शासन प्रमुख

मैथिली विकिपिडियासँ, एक मुक्त विश्वकोश
(शासनप्रमुखसँ पुनर्निर्देशित)
सन् २०१५ मे जी७ राष्ट्रक प्रमुखसभ

शासन प्रमुख या सरकार प्रमुख, एक जातिवाचक शब्द छी जकर उपयोग कोनो सार्वभौम राज्य (जकरा सामान्यतः 'देश' कहल जाएत अछि) कऽ कार्यकारी शाखाक प्रमुख अथवा ओकर उपाधिकारीक लेल कएल जाएत अछि । व्यावहारिक तौर पर, सरकर प्रमुख कोनो देश, सङ्घीय राज्य या स्वशासित क्षेत्रक सरकारक मुखिया, अर्थात कार्यपालिकाक प्रमुखकें कहल जाएत अछि, प्राय जकर निर्देशानुसार सरकार कार्य करैत होए । ई पद राष्ट्र प्रमुखक पद सँ भिन्न होएत अछि, जे की कोनो देशक वैधानिक प्रमुख होएत अछि, ओना तँ बहुतेक देशसभमे विशेष तौरपर अध्यक्षीय प्रणालीतानाशाहीमे राष्ट्र प्रमुख तथा शासन प्रमुखक कार्यभार कोनो एके टा पदाधिकारीक उपर होएत अछि । तथा बहुतेक देशसभमे ई दुनू पदसभकें पूर्णत: विभक्त राखल जाएत अछि, जखन की किछ प्रणालीसभमे शासन प्रमुखक किछ शक्तिसभ आ कार्यभारकें राष्ट्र प्रमुखक विवेकाधीन राखल गेल अछि । शासन प्रमुखक शक्ति, अधिकार, नियुक्ति-प्रक्रिया आ सरकारक अन्य अङ्ग सम्बन्ध, विभिन्न देशसभमे शासन-प्रणाली आ प्रशासनिक संरचना, विधि-विधान आ ऐतिहासिक परम्पराक आधार पर भिन्न होएत अछि । प्राय शासन प्रमुखगण, क्याबिनेट, मन्त्रिपरिषद् अथवा सचिवगणक परिषद् कऽ प्रमुख होएत अछि, जकरा पर सरकारक विभिन्न विभागसभक कार्यभार होएत अछि । शासन प्रमुखगण पर भियना सम्मेलनक सन्धीद्वारा विशेष राजनयिक प्रतिरक्षा सेहो निहित होएत अछि ।[१][२][३]

विभिन्न राजनैतिक पद्दति[सम्पादन करी]

एहो सभ देखी[सम्पादन करी]

सन्दर्भ सामग्रीसभ[सम्पादन करी]

बाह्य जडीसभ[सम्पादन करी]