ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय
ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय (टि२०आई उच्चारण "टिट्वान्टीआई") क्रिकेटक एकटा रूप छी जे दुई राष्ट्रिय क्रिकेट टिम बीच खेलल जाइवाला २० ओभरक एक प्रतियोगिता छी । ई खेल ट्वान्टी२० क्रिकेटक नियम अन्तर्गत खेलल जाइत अछि । पहिल ट्वान्टी२० अन्तर्राष्ट्रिय खेल १७ फरबरी २००५ मे अस्ट्रेलिया तथा न्युजिल्यान्ड बीच इडेन पार्क अकल्यान्डमे खेलल गेल छल जाहिमे अस्ट्रेलिया ४४ रन सँ विजयी भेल छल । अन्तर्राष्ट्रिय क्रिकेट परिषदद्वारा जारी पहिल आधिकारिक क्रमाङ्कमे इङ्गल्याण्ड शीर्ष स्थानमे रहल छल ।[१]
टि२०आइ दर्जा प्राप्त टिमसभ
[सम्पादन करी]टेस्ट क्रिकेट खेलैवाला १० राष्ट्र (जे आइसिसीक पूर्ण सदस्य सेहो छी)के स्थायी टि२०आई दर्जा प्राप्त अछि । निचा उल्लेखित टिमसभक पहिल टि२०आई सुरु भेल मिति कोष्ठकमे दर्साएल गेल अछि:
न्युजिल्यान्ड (१७ फरबरी २००५)
अस्ट्रेलिया (१७ फरबरी २००५)
इङ्ल्यान्ड (१३ जुन २००५)
दक्षिण अफ्रिका (२१ अक्टुबर २००५)
वेस्ट इन्डिज (१६ फरबरी २००६)
श्रीलंका (१५ जुन २००६)
पाकिस्तान (२८ अगस्त २००६)
बङ्गलादेश (२८ नवम्बर २००६)
जिम्बाब्वे (२८ नवम्बर २००६)
भारत (१ दिसम्बर २००६)
सन् २००५ सँ आइसिसीद्वारा ओडिआई तथा टि२०आई दर्जा ६ अन्य टिमसभ (एसोसिएट/सम्बद्ध सदस्यसभक रुपमे रहल)के देत आएल अछि । कोनो भी टिम ओ अस्थायी दर्जा ४ वर्षक लेल प्राप्त करैलेल आइसिसी क्रिकेट लिग चौवर्षीय प्रदर्शनक आधारमे प्राप्त करि सकैत अछि – वा, आइसिसी विश्वकप छनौट प्रतियोगिताक अन्तिम ६ टिम बनि प्राप्त करि सकैत अछि । आइसिसी विश्वकप छनौट प्रतियोगिता विश्व क्रिकेट लिगक अन्तिम प्रतियोगिता छी । सन् २०१४ जुन २८ मे आइसिसी नेपाल तथा नेदरल्यान्डके टि२०आई दर्जा प्रदान केनए छल, दुनु टिम जुन २०१४ आइसिसी वर्ल्ड ट्वान्टी-ट्वान्टीमे छनौट तथा सहभागी भेल छल ।[२] निम्नलिखित ८ टिमसभ वर्तमानमे ई दर्जा प्राप्त केनए अछि (कोष्ठकमे देल तिथि टिमसभक अस्थायी ओडिआई तथा टि२०आई दर्जा प्राप्त केलाबाद खेलल पहिल टि२०आई म्याच दर्साएल अछि):
स्कटल्यान्ड (१२ सितम्बर २००७ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
आयरल्यान्ड (२ अगस्त २००८ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
अफगानिस्तान (१ फरबरी २०१० सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
हङकङ (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि
पपुवा न्युगिनी (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
संयुक्त अरब इमिरेट्स (१ फरबरी २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
नेपाल (२८ जुन २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
नेदरल्याण्ड (२८ जुन २०१४ सँ, २०१८ क्रिकेट विश्वकप छनौट धरि)
जल्दीए, चारि अन्य एसोसिएट राष्ट्र विश्व क्रिकेट लिगमे बढिया प्रदर्शन केलाबाद अस्थायी एकदिवसीय आ टि२०आई दर्जा देल गेल छल जे बादमे विश्वकप छनौटमे स्तरीय प्रदर्शन नैकरलाबाद हटाएल गेल अछि :
केन्या (१ सितम्बर २००७ सँ, ३० जनवरी २०१४ धरि)
नेदरल्याण्ड (२ अगस्त २००८ सँ, २८ जनवरी २०१४ धरि)
क्यानाडा (२ अगस्त २००८ सँ, २८ जनवरी २०१४ धरि)
बर्मुडा (३ अगस्त २००८ सँ, ८ अप्रैल २००९ धरि)