अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस
International Mother Language Day
अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस International Mother Language Day
शहीद मीनार , ढाका मेडिकल कौलेज क्याम्पस, बङ्गलादेशमे स्थित शहीद स्मारक २१ फरवरी १९५२ पर बङ्गला (बङ्गाली) भाषाक लेल बलिदानक स्मृति ।
आधिकारिक नामअन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस
महत्वभाषासभ आ सांस्कृतिक विविधता आ बहुभाषावादक बारेमे जागरूकताक बढ़ावा देबाक।
तिथि२१ फरबरी
मानाएलवार्षिक

अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस २१ फरबरीक मनाएल जाइत अछि । १७ नवम्बर, १९९९कें दिन युनेस्कोद्वारा एकरा स्वीकृति देल गेल छल । इ दिवस मनेबाक उद्देश्य ई अछि कि विश्वमे भाषासभ तथा सांस्कृतिक विविधता आ बहुभाषिताकऽ बढ़ावा भेंट सकए ।

युनेस्कोद्वारा अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक घोषणासँ बङ्गलादेशक भाषा आन्दोलन दिवस (बङ्गला: ভাষা আন্দোলন দিবস / भाषा आन्दोलोन दिबॉश)कऽ अन्तर्राष्ट्रिय स्वीकृति मिलल, जे बङ्गलादेशमे सन् १९५२सँ मनाएल जाऽ रहल अछि । बङ्गलादेशमे एहि दिन एक राष्ट्रिय अवकाश होइत अछि । सन् २००८ऽक अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष घोषित करैत, संयुक्त राष्ट्र महासभाद्वारा अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके महत्वके पुनः दोहराओल गेल अछि ।

समय क्रम[सम्पादन करी]

अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवस स्मारक, आशफिल्ड पार्क, सिड्नी, अस्ट्रेलिया, अनावरण समारोह , १९ फरबरी २००६
  • २००० : अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक उद्घाटन उत्सव
  • २००१ : द्वितीय वार्षिक उत्सव
  • २००२ : भाषा विविधता : खतरामे ३००० भाषासभ (नारा : भाषासभक आकाशगङ्गामे, हरेक शब्द एक सितारा छी )
  • २००३ : चारिम वार्षिक उत्सव
  • २००४ : बच्चासभक जानऽके लेल शिक्षा
  • २००५ : ब्रेल तथा अन्य भाषासभमे 'साइन इन' करी
  • २००६ : भाषासभ आर साइबरस्पेस
  • २००७ : बहुभाषी शिक्षा
  • २००८ : अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष
  • २००९ : दशम वार्षिक उत्सव
  • २०१० : मैत्री संस्कृतिक लेल अन्तर्राष्ट्रिय वर्ष
  • २०११ : सूचना आर सञ्चार प्राविधिक
  • २०१२ : मातृभाषा शिक्षा आर समावेशी शिक्षा
  • २०१३ : मातृभाषामे शिक्षाके लेल पुस्तसभ
  • २०१४ : वैश्विक नागरिकताके लेल स्थानीय भाषासभ तथा विज्ञान पऽ बल
  • २०१५ : शिक्षाके माध्यमसँ शिक्षामे समावेश : भाषा महत्वपूर्ण अछि (पेरिसमे कार्यक्रम)
  • २०१६ : गुणवतापूर्ण शिक्षा, शिक्षणक भाषा तथा सीखिके परिणाम
  • २०१७ : बहुभाषी शिक्षाके माध्यमसँ टिकाउ भविष्यकऽ दिस

अन्तर्राष्ट्रिय स्तर पर[सम्पादन करी]

  • लिङ्गुआपाक्स पुरस्कार, अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसक अवसर पर प्रतिवर्ष प्रस्तुत कएल जाइत अछि।
  • युनेस्को प्रत्येक अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसकऽ लेल विषय सेट फरवरी २१ कें अगल बगल पेरिसमे अपन मुख्यालयके लेल सम्बन्धित घटनासभ रखैत अछि।
  • सन् २००८ मे , अन्तर्राष्ट्रिय भाषा वर्ष औपचारिक रूपसँ अन्तर्राष्ट्रिय मातृभाषा दिवसके अवसर पर शुरू कएल गेल छल।

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]