क्रिसमस द्वीप

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
क्रिसमस द्वीप
अस्ट्रेलियाई भारतीय समुद्री इलाकासभ
अस्ट्रेलियाक बाह्य इलाकासभ
क्रिसमस द्वीपक इलाकासभ
राजधानी क्षेत्र
राजधानी क्षेत्र
क्रिसमस द्वीपक झण्डा
झण्डा
विश्व मानचित्रमे स्थान
विश्व मानचित्रमे स्थान
सार्वभौम राष्ट्र अस्ट्रेलिया
ब्रिटिश विलयसन् १८८८ जुन ६
सिङ्गापुर सँ अस्ट्रेलिया स्थानान्तरित कएल गेलसन् १९५८ अक्टोबर १
नामकरणक्रिसमस दिवस
राजधानीफ्लाइङ फिस कोभ
("वस्ती")
१०°२५′१८″द॰ १०५°४०′४१″पू॰ / १०.४२१६७°S १०५.६७८०६°E / -10.42167; 105.67806
पैघ शहरराजधानी
आधिकारिक भाषासभकोनो नहि[lower-alpha १]
बाजल जाएवला भाषासभ
मूलवासी नामक्रिसमस द्वीपवासी
सरकारप्रत्यक्ष रूपमे प्रशासित निर्भरता
• राजशाही
चार्ल्स तृतीय
• राज्यपाल
डेभिड हुर्ले
• प्रशासक
फर्जियाँ जैनल
• प्रादेशिक राष्ट्रपति
गोर्डन थोम्सन
अस्ट्रेलियाक संसद
• सिनेट
उत्तरी इलाकाक सिनेटरसभद्वारा प्रतिनिधित्व
• प्रतिनिधि सभा
लिनगियारी प्रशासनिक क्षेत्रमे समाहित
क्षेत्रफल
• कुल
१३५ किमी (५२ वर्ग माइल)
• पानि (%)
0
उच्चतम उचाइ
361 मिटर (1184 फिट)
जनसङ्ख्या
• २०२१ जनगणना
1,692[१] (अक्रमाङ्कित)
• जनघनत्व
१०.३९ /किमी2 (२६.९ /वर्ग माइल) (अक्रमाङ्कित)
जिडिपी (साङ्केतिक)सन् २०१० अनुमानित
• कुल
अमेरिकी$५,२१,७७,९००[२]
मुद्राअस्ट्रेलियाई डलर (AU$) (AUD)
समय क्षेत्रयुटिसी+०७:०० (क्रिसमस द्वीप समय)
चालक भूमिकाबामा
कलिङ कोड+६१ ८ ९१[lower-alpha २]
डाक कोड
६७९८[lower-alpha २]
आइएसओ ३१६६ कोडCX
इन्टरनेट टिएलडी.cx[३]

क्रिसमस द्वीप दक्षिण-पूर्व एसियामे रहल अस्ट्रेलियाई बाह्य क्षेत्रमे अवस्थित द्वीपसभमे शामिल अछि। ई हिन्द महासागरक जाभासुमात्रा टापुक दक्षिणमे ३५० किलोमिटर (१९० समुद्री माइल) कऽ आसपास आ अस्ट्रेलियाक मुख्य भूमिक सभसँ नजदीकी बिन्दुक लगभग १,५५० किमी (८४० समुद्री माइल) उत्तर-पश्चिममे अवस्थित अछि। एकर क्षेत्रफल १३५ वर्ग किलोमिटर (५२ वर्ग माइल) अछि।

क्रिसमस द्वीपक आवादी सन् २०२१ कऽ अनुसार १,६९२ छल।[१] एकर मुख्य आवादी द्वीप कऽ उत्तरी छोरमे अवस्थित वस्तीसभमे बसोबास करैत अछि। एहि द्वीपक राजधानी फ्लाइङ फिस कोभ छी। ऐतिहासिक रूपसँ एहि द्वीपमे एसियाई अस्ट्रेलियाई चीनी, मलाय, आ भारतीय मूल कऽ आबादी अत्यधिक अछि।[४][५] एहि द्वीपक लगभग दू तिहाई आबादी चिनियाँ मूलक रहल अनुमान कएल गेल अछि (यद्यपि सन् २०२१ मे मात्र २२.२% आबादी चीनी वंशक घोषणा केनए छल)।[१]एकर सङ्गे एतय मलाय आ युरोपिई अस्ट्रेलियाईसभक महत्वपूर्ण जनसङ्ख्या रहल अछि। अङ्ग्रेजी, मलाय, आ विभिन्न चीनी बोली सहित अनेक भाषासभ एहि ठाममे प्रयोगमे अछि। इस्लामबौद्ध धर्म एहि द्वीपक प्रमुख धर्म छी। अस्ट्रेलियाई जनगणनामे धर्म सम्बन्धी प्रश्न वैकल्पिक अछि, आ २८% आवादी अप्पन धार्मिक विश्वासक घोषणा नहि करैत अछि।[६]

सन् १६१५ मे थोमस कऽ रिचर्ड रोभ क्रिसमस द्वीपक खोज केनए छल। सन् १६४३ दिसम्बर २५ कऽ दिन कप्तान विलियम मायनर्स एकर नाम ठीक्क क्रिसमसक दिन रखने छल। एहि द्वीपपर पहिल बेर १९म शताब्दीक अन्तमे लोकसभ बैसार सुरु केनए छल।[७] क्रिसमस द्वीपक भौगोलिक अलगाव आ न्यूनतम मानवीय अशान्तिक इतिहासक कारण एहि जगहक वनस्पतिसभ आ जीवसभमे स्थानिकवाद कऽ स्तर उच्च भऽ गेल अछि, जे वैज्ञानिक आ प्रकृतिवादीसभक लेल दिलचस्पीक विषय छी[८]एहि द्वीपक बहुमत (६३%) क्रिसमस द्वीप राष्ट्रिय निकुञ्जमे समाविष्ट कएल गेल अछि, जहिमे प्राथमिक मनसुनी वनक बहुतेक क्षेत्रसभ अछि। सन् १८९९ सँ एहि द्वीपमे फस्फेटक उत्खनन कएल जा रहल अछि।

इतिहास[सम्पादन करी]

युरोपीय लोकनिक पहिल यात्रा, सन् १६४३[सम्पादन करी]

एहि द्वीप कए देखनिहार पहिल युरोपीय 'थोमस' कऽ रिचर्ड रोभ छल।[९] इस्ट इन्डिया कम्पनी कऽ जहाज 'रोयल मेरी' कऽ कप्तान विलियम मायनर्सद्वारा सन् १६४३ मे क्रिसमसक दिन जखन एहि स्थानसँ अप्पन नावसँ गुजरल छल तखने ओ एहि द्वीपक नामकरण केनए छल।[१०] एहि द्वीपकेँ १७म् शताब्दीक शुरुआतमे अङ्ग्रेजी आ डच मार्गदर्शन तालिकामे शामिल कएल गेल छल, मुदा सन् १६६६ धरि डच मानचित्रकार पिटर गुसद्वारा प्रकाशित मानचित्रमे द्वीप शामिल नहि कएल गेल छल। गुस एहने द्वीपक 'मोनी' या 'माउनी' नाम देनए छल[११]जकर अर्थ अस्पष्ट अछि।[१२]


अङ्ग्रेज नाविक विलियम ड्याम्पियरचार्ल्स स्वान अप्पन निजी जहाज 'साइग्नेट' पर सवार भए सन् १६८८ मार्चमे द्वीपक अगल बगल रहल समुद्रक सभसँ पहिल कीर्तिमान यात्रा केनए छल[११] ओ अप्पन यात्रा वृतान्त विवरण लिखैत काल एहि द्वीप पर कोनो मानव वा वस्ती नहि देखने छल।[११][१३][१४] ड्याम्पियर न्यु हल्यान्ड सँ कोकोस द्वीपधरि पहुँचवाक प्रयास करि रहल छल। ओकर पनिया जहाज पूर्वी दिशामे बढ़ैत बढ़ैत ठीक्क २८ दिन बाद क्रिसमस द्वीप पर पहुँचि गेल। ड्याम्पियर पश्चिमी तट 'द डेल्स' पर उतरल आ हुनक दू टा सहचालक सदस्य क्रिसमस द्वीप पर पएर राखऽ वला पहिल युरोपीय बनल छल।[१५]

'इगल' नामक जहाजक कप्तान ड्यानियल बेकम्यान सन् १७१४ अप्रैल ५ कऽ दिन एहि द्वीप भऽ गुजरल छल आ एकर विषयमे सन् १७१८ मे हुनकाद्वारा लिखित पुस्तक 'ए भोएज टु एन्ड फ्रम द आइल्यान्ड अफ बोर्नियो, इन द इस्ट-इन्डिज' मे अप्पन यात्रा वृतान्त लिखने छल।[१६]

अन्वेषण आ विलय[सम्पादन करी]

एहि द्वीप कऽ खोज करवाक पहिल प्रयास सन् १८५७ मे 'एमेथिस्ट' कऽ चालक दलद्वारा कएल गेल छल। ओ सब द्वीपक शिखर पर पहुँचवाक कोशिश केनए छल मुदा चट्टान दुर्गम पाबि ओ सभ छोड़ि देनए छल। इन्डोनेसियाक च्यालेन्जर अभियानक दौरान प्रकृतिवादी जन मरे एहि द्वीपक व्यापक सर्वेक्षण केनए छल।[१७]

सन् १८८६ मे एचएमएस 'फ्लाइङ फिस' कऽ कप्तान जन म्याकलियरद्वारा एक खाड़ीमे एक बन्दरगाहक खोज केलक जकरा ओ 'फ्लाइङ फिस कोभ' नाम देनए छल ओ ओतय अप्पन दल उतारि वनस्पति आ जीव-जन्तुक एकटा छोट सङ्ग्रह बनौने छल।[११] अगिला साल पेल्हम एल्ड्रिच एचएमएस 'इगेरिया' जहाज पर चढ़ि एहि द्वीप पर पहुँचल आ १० दिन धरि द्वीपक दौरा केलक। ओ अपना सङ्गहि जे.जे. लिस्टर केर सेहो लऽ गेल आ ओतय सँ एकटा पैघ जैविक आ खनिज सङ्ग्रह एकत्रित केलक।[११] एहि द्वीपसँ प्राप्त चट्टान आ बहुत रास लगभग शुद्ध चुनाक फस्फेट केर जाँच मुरेद्वारा करवेनए छल। एहि खोजक कारण सन् १८८८ जुन ६ केँ ब्रिटिश ताजद्वारा एहि द्वीपक विलय भऽ गेल।[१७]

टिप्पणीसभ[सम्पादन करी]

  1. अङ्ग्रेजी भाषाक नहि तँ क्रिसमस द्वीप पर आ नहि तँ अस्ट्रेलियामे आधिकारिक दर्जा प्राप्त अछि, मुदा ई सरकारमे सञ्चारक वास्तविक भाषा छी।
  2. २.० २.१ पश्चिमी अस्ट्रेलियाक आवंटनक भूभाग

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

  1. १.० १.१ १.२ "2021 Census: Christmas Island"Department of Infrastructure and Regional Development। Australian Government। 16 November 2022 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 27 November 2022
  2. Lundy, Kate (2010). "Chapter 3: The economic environment of the Indian Ocean Territories". Inquiry into the changing economic environment in the Indian Ocean Territories. Parliament House, Canberra: Joint Standing Committee on the National Capital and External Territories. pp. 22. आइएसबिएन 978-0-642-79276-1. https://www.aph.gov.au/Parliamentary_Business/Committees/House_of_Representatives_Committees?url=/ncet/economicenvironment/report/chapter%203.pdf. 
  3. "Archived copy"। 9 November 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 17 July 2021{{cite web}}: CS1 maint: archived copy as title (link)
  4. Neville-Hadley, Peter (14 December 2017)। "Christmas Island – the next big thing in travel? Home to Chinese, Indians, and Malays, it's a fascinating mix of cultures"www.scmp.comSouth China Morning Post। 15 December 2017 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 17 January 2017
  5. "The Christmas Island Story" (PDF)AUFP Platypus36: 12–13। 1980। 7 December 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित (PDF)। अन्तिम पहुँच 7 December 2019
  6. "Religious Affiliation (RELP)"Census of Population and Housing: Understanding the Census and Census Data, Australia, 2016। 7 November 2017: Australian Bureau of Statistics। 8 November 2017। 8 April 2020 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 11 April 2020{{cite web}}: CS1 maint: location (link)
  7. Luscombe, Stephen (2019)। "Christmas Island"The British Empire। 4 January 2019 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 16 March 2019
  8. "Save Christmas Island – Introduction"। The Wilderness Society। 19 September 2002। मूलसँ 9 June 2007 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 14 April 2007
  9. James, David J.; Mcallan, Ian A.W. (August 2014)। "The birds of Christmas Island, Indian Ocean: A review"ResearchGate। Australian Field Ornithology। 2 February 2017 कऽ मूल रूप सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 20 January 2017
  10. "Department of the Environment, Water, Heritage and the Arts – Christmas Island History"। Australian Government। 8 July 2008। मूलसँ 4 March 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 26 April 2009
  11. ११.० ११.१ ११.२ ११.३ ११.४ Christmas Island”Encyclopædia Britannica (11th) 6: 294–295। (1911)। Cambridge University Press।
  12. "Digital Collections – Maps – Goos, Pieter, ca. 1616–1675. Paskaerte Zynde t'Oosterdeel Van Oost Indien (cartographic material) : met alle de Eylanden deer ontrendt geleegen van C. Comorin tot aen Iapan"। National Library of Australia। मूलसँ 5 August 2012 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 26 April 2009
  13. Carney, Gerard (2006). The constitutional systems of the Australian states and territories. Cambridge University Press. प॰ 477. आइएसबिएन 0-521-86305-8. "The uninhabited island was named on Christmas Day, 1643, by Captain William Mynors as he sailed past, leaving to William Dampier the honour of first landing ashore in 1688." 
  14. Dampier, William (1703). A New Voyage Round the World. The Crown in St. Paul's Church-yard, London, England: James Knapton. 
  15. "Where is Christmas Island?"Hamilton Stamp Clubमूलसँ 20 August 2016 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 18 September 2016
  16. "The early history of Christmas Island, in the Indian Ocean"। Journal of the Malaysian Branch of the Royal Asiatic Society22: 73–74। 1949।
  17. १७.० १७.१ "History"। Christmas Island Tourism Association। मूलसँ 8 December 2014 कऽ सङ्ग्रहित। अन्तिम पहुँच 18 September 2016