सलोनी असवानी

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
सलोनी असवानी
Saloni Aswani
जन्म
वन्दानी असवानी[१]

(१९७७-०६-०१) १ जुन १९७७ (उमर ४६)
उल्हासनगर, महाराष्ट्र, भारत
अन्य नामसभसलोनी
व्यवसायअभिनेत्री, मोडेल
सक्रिय वर्ष२००३–वर्तमान
अभिभावक(सभ)रेशमा असवान, करमचन्द असवानी[१]


सलोनी असवानी एक भारतीय चलचित्र अभिनेत्री आओर मोडेल अछि। अपन शिक्षा समाप्तिके पश्चात, सलोनी मोडलिङ करियर आओर बहुतरास टेलिभिजन विज्ञापनमे समेत सम्मिलित होएत अपन कदम आगा बढौने छल । सन् २००३ मे हिन्दी चलचित्र "दिल परदेशी हो गया" मे डेब्युट करैत ओ अभिनयमे अपन करियरक सुरुवात केनाएमे अपन जोरसोर लगौने छल । तत्पश्चात ओ विभिन्न दक्षिण भारतीय चलचित्रसभमे अभिनय करैत-करैत उल्लेख्य कमर्सियल सफलता[२][३]तँ प्राप्त नै करवाकमे असफल रहल मुद्दा ओ एस.एस. राजमौलीक सन् २०१० मे आएल चलचित्र "मर्यादा रमन्ना" सँ ख्याती प्राप्त केनए छल । तत्पश्चात विभिन्न तेलुगु उच्च प्रोडक्सनसभमे मुख्य भूमिकासभमे नजर आवि रहल अछि ।

प्रारम्भिक जीवन[सम्पादन करी]

असवानीक जन्म भारतके महाराष्ट्र राज्यके उल्हासनगरमे सिन्धी भाषा बोलए वाला परिवारमे वन्दनाक रुपमा भेल छल । हुनकर पिता नार्कोटिक्स (भारतमे रहल लागूऔषध नियन्त्रण कार्यालय) मे सहायक कमिसनर छल ।[२]जखन ओ लगभग ५ वरिषक छल ओ समयमे हुनकर परिवारके सीजिएस क्वार्टरमे बसोबासक लेल मुम्बईक वडाला स्थानान्तरण भेल छल।[४] विद्यालयक समाप्तिके पश्चात, मुम्बईमे अवस्थित न्यु मेराइन लाइन्स/चर्चगेटमे रहल श्रीमती नाथीबाई दामोदर ठाकरे विश्वविद्यालयमे साइकोलोजी विषयमे ओ ग्रयाजुएट भेल छल ।[२]ओ हरक्षण-हरपल अभिनयमे अपन रुची राखने छल आओर ई बातमे हुनकर माता सेहो हुनकर समर्थन करिरहल छल[५][६][३][७][८] जखन हुनकर पिता हुनका "कोनो बढियाँ आदरार्थी जागिर करवाक लेल" अभिप्रेरित करि रहल छल[२]। हुनका हुनकर पिताके नै खबर करि के अपन एकटा पोर्टफोलियो तयार करि के मोडलिङ एजेन्सीसभमे पठौने छल[९][१०]। ओ टेलिभिजनमे प्रशारित विभिन्न विज्ञापनसभ उदाहरणक लेल:- भ्यासलिन, लाइफबोय, पारासुट तेल, मूभ, चिक शयाम्पू, थ्री रोजेज टी आओर मीरा साबुनमे नजर आएल छल[३]। ओ अपन शिक्षण करियरमे जखन छल, ओ हरबखत ही ड्रामा, श्रीदेवी जी के मिमिक्री करि रहल छल । सलोनी थिएटर ग्रुप कला सांसदमे सेहो भाग लेनए छल ।[२] अशोक कुमार ड्रामाटिक एकेडमी जे कि हुनकर बेटी प्रिती गाङ्गुली चलावैत छल ओही ठामसँ सलोनी अभिनय करवाक लेल सिखने छल ।[२][११][१२]

फिल्मोग्राफी[सम्पादन करी]

साँचो
Films that have not yet been released ई चलचित्र रिलिज नै भेल इङ्गित करैत अछि
वर्ष शीर्षक भूमिका भाषा टिप्पणी सन्दर्भ सामग्री
२००३ दिल परदेशी हो गया रुख्सा खान हिन्दी बलिउड डेब्युट
२००५ धना ५१ लक्ष्मी तेलुगु टलिउड डेब्युट
ओका ओरिलो ललिता तेलुगु
२००६ चुक्कालो चन्द्राडू शालिनी तेलुगु

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ "Saloni Biography"। movies.dostana.com। मूलसँ 2016-03-04 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 2012-01-01 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  2. २.० २.१ २.२ २.३ २.४ २.५ "Saloni interview – Telugu Cinema interview – Telugu film actress"। Idlebrain.com। अन्तिम पहुँच 13 February 2012
  3. ३.० ३.१ ३.२ "Saloni interview on Rajamouli's Maryada Ramanna >> Tollywood Star Interviews"। Ragalahari.com। मूलसँ 28 October 2010 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 February 2012 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  4. "Saloni's back in Tamil films for an item number"Deccan Chronicle। 2 November 2011। मूलसँ 3 November 2011 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 February 2012
  5. Special Correspondent (29 July 2010)। "Cities / Vijayawada : I am basking in the success of Maryada Ramanna, says director"The Hindu। Chennai, India। अन्तिम पहुँच 13 February 2012
  6. "Maryada Ramanna film review – Telugu cinema Review – Sunil & Saloni"। Idlebrain.com। 23 July 2010। अन्तिम पहुँच 13 February 2012
  7. "Saloni is on cloud nine"The Times of India। 5 August 2011। मूलसँ 21 July 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 February 2012 {{cite news}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  8. "Saloni interview on Telugammayi >> Tollywood Star Interviews"। Ragalahari.com। 2 August 2011। अन्तिम पहुँच 13 February 2012
  9. "Dubai Babu Review – Kannada Movie Review by RGV"। Nowrunning.com। 23 May 2009। मूलसँ 14 February 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 February 2012 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  10. Super Admin (29 May 2009)। "Dubai Babu Review | Actress Nikitha"। Entertainment.oneindia.in। मूलसँ 9 December 2010 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 13 February 2012 {{cite web}}: Unknown parameter |dead-url= ignored (|url-status= suggested) (help)
  11. "Saloni Aswani returns to Sandalwood – The Times of India"The Times of India
  12. "Meelo Evaru Koteswarudu Teaser Out !"

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]