ग्वालियर

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
ग्वालियर
Gwalior
ग्वालियरक धरोहरसभ
ग्वालियरक धरोहरसभ
उपनाम(सभ): 
मध्य प्रदेशक पर्यटन राजधानी
राजा सुरसेनक शहर
ऋषि गलभक शहर आ तानसेन नगरी
देशभारत
राज्यमध्य प्रदेश
जिलाग्वालियर
संस्थापकराजा सुरजसेन
क्षेत्रफल
 • कुल६०४ किमी (२३३ वर्गमाइल)
 • क्रम३५अम
उन्नतांश
१९६ मिटर (६४३ फिट)
जनसङ्ख्या
 (२०११)
१९,५३,५०५
 • घनत्व५४७८/वर्ग किमी (१४१९०/वर्ग माइल)
 • जनसङ्ख्या क्रम
३१अम
भाषासभ
 • आधिकारिकहिन्दी, मराठी आ अङ्ग्रेजी
समय क्षेत्रयुटिसी+५:३० (भारतीय मानक समय)
डा कोड
४७४००१ देखि ४७४०५५ (HPO)
टेलिफोन कोड०७५१
सवारी दर्ताMP-07
लिङ्ग अनुपात.९४८ /
साक्षरता८७.२०%[१]
औसत ग्रीष्म तापक्रम३३.५ °से (९२.३ °फे)
औसत चिसो तापक्रम१६.६ °से (६१.९ °फे)[२]
वेबसाइटआधिकारिक वेबसाइट

ग्वालियर (About this sound उच्चारण ) भारतक राज्य मध्य प्रदेशक ऐतिहासिक आ प्रमुख शहर छी । भौगोलिक दृष्टिसँ ग्वालियर मध्य प्रदेश राज्यक उत्तरमे अवस्थित अछि । ई शहर भारतक राजधानी शहर नयाँ दिल्लीक ३१९ किलोमिटर (१९८ माइल) दक्षिणमे रहल अछि । ई शहर आ एकर किला उत्तर भारतक प्राचीन शहरसभक केन्द्र रहल अछि। ई शहर गुर्जर प्रतिहार, तोमर तथा कछवाहा राजवंशक राजधानी रहल छल ।[३] ई शहरमे ओसभद्वारा बनाएल प्राचीन चिन्ह स्मारकसभ, किलासभ आ महलसभ आइयो देखल जा सकैत अछि । सङ्ग्रह करि राखल भव्य स्मृति चिन्ह ई शहरके पर्यटनक दृष्टिसँ आर महत्वपूर्ण बनाबैत अछि । "ग्वालियर शहर" एकर नामक पछाडी सेहो एकटा इतिहास नुकाएल अछि; आठम् शताब्दीमे एतयक एक राजा सूरजसेन छल, जे एक अज्ञात बिमारीसँ ग्रस्त भेला आ मृत्युशैयामे पहुँच गेला, ओहि समय ग्वालिपा नामक सन्त हुनका निक बनाए जीवनदान देनए छल । ओहि समय हुनकर सम्मानमे ई शहरक जग बसाएल गेल आ ई शहरक नाम ग्वालियर राखल गेल ।

एकरबाद एतय आबैवला शताब्दीमे ई शहर बड़का-बड़का राजवंशसभक राजस्थल बनल । हरेक शताब्दीमे ई शहरक इतिहासमे नव आयाम जोडल चलि गेल । महान योद्धासभ, राजासभ, कविसभ, सङ्गीतकारसभ तथा सन्तसभ ई राजधानी शहरके देशव्यापी रूपमे चिन्हाबैमे अपन-अपन योगदान देलक । आई ग्वालियर भारतक एक आधुनिक शहर छी आ एकटा प्रसिद्ध उद्योगिक केन्द्र छी ।[४]

भारतक प्रधानमन्त्री नरेन्द्र मोदीक भारतमे १०० स्मार्ट सिटी बनाबैक निर्णय अन्तर्गत ई शहरके सेहो चुनल गेल अछि । [५]

इतिहास[सम्पादन करी]

जनसङ्ख्या[सम्पादन करी]

सन् २०११ क भारतक जनगणना अनुसार ग्वालियरक कूल जनसङ्ख्या २०,३०,५४३ अछि, जाहिमे पुरुष १०,९०,६४७ आ महिला ९,३९,८९६ अछि । एतयक साक्षरता ५७.४७% (पुरुष ७०.८१%, महिला ४१.७२%) रहल अछि ।

पर्यटन स्थल[सम्पादन करी]

ग्वालियर किला[सम्पादन करी]

ग्वालियरक किलाको सिंहद्वार

बलुवा पत्थरसँ बनल ई किला शहरक हरेक दिशासँ देखल जा सकैत अछि आ ई शहरक प्रमुख स्मारक छी । एकटा उँच पठारमे बनल ई किलाधरि पहुँचक लेल एकटा उँच पतला मार्गसँ भ जाइ पडैत अछि । ई मार्गक अगलबगल पैग चट्टानसभ उपर जैन तीर्थक विशाल मूर्तिसभ बहुतेक सुन्दर ढङ्गसँ बनाएल गेल अछि । ई किला भितर मध्यकालीन स्थापनाक अद्भुत नमूनासभ रहल अछि । पन्द्र्हम शताब्दीमे निर्मित गुजरी महल ओही मे सँ एक छी जे राजा मानसिंह आ गुजरी रानी मृगनयनीक गहन प्रेमक प्रतीक छी ।

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. "Literacy rate"census2011.co.in। 16 June 2004। अन्तिम पहुँच 29 April 2012
  2. "Climate: Gwalior"। अन्तिम पहुँच 12 December 2015
  3. Lonely Planet। "History of Gwalior - Lonely Planet Travel Information"मूलसँ 6 July 2015 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 28 July 2015 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. "Gwalior's air among dirtiest in the world"Indian Express। अन्तिम पहुँच 13 May 2016
  5. http://www.firstpost.com/business/why-only-98-cities-instead-of-100-announced-all-questions-answered-about-smart-cities-project-2410576.html

बाह्य लिङ्कसभ[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]