क्रिकेट

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
क्रिकेट
Cricket
एकटा बलर ब्याट्सम्यानके बल फेकैत
उच्चतम अन्तराष्ट्रिय  संस्थाअन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषद
Nicknamesद जेन्टलम्यान गेम
पहिलो खेल१८हम शताब्दी (आधुनिक)
अभिलक्षण
टिम सदस्यप्रत्येक समूहमे ११/११ खेलाडी
विकल्प क्षेत्ररक्षक यदि कोनो खेलाडी चोटिल भेल खण्डमे
लैङ्गिक विभाजनएकल
श्रेणीकरणसामूहिक, ब्याट तथा बल खेल
खेल सामाग्रीक्रिकेट बल, क्रिकेट ब्याट,
विकेट: स्टम्प, बेल
आयोजना स्थानक्रिकेट मैदान
उपस्थिति
ओलम्पिक१९०० ग्रीष्मकालिन ओलम्पिक मात्र

क्रिकेट एक ब्याटबलक सामूहिक खेल छी जकर शुरुआत दक्षिणी इङ्ल्यान्डमे भेल छल । एकर सभ सँ प्राचीन निश्चित सन्दर्भ सन् १५९८ मे भेटैत अछि, अखन ई खेल १०० सँ बेसी देशसभमे खेलल जाएत अछि । एक क्रिकेट प्रतिस्पर्धामे ११ खेलाडीसभक दुई समूह होएत अछि[१] ई खेल घासक मैदानमे खेलल जाएत अछि, जकर केन्द्रमे भूमिक एक समतल २२ गज (२० मी) लम्बा पट्टी होएत अछि जकरा पिच कहल जाएत अछि । स्टम्प लकड़ी सँ बनल होएत अछि, जकरा पिचक दुनू दिस गाड़ल जाएत अछि आ ओकर प्रयोग एक लक्ष्यक रूपमे कएल जाएत अछि । बलर क्षेत्ररक्षण टिमक एक खेलाड़ी होएत अछि, जे बलिङक लेल एक कड़ा, चमड़ाक मुट्ठी आकारक ५.५ औंस (१६० ग्रा) बलक एक विकेटक नजदिक सँ दोसर विकेटक दिस करैत अछि, जकरा विपक्षी टिमक एक खेलाड़ी बल्लेबाजद्वारा बचाएल जाएत अछि ।

क्रिकेटक बहुतेक प्रारूप अछि, एकर उच्चतम स्तर टेस्ट क्रिकेट छी, जहिमे वर्तमान प्रमुख राष्ट्रिय टिमसभ भारत, अस्ट्रेलिया, दक्षिण अफ्रिका, इङ्ल्यान्ड, श्रीलंका, वेस्ट इन्डिज, न्युजिल्यान्ड, पाकिस्तान, जिम्बाब्वे , बंगलादेश, अफगानिस्तान और आयरल्यान्ड छी ।[२] सन् २०१८ अप्रैलमे, आइसिसी घोषणा केलक की ओ १ जनवरी २०१९ सँ ओ अपन सम्पूर्ण १०४ सदस्यसभकें ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय दर्जा प्रदान करत ।[३]

क्रमानुसार टेस्ट क्रिकेटक बाद एकदिवसीय अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेटकें गिनल जाएत अछि जकर पिछ्ला उपाधि २०१५ क्रिकेट विश्वकप अस्ट्रेलिया जीतने छल । क्रिकेट विश्वकप प्रतियोगिता २०० सँ बेसी देशसभमे टेलिभिजन पर देखल जाएत अछि आ अनुमानतः २ बिलियन सँ अधिक दर्शक देखवाक अनुमान रहैत अछि ।[४]

इतिहास[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. क्रिकेट के नियम : नियम 1
  2. 1 जनवरी 2009 के अनुसार
  3. "T20s between all ICC members to have international status"

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]