डेकोटा जोनसन

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
डेकोटा जोनसन
Dakota Johnson
सन् २०१८ मे जोनसन
जन्म
डेकोटा मेई जोनसन

(१९८९-१०-०४) अक्टुबर ४, १९८९ (उमर ३४)
व्यवसायअभिनेत्री
सक्रिय वर्ष१९९९–वर्तमान
सङ्गी(सभ)कृष मार्टिन
(२०१७–वर्तमान)
अभिभावकसभ
सम्बन्धी


डकोटा मेई जोनसन एकटा अमेरिकी अभिनेत्रीनिर्माता थिक्। अभिनेता डन जोनसन आ मेलानी ग्रिफटक बेटी, ओ दश वरिषक उमेरम अपन माँ केर सँग डार्क कमेडी फिल्म क्रेजी इन अलबामा (१९९९) मे एकटा छोटका भूमिका केर लकेऽ अपन फिल्मक शुरुवात केल्हन्हि। हाईस्कूलम स्नातक करबाक बाद, ओ लस एञ्जल्समे भूमिकासभक लेल अडिसन देनाए शुरू केलक आ ओ द सोशल नेटवर्क (२०१०) मे एकटा छोटका भूमिका केर लेल चुनल गेल। जोनसन केर कामुक रोमान्टिक ड्रामा फिल्म श्रृङ्खला फिफ्टी शेड्स (२०१५-२०१८) मे अनेस्तासिया स्टीलक भूमिका निर्वाहक बाद सफलता मिलल, आ ओ सन् २०१६ मे बाफ्टा राइजिङ्ग स्टार अवार्डसमे नामाङ्कन प्राप्त भेल।[१]


जोनसन, क्राइम ड्रामा ब्ल्याक मास (२०१५), लुका गुआडागिनो केर ड्रामा ए बिगर स्प्ल्याश (२०१५), रोमन्टिक कमेडी हाउ टू बी सिंगल (२०१६), अलौकिक हरर फिल्म सस्पिरिया (२०१८), थ्रिलर ब्डयाड टाइम्स, द एल रोयाल (२०१८), आबबला पुरान फिल्म द पीनट बटर फाल्कन (२०१९), म्यागी गिलेनहालक मनोवैज्ञानिक ड्रामा द लस्ट डटर (२०२१), आ कूपर राइफ केर चा चा रियल स्मूथ (२०२२) जेहन फिल्मसभमे देखाई देने छल।

ओ विभिन्न पुरस्कार आ नामाङ्कन प्राप्त भेल अछि, जाहिमे पीपुल्स च्वाइस अवार्ड, बाफ्टा अवार्ड और दुईटा एमटीभी मूभी एण्ड टीभी अवार्ड्स के लेल नामाङ्कन सम्मिलित अछि। हिनका सन् २०१६ मे फोर्ब्स ३० अण्डर ३० सूची मे सेहो समावेश कएल गेल अछि।

चलचित्र शुरुवात[सम्पादन करी]

व्यक्तिगत जीवन[सम्पादन करी]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

अवार्ड तथा मनोनयन[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सूची[सम्पादन करी]

  1. "Dakota Johnson, 26"Forbes। April 30, 2022 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच April 30, 2022

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]

डेकोटा जोनसनक सम्बन्धमे विकिपिडियाक भातृ योजनासभमे ताकी:

चित्र आ मिडीया कमन्ससँ