Yadav, R. (1996). A Reference Grammar of Maithili. Mouton de Gruyter, Berlin, New York.
  9. Reading Asia : new research in Asian studies. Richmond, Surrey [England]: Curzon. 2001. आइएसबिएन 0700713719. OCLC 48560711. https://www.worldcat.org/oclc/48560711. 
  10. Tagore, Rabindranath. "Bhanusimher Kabita" (बङ्गालीमे). Jibansmriti. Kolkata: Visva-Bharati. pp. 85–86. 
  11. Paul, Prashanta Kumar (बङ्गालीमे). Rabijibani. II. Kolkata: Ananda Publishers Private Limited. pp. 10. 
  12. Ded. St. Borgiae Clementi, XIV. Praef. J. Chr. Amadutii (ल्याटिनमे). Alphabetum Brammhanicum Seu Indostanum Universitatis Kasi. Palala Press. pp. viii. आइएसबिएन 9781173019655. https://books.google.com.np/books?id=1Djfl_uZqLAC&printsec=frontcover&source=gbs_ge_summary_r&cad=0#v=onepage&q=Tourutiana&f=false. 
  13. Thomas Colebrooke, Henry (अङ्ग्रेजीमे). Miscellaneous essays. With life of the author by his son sir T.E. Colebrooke, Volume 3. pp. 26. आइएसबिएन 9781145371071. https://books.google.com.np/books?id=DToCAAAAQAAJ&pg=PA1&dq=essay+on+the+Sanskrit+and+Prakrit+languages&hl=en&sa=X&ved=0ahUKEwinwf7uhd7VAhUKwLwKHbM6BjQQ6AEINzAD#v=onepage&q=Maithila&f=false. 
  14. "Medieval Indian literature: an anthology, Volume 3"। p. 69। अन्तिम पहुँच 19 February 2017
  15. "Nationalism and Ethnicity in a Hindu Kingdom: The Politics and Culture of ..."। p. 243। अन्तिम पहुँच 19 February 2017

बाह्य जडीसभ

एहो सभ देखी