गणित

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
पुणेमे रहल आर्यभटक मूर्ति ४७६-५५०

गणित (ग्रीक μάθημα máthēma, “ज्ञान, अध्ययन, सिखाई”) एहन विद्यासभक समूह छी जे सङ्ख्यासभ,[१] मात्रासभ,[२][१] परिमाणसभ, रूपसभ आ ओइसभक आपसी सम्बन्ध, गुण, स्वभाव इत्यादिक अध्ययन करैत अछि।[३][४][५] गणित एक अमूर्त या निराकार आ निगमनात्मक प्रणाली छी। गणितक बहुतेक शाखासभ अछि : अङ्कगणित, रेखागणित, त्रिकोणमिति, साङ्ख्यिकी, बीजगणित, कलन, इत्यादि। गणितमे अभ्यस्त व्यक्ति या खोज करनिहार वैज्ञानिकके गणितज्ञ कहल जाइत अछि।

बीसम् शताब्दीक प्रख्यात ब्रिटिश गणितज्ञ आ दार्शनिक बर्टेन्ड रसेलक अनुसार - गणितके एक एहन विषयके रूपमे परिभाषित कएल जा सकैत अछि जाहिमे हम जानिए नै सकैत छी की हम की कऽ रहल छी, नै त हमरासभके ई पता होइत अछि की जे हम कऽ रहल छी ओ सत्य अछि या नै।

गणित किछ अमूर्त धारणासभ तथा नियमसभक सङ्कलन मात्र नै छी, मुदा दैनिकीय जीवनक मूलाधार छी।

गणितक महत्व[सम्पादन करी]

ब्रह्मगुप्तक प्रमेय, एकर अनुसार AF = FD

पुरातन कालसँ सभ प्रकारक ज्ञान-विज्ञानमे गणितक स्थान सर्वोपरि रहल अछि-

यथा शिखा मयूराणां नागानां मणयो यथा।
तथा वेदाङ्गशास्त्राणां गणितं मूर्ध्नि स्थितम्॥ (वेदाङ्ग ज्योतिष)

(जाहि प्रकार मयूरमे शिखा आ नागसभमे मणिक स्थान सबसँ उपर अछि, ओहि प्रकार सभ वेदाङ्ग आ शास्त्रसभमे गणितक स्थान सबसँ ऊपर अछि।)

महान गणितज्ञ गाउस कहने छल की गणित सभ विज्ञानसभक रानी छी। गणित, विज्ञानप्राविधिकक एक महत्वपूर्ण उपकरण छी। भौतिकी, रसायन विज्ञान, खगोल विज्ञान आदि गणित बिना नै समझल जा सकैत अछि। ऐतिहासिक रूपसँ देखल जाय तँ वास्तवमे गणितक अनेक शाखासभक विकास याह कारण कएल गेल की प्राकृतिक विज्ञानमे एकर आवश्यकता महसुस कएल गेल छल।

शाखा[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "mathematics, n."Oxford English Dictionary। Oxford University Press। 2012। अन्तिम पहुँच June 16, 2012The science of space, number, quantity, and arrangement, whose methods involve logical reasoning and usually the use of symbolic notation, and which includes geometry, arithmetic, algebra, and analysis.
  2. Kneebone, G.T. (1963). Mathematical Logic and the Foundations of Mathematics: An Introductory Survey. Dover. pp. 4. आइएसबिएन 0-486-41712-3. "Mathematics ... is simply the study of abstract structures, or formal patterns of connectedness." 
  3. LaTorre, Donald R.; Kenelly, John W.; Biggers, Sherry S.; Carpenter, Laurel R.; Reed, Iris B.; Harris, Cynthia R. (2011). Calculus Concepts: An Informal Approach to the Mathematics of Change. Cengage Learning. प॰ 2. आइएसबिएन 1-4390-4957-2. "Calculus is the study of change—how things change, and how quickly they change." 
  4. Ramana (2007). Applied Mathematics. Tata McGraw–Hill Education. प॰ 2.10. आइएसबिएन 0-07-066753-5. "The mathematical study of change, motion, growth or decay is calculus." 
  5. Ziegler, Günter M. (2011). "What Is Mathematics?". An Invitation to Mathematics: From Competitions to Research. Springer. pp. 7. आइएसबिएन 3-642-19532-6. 

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]